Pages

Saturday, April 7, 2012

मइटुग्‍गर :: जगदीश प्रसाद मण्‍डल


हि‍ना सरयुग नदीमे नहा भक्‍त मंदि‍रमे प्रवेश करि‍ते‍‍ भगवान रामक दर्शन करैत अछि‍, तहि‍ना तपेसर अंगनाक मेहमे आेंगठि‍ समाजकेँ भोज खुअबैक ओरि‍औन देखि‍ रहल छथि‍। पोखरि‍क पानि‍ जकाँ शीतल, शान्‍त समतल मन अंगनाक सुगंधमे मस्‍त छन्‍हि‍। तइ बीच बेटी घुरनी चमकैत स्‍टीलक छि‍पलीमे पनरह-बीसटा सुखल बड़ी एकटा बर आ पानि‍ भरल गि‍लास आगूमे रखि‍ कहलकनि‍- कनी चीख कऽ देखि‍यौ जे नीक भेल आकि‍ नै‍?
मुस्‍कुराइत बेटी आ छि‍पलीमे सजल बर-बड़ी देखि‍ तपेसर हेरा गेलाह। मन पड़लनि‍ मइटुग्‍गर। मुदा चुल्हि‍पर चढ़ल लोहि‍या छोड़ि‍ अँटकब उचि‍त नै‍ ि‍‍ घुरनी चुल्हि‍ लग पहुँचि‍ गेली। कमलक फड़ सन एकटा बड़ी मुँहमे लैते मन पड़लनि‍ परि‍वारमे अपन कएल काज।
साओन मास। भोरहरबामे मेघ फटि‍ बरखो भेल आ अधरति‍येसँ जे पूर्बा उठल उठले रहि‍ गेल। कखनो काल झकसि‍यो अबि‍ते रहल। जेना-जेना दि‍न उठैत गेल तेना-तेना पूर्बाक लपेटि‍ सेहो बढ़ि‍ते गेल। प्रसवक दर्दक आगम सुशीला सासुकेँ कहलनि‍। पुतोहुक बात सुनि‍ सुनयना बेटा तपेसरकेँ पलहनि‍ बजबए कहलखि‍न।
ओसारक ओछाइनपर आेंघराएल सुशीलाक मनमे लड़ाइ पसरि‍ गेलनि‍। एक दि‍स प्रसवक पीड़ा अपन दल-बलक संग अंगक पोर-पोरमे चढ़ाइ करैत तँ दोसर दि‍स जि‍नगीक कठि‍न दुर्गमे फॅॅसल मन खुशीक लहरि‍‍मे झि‍लहोरि‍ खेलाइत। नारी जि‍नगीक श्रेष्‍ठतम काज। जेहने भरि‍गर काज तेहने मुँहमंगा मातृत्‍वक उपहार। पूर्बाक लपेटि‍ देखि‍ सुनयनाकेँ ठकमुड़ी लगल रहनि‍। आइ धरि‍ प्रसव गठुलामे होइत रहल अछि। जइ घरक टाट हवाक झोंककेँ नै‍ रोकैत। आश्रमक घर जकाँ टाटमे लेब नै‍ पड़ैत। मुदा वोक बच्‍चाकेँ कोन घर रच्‍छा करैत अछि! गठुला छोड़ि‍ मालक घरमे ओछाइन ओछा देलखि‍न। ओछाइन ओछा हि‍यासए लगलीह जे अगि‍यासी भइये गेल, फाट-पुरान लैये अनलौं। मालक घरसँ हुलकी मारि‍ पुतोहु दि‍स देखलनि‍ तँ चैन ि‍‍ पड़लनि‍। मन असथि‍र भेलनि‍।

पहलनि‍ ऐठाम जाइत तपेसरक मनमे अपन काजक भार उठलनि‍। एहेन भारी काजमे पुरुखक काज की अछि? डेग भरि‍ हटल पलहनि‍क घर अछि तेकर बाद? मचकीपर झुलैत झुलनि‍हार जकाँ तपेसर झुलैत पलहनि‍ ऐठाम पहुँचि‍ जनतब देलखि‍न। अपन उगैत लछमीकेँ देखि‍ मुस्‍की दैत पलहनि‍ कहलकनि‍- अहाँ आगू बढ़ू गाइयक थैर बनौने पीठेपर दौगल अबै छी।‍
पाँचो मि‍नट पलहनि‍केँ पहुँचला नै‍ भेल आकि‍ बेटाक जन्‍म भेल। धरतीपर बेटाकेँ पदार्पण करि‍ते‍ बि‍जलोका जकाँ परि‍वारमे खुशी पसरि‍ गेल। देह पोछैत पलहनि‍क मन चालीस तम्‍मा नि‍छौर, तइ परसँ नि‍पनौन, लाढ़ि‍-पुरनि‍ कटाइक संग उपहार, पसारी छी तँए मंगबोक अधि‍कार एेछ‍ये जाइकाल एकटा सजमनि‍यो मांगि‍ लेब। सि‍दहा तँ देबे करतीह। हि‍साबमे मन बौआ गेलनि‍। समाजमे भगवान ककरो सनतान दै छथि‍न तइमे सझि‍या कऽ दैत छथि‍ ने। बच्‍चाक जि‍नगी हमरा हाथमे अछि, तहि‍ना ने अपनो जि‍नगी दोसराक हाथमे अछि। तरे-तर मन खुशी भऽ गेलनि‍। मुस्‍की दैत सुनयनाकेँ टोनलनि‍- काकी, पहि‍ल पोता छि‍यनि‍, रेशमी पटोर पहि‍र‍बनि‍?
धारक बेगमे दहलाइत दादीक मन, मुड़ी डोलबैत बजलीह- एकटाकेँ के कहए सातटा पहि‍रेबह।‍
पलहनि‍- बच्‍चा मुँह, एन-मेन तपेसरे बौआ जकाँ छै।‍
पलहनि‍क बात सुनि‍ ओछाइनपर पड़ल सुशीलाक दर्द भरल देहक मनमे अपन सतीत्‍वक आभास भेल। मुदा अवसरकेँ हाथसँ नै‍ जाए दि‍अए चाहि‍ बुदबुदाएल- केहेन सपरतीभ जकाँ बजै-ए।‍ मुदा पलहनि‍ सुनलक नै‍। जइसँ आगू कि‍छु नै‍ बाजलि‍।
झीलक पानि‍ जकाँ तपेसरक मन असथि‍र। सामान्‍य परि‍स्‍थि‍ति‍ तँए सामान्‍य मनक वि‍चार। जहि‍ना कठि‍नसँ कठि‍न, उकरूसँ उकरू काजपर लूरि‍ डटल रहैत तहि‍ना जि‍नगी काजपर नजरि‍ दौड़ैत मन डटल। मन कहैत बीस-एक्कैस बर्खक उम्रो छेबे करनि‍, रोगो व्‍याधि‍क छुति‍ देहमे नहि‍ये छन्‍हि‍। बेटापर नजरि‍ पहुँचि‍ते पुत्र सन सम्‍पत्ति‍क आगमनसँ मन फुला गेलनि‍। जहि‍ना लगौल गाछमे पहि‍ल फूल वा फड़ लगलापर बेर‍-बेर‍ देखैक इच्‍छा होइत तहि‍ना तपेसरक मनमे उठैत। बर्जित जगह ि‍‍ परहेज केने रहथि‍। मुदा तैयो जहि‍ना डॉट टुटल कमल हवाक संग पोखरि‍मे दहलाइत तहि‍ना खुशीक हि‍लकोरमे तपेसरक मन तड़-ऊपर करैत। मनमे उठलनि‍, पुरुख-नारी बीचक संबंधमे बच्‍चो पैघ शर्त्त छी। परि‍वारमे (संबंधमे) वि‍खंडनक संभावना बनल रहैत अछि। लगले मन अपनासँ आगू उड़ि‍ माए-बापपर गेलनि‍। हृदए बि‍‍हुँसि‍ गेलनि‍। जहि‍ना मातृत्‍व प्राप्‍त केलापर नारीक सौन्‍दर्य बढ़ि‍ जाइत तहि‍ना ने पि‍तृत्‍व प्राप्‍त केलापर पुरुषोकेँ होइत। लगले सि‍नेमा रील जकाँ बेटाक जन्‍मसँ अंति‍म समए धरि‍क जि‍नगी नाचि‍ उठलनि‍।
कि‍छुए समए बाद सुशीलाकेँ पुन: दर्द शुरू भेलनि‍। समएक संग दर्दो बढ़ए लगलनि‍। दुखक संग छटपटाएब शुरू भेलनि‍। सुशीलाक छटपटाहटि‍ देखि‍ सुनयना पलहनि‍केँ कहलखि‍न- कनि‍याँ, अहाँ देखि‍अनु ता बच्‍चा सम्‍हारि‍ दै छी।‍
पेटपर हाथ दैते पलहनि‍ ि‍‍ गेली जे दोसर बच्‍चा हेतनि‍। बजलीह- काकी, एकटा बच्‍चा आरो हेतनि‍?
पलहनि‍क बात सुि‍न, जहि‍ना मेघ तड़कैत तहि‍ना सुनयनाकेँ भेलनि‍। जोरसँ तपेसरकेँ कहलखि‍न- बौआ, बौआ।‍
अकचका कऽ तपेसर बाजल- हँ, माए।‍
हँ, अंगनेमे रहह।‍
करीब बीस मि‍नट पछाति‍ बेटीक जन्‍म भेलनि‍। अखन धरि‍ जहि‍ना खुशीक सुगंध अंगनामे पसरल छल एकाएक ठमकि‍ गेल। बच्‍चाक जन्‍म होइतहि‍ सुशीलाक देह लर-तांगर भऽ गेलनि‍। पलहनि‍ सुनयनाकेँ कहलनि‍- काकी, पुरबा लपटै छै। अगि‍यासी नीक-नहाँति‍ जगा देथुन ओना तँ सभ भगवानक हाथमे छन्‍हि‍‍ मुदा जहाँ तलि‍क पार लागत से तँ करबे करबनि‍। जानि‍ये कऽ तँ भगवान दुख बढ़ा देलखि‍नहेँ। ऐ (पहि‍ल)‍ बच्‍चापर ई नजरि‍ राखथु ऐपर हम रखै छी। कहि‍ बच्‍चाक पोछ-पाछ करए लगली। साँस मन्‍द देखि‍ मुँहमे मुँह सटा फूकि‍ साँसक गति‍ ठीक केलनि‍। बच्‍चाक लक्षण देखि‍ पलहनि‍क मन बाजि‍ उठल। जरूर दुनू बच्‍चा ठहरबे करत। नजरि‍ पछि‍ला काजपर पड़ल। एहेन की‍ पहि‍ल-पहि‍ल बेर‍ भेल। कतेकोकेँ भेलनि‍। कि‍छु गोटेक दुनू बँचलनि‍, कि‍छु गोटेक एकटा बँचलनि‍ आ कि‍छु गोटे बच्‍चाक संग चलि‍ गेलीह। ओना काज तँ अनि‍श्चि‍त अछि मुदा अपना भरि‍ तँ ति‍या-पछा करबे करबनि‍। सुशीलाकेँ सुनयना पुछलखि‍न- कनि‍याँ मन केहेन लगै-ए?
अर्ध-चेत अवस्‍थामे सुशीला अपन ुटैत जि‍नगी हाथक इशारासँ कहलकनि‍। मुँहक सुरखी कहैत जे नै बँचब। सुशीलाक इशारासँ सुनयना बुझलनि‍ जे तपेसर भारी वि‍पत्ति‍मे पड़ि‍ गेल। भगवानपर खींझ उठलनि‍। बेचारा फट्टो-फनमे पड़ि‍ जाएत। हम बूढ़े भेलौं, जएह कएल हएत सएह ने सम्‍हारि‍ देबै। मुदा वि‍पत्ति‍ तँ ततबेटा नै ने छै। खेती-पथारी, माल-जाल, कुटुम-परि‍वार छै तइपरसँ दू-दूटा चि‍ल्‍का भेलइ। कना सम्‍हारि‍ पाओत। ने स्‍त्री बँचतै आ ने एक्कोटा बच्‍चा। हमहूँ कते दि‍न जीब। सभ ि‍कछु बेचाराकेँ हरा जेतै। हे भगवान, तोरा केहेन दुरमति‍या चढ़लह जे एहेन गनजन बेचाराकेँ केलहक।
आंगनमे बैसल तपेसरक मनमे उठैत जे जतेटा मोटरी माथपर उठत ततबे ने उठाएब। नमहर मोटरी कते काल क्‍यो माथपर सम्‍हारि‍ कऽ रखि‍ सकैए। मुदा तँए की? जीत्ता जि‍नगी हारि‍यो मानि‍ लेब उचि‍त नै‍। करैत-करैत-लड़ैत-लड़ैत जे हेतै से देखल जेतै।
जहि‍ना रणभूमि‍मे दू दलक बीच लड़ाइ अंति‍म दौड़मे अबि‍ते दुनू दलक मन मानि‍ लैत जे के जीतत के हारत। मुदा हरलोहोक बीच कते रंगक वि‍चार उठैत। कि‍छु गोटे रणभूमि‍सँ भागए चाहैत तँ कि‍छु गोटे अढ़ भजि‍या नुकाए जाहैत। मुदा कि‍छु एहनो होइत जे अपन बलि‍ देखि‍ स्‍वेच्‍छासँ अंति‍म समए धरि‍ हथि‍यार उठौने रहैत अछि। कन्ना नै‍ उठाओत? अपन जि‍नगीक संगी, जे कौआ-कुकुड़क पेट भरि‍ अपन मनोरथ पूरा करत, आ हम गुलाम बनि‍ दुश्‍मनक जहलमे सड़ब।

अपन अंति‍म बात सुशीला पलहनि‍यो, सासुओ आ पति‍योकेँ कहलक- हम नै बँचब। दुनि‍याँक सभसँ पैघ पापी छी जे अपनो रच्‍छा नै कऽ सकलौं। दुनू बच्‍चाकेँ अहाँ सभ देखबै।‍ कहि‍ते आँखि‍ बन्न भऽ गेलनि‍। प्राण तँ बँचल रहनि‍ मुदा चेतन-शुन्‍य भऽ गेलीह।

सुशीलाक बात सुि‍न पलहनि‍ चमकि‍ उठल। बापरे! सभसँ बेसी भार अपने ऊपर आबि‍ गेल। जन्‍मक पालनक भार....। अखन धरि‍ जते ठीन काज केलौं, एहेन काजसँ भेँट कहाँ भेल! बुझल बात कम आ अनभुआर बेसी बजरत। जते अपना दि‍स तकैत जाइत तते चि‍न्‍ता बढ़ल जाइत। बच्‍चाकेँ दूध पि‍आएब जरूरी भऽ गेल। माइक तँ यएह गति‍ छन्‍हि‍। हे भगवान कोनो उपाय धड़ाबह। मन पड़लै अपन बच्‍चा। अपनो तँ दूध होइते अछि तखन एते घबड़ेवाक कि‍ जरूरति‍ अछि। मुदा अपन दूध तँ छह‍ मासक बकेन अछि। गजुरा तँ नै‍। एत्ते वि‍चार करब तँ बच्‍चे मरि‍ जाएत। हे भगवान जानि‍हह तूँ। मने मन कहि‍ दुनू बच्‍चाकेँ दुनू छाती लगा दूध पि‍अबए लगली। बच्‍चाक चोभ देखि‍ पलहनि‍क मन खुशीसँ नाचि‍ उठलनि‍। ठानि‍ लेलनि‍‍ जे बच्‍चाकेँ मरऽ नै‍ देब। आइये बकरी दूधक ओरि‍यान करैले सेहो कहि‍ दैत छि‍यनि‍ आ टेम-कुटेम अपनो चटा देबै। मुदा अपनो बच्‍चा तँ चारि‍ये मासक अछि। सात माससँ पहि‍ने कना दालि‍क पानि‍ चटेबै। फेर मातृत्‍व जगि‍ते बुदबुदेलीह- ऐसँ पैघ काज ऐ धरतीपर हमरा लि‍ये की अछि? जँ दुनि‍याँ देखए बच्‍चा आएल हएत तँ जरूर देखत।
पुतोहुक बात सुि‍न सुनयना चेतनहीन हुअए लगलीह। कासक फूल जकाँ मन उड़ि‍-उड़ि‍ बौराए लगलनि‍। बच्‍चाक मुँहपर नजरि‍ पड़ि‍ते उपराग दैत भगवानकेँ मने-मन कहलनि‍- ‍कोन जनमक कनारि‍ ऐ बच्‍चासँ असुल रहल छह। ऐ नि‍मू-धनक कोन दोख भेलै। जँ तोरा नै सोहेलह तँ पेटेमे कि‍अए ने कनारि‍ चुका लेलह। एह बच्‍चाक एह गंजन तोरे सन बुते हेतह।‍ चहकैत करेजसँ द्रवि‍त भऽ कुहरि‍ उठलीह। एक तँ वेचारीक (पुतोहुक) ऊपर केहेन डाँग पड़ल जे अमूल्‍य कोखि‍ उसरन भऽ गेलै, तइ संग बच्‍चा लटुआएल अछि। मुदा अपनो वंश तँ उसरने भऽ रहल अछि। थाकल-ठहि‍आएल जकाँ छातीपर पथरो रखि‍ आँखि‍ तकब मुदा तपेसर तँ से नै‍ अछि। जुआन-जहान अछ, हो न हो‍ कहीं बौर ने जाए। केकरा के देखत? जहि‍ना धारक बहैत धारामे माथक मोटरी खुललासँ मोटरीक वस्‍तु छि‍ड़ि‍या पानि‍क संग भाँसए लगैत जइसँ कि‍छु बि‍छेबो करैत आ कि‍छु भँसि‍यो जाइत तहि‍ना सुनयनाक वि‍चार कि‍छु उड़ि‍आइत कि‍छु ठमकल छाती दहलाइत।
ओसारक खूँटा लगा बैसल तपेसरक मन मानि‍ गेल जे चूक हमरोसँ भेल। आइ धरि‍ जे देखैत एलौं वएह मनमे बैसि‍ गेल। की रेडि‍यो-अखबारक समाचार झुठे रहैत अछि जे दू-तीन-चारि‍ धरि‍ बच्‍चा मनुखकेँ होइत छै। जहि‍ना परम्‍परासँ अबैत बेवहारकेँ बि‍नु सोच-वि‍चार केनौ सभ लकीरक फकीर बनि‍ लहास ढोइत अछि तहि‍ना तँ केलौं। मुदा हाथक डोरा ुटने जहि‍ना गुड्डी अकासमे उधि‍या जाइत तहि‍ना ने तँ उधि‍या गेलौं। सोचैक, बुझैक बात छल जे एक बच्‍चाक लेल कते सेवाक जरूरति‍ होएत, दू बच्‍चाक लेल कते....। से नै‍ ि‍‍ सकलौं। आइ जँ बुझल रहैत तँ एहेन दि‍न देखैक अवसर नै‍ भेटैत। परि‍वार उजड़ि‍ जाएत। वंश वि‍लटि‍ जाएत। मुदा जे चुकि‍ गेलौं ओकर उपाइये कि‍? जहि‍ना थाकल अड़ि‍कंचनमे सुन्‍दर सुकोमल पेंपी नि‍कलैत तहि‍ना तपेसरक मनमे आशाक पेंपी उगल। धारक धाराक सि‍क्‍त मनमे उठलनि‍, जहि‍ना एक दि‍स परि‍वार, वंशकेँ उजड़ैत-उपटैत देखै छी तहि‍ना तँ भूत, वर्तमान आ भवि‍ष्‍य सेहो आँखि‍क सोझमे लहलहा रहल अछि। लहलहाइत परि‍वारकेँ देखि‍ तपेसरक हृदए उफनि‍ गेलनि‍। जहि‍ना धारक धारा माने बेगमे टपै काल ओरि‍या कऽ पएर रखि‍तौं थरथराएल पएर पि‍छड़ैत रहैत तहि‍ना तपेसरक मन सेहो असथि‍र नै‍ भऽ पि‍छड़ए लगलनि‍। मुदा जी-जाँति‍ कऽ माटि‍पर पएर रोपि‍ते मनमे उठलनि‍, माइयो जीवि‍ते छथि‍, अपनो छी, तइपरसँ दूटा दूधमुहाँ बच्‍चा सेहो एेछ‍ये। तखन परि‍वार कि‍अए उपटत? हँ, ई बात जरूर जे पुरुख-नारीक बीच बच्‍चाक लेल माए भोजनक पहि‍ल बखारी होइ छथि‍। मुदा युग धर्मो तँ कहैत अछि जे आजुक बच्‍चाक नसीबसँ माइक दूध कटि‍ रहल अछि। तैयो तँ बच्‍चा जीवि‍ये जाइत अछि। तखन ई बच्‍चा कि‍एक ने जीति‍?

सोगाएल तपेसरक मुँह देखि‍ माए (सुनायना) बोल-भरोस देबा लए घरसँ नि‍कलि‍ आबि‍ बजलीह- बच्‍चा, गाड़ीये पहि‍या जहाँति‍ जीते जि‍नगी सुख-दुख अबैत रहैए। तइले सोगे केने‍ की हेतह? भगवानक लीले अगम छन्‍हि‍। अखनी हम जीवि‍ते छी। हमरा अछैत तोरा कथीक दुख होइ-छह।‍
सि‍मसल आँखि‍ उठा तपेसर माएक मुँहपर देलनि‍। हवामे थरथराइत दीपक बाती जकाँ सुनयनाक छाती डाेलैत। मुदा जहि‍ना हवाक झोंककेँ सहन करैत दीप प्रज्‍वलि‍त रहैत तहि‍ना धैर्यक लौ सुनयनाक बोलसँ टपकल वि‍चार सुनि‍ तपेसरक मनक डोलैत जमीन थीर हुअए लगल। मनमे उठलनि‍, यएह माए पुरुख जानि‍ अपन सहारा बुझैत छथि‍ आ अखन सहारा बनि‍ ठाढ़ छथि‍। कोढ़ीसँ (कलीसँ) फुलाइत फूल जकाँ तपेसरक मन फुलाए लगल‍। तहीकाल पलहनि‍ मुँह उठा कऽ बाजलि‍- काकी, एतै‍ आबथु।‍
पलहनि‍क बात सुि‍न सुनयना तपेसरपर नजरि‍ दौड़ा सोइरीघर दि‍स बढ़लीह। मनमे एलनि‍, ओना अन्‍हारघर साँपे-साँप रहैत मुदा हथोरि‍यो थाहि‍ कऽ तँ लोक अन्‍हारोमे जीवि‍ते अछि। सभ मि‍लि‍ जँ लगि‍ जाएब तँ बच्‍चा जरूर उठि‍ कऽ ठाढ़ हेबे करत।
तपेसरक मनमे उठल, जाधरि‍ साँस ता धरि‍ आस। अपना सभ बुते काज नै‍ सम्हरत। डॉक्‍टरकेँ बजेबनि‍। मुदा लगमे तँ ओहो नहि‍ये छथि‍। जँ रोगि‍येकेँ लऽ जाए चाहब सेहो भारि‍ये अछि। एक तँ तेहेन सवारी सुबि‍धा‍ नै‍ दोसर तीन-तीनि‍ गोरेकेँ लए जाएब। ओतबे नै, अपनो सभकेँ जाइये पड़त। एक दि‍स अब-तबक ि‍स्‍थति‍ दोसर दि‍स सवारीक ओरि‍यान आ डाॅक्‍टर ऐठाम पहुँचैत-पहुँचैत बँचती आकि‍ नै‍। जहि‍ना अमती काँट एक दि‍स छोड़बैत-छोड़बैत दोसर दि‍स पकड़ि‍ लैत तहि‍ना तपेसरक मन ओझरा गेल। कोनो सोझ बाट आँखि‍क सोझामे पड़बे नै‍ करैत। बेकल मने उठि‍ कऽ सोइरी घर पहुँचि‍ माएकेँ कहलक- माए....।‍ माएक पछाति‍ कोनो शब्‍द मुँहसँ नै‍ नि‍कलल।
तपेसरक बेकल मन देखि‍ पलहनि‍ बाजलि‍- बौआ, एना मन छोट नै करू। जे करतूत अछि सएह ने अपना सभ करब। ककरो जान ते नै ने दऽ देबै। जखैनसँ दुनू बच्‍चाकेँ छाती चटौलि‍ऐ तखैन से कल‍ परल अछि। सबसे पहि‍ने दूधक ओरि‍यान करू। अखन महीसि‍-गाइक दूध पचबैवला नै अछि, कतौसँ बकरी कीन‍ आनू। ताबे ककरो बकरी दुहि‍ कऽ लऽ आनू। एक तँ बकरि‍यो सब तेहेन अछि जे अपनो बच्‍चा पालैक दूध नै होइ छै, मुदा करा एकटा बच्‍चा हेतै ओहन कीन‍ लि‍अ।

सुशीलाक बात सुि‍न पलहनि‍ चमकि‍ उठल। बारे रे, सभसँ बेसी भार अपने ऊपर आबि‍ गेल। जन्‍मक पालनक भार....। अखन धरि‍ जते ठीन काज केलौं, एहेन काजसँ भेँट कहाँ भेल! बुझल बात कम आ अनभुआर बेसी बजरत। जते अपना दि‍स तकैत जाथि‍ तते चि‍न्‍ता बढ़ल जाइत। बच्‍चाकेँ दूध पि‍आएब जरूरी भऽ गेल। माइक तँ यएह गति‍ छन्‍हि‍। हे भगवान कोनो उपाय धड़ावह। मन पड़लै अपन बच्‍चा। अपनो तँ दूध होइते अछि तखन एते घबड़ेवाक कि‍ जरूरति‍ अछि। मुदा अपन दूध तँ चारि‍ मासक बकेन अछि। गजुरा तँ नै‍। एत्ते वि‍चार करब तँ बच्‍चे दम तोड़ि‍ देत। हे भगवान जानि‍हह तूँ। मने मन कहि‍ दुनू बच्‍चाकेँ दुनू छाती लगा दूध पि‍अबए लगली। बच्‍चाक चोभ देखि‍ पलहनि‍क मन खुशीसँ बि‍खैर गेलनि‍। संकल्‍प लेलनि‍ जे बच्‍चाकेँ मरऽ नै‍ देब। आइये बकरी दूधक ओरि‍यान करैले सेहो कहि‍ दैत छि‍यनि‍ आ टेम-कुटेम अपनो चटा देबै। मुदा अपनो बच्‍चा तँ चारि‍ये मासक अछि। छह माससँ पहि‍ने कना दालि‍क पानि‍ चटेबै। फेर मातृत्‍व जगि‍ते बुदबुदेलीह- ऐसँ पैघ काज ऐ धरतीपर हमरा लि‍ए की अछि? जँ दुनि‍याँ देखए बच्‍चा आएल हएत तँ जरूर देखत।
पुतोहुक बात सुि‍न सुनयना चेतनहीन हुअए लगलीह। कास-कुसक फूल जकाँ मन उड़ि‍-उड़ि‍ बौराए लगलनि‍। बच्‍चाक मुँहपर नजरि‍ पड़ि‍ते उपराग दैत भगवानकेँ मने-मन कहलनि‍- ‍कोन जनमक कनारि‍ ऐ बच्‍चासँ असुल रहल छह। ऐ नि‍मू-धनक कोन दोख भेलै। जँ तोरा नै सोहेलह तँ पेटेमे कि‍अए ने कनारि‍ चुका लेलह। एह बच्‍चाक एह गंजन तोरे सन बुते हेतह।‍ चहकैत करेजसँ द्रवि‍त भऽ कुहरि‍ उठलीह। एक तँ वेचारीक (पुतोहुक) ऊपर केहेन डाँग पड़ल जे अमूल्‍य कोखि‍ उसरन भऽ गेलै, तइ संग बच्‍चा लटुआएल अछि। मुदा अपनो वंश तँ उसरने भऽ रहल अछि। थाकल-ठहि‍आएल छी छातीपर पथरो रखि‍ आँखि‍ तकब मुदा तपेसर तँ से नै‍ अछि। जुआन-जहान अछि, हो न हो बताह बनि‍ कहीं बौर ने जाए। केकरा के देखत? जहि‍ना धारक बहैत धारामे माथक मोटरी खुललासँ मोटरीक वस्‍तु छि‍ड़ि‍या पानि‍क संग भाँसए लगैत जइसँ कि‍छु बि‍छेबो करैत आ कि‍छु भँसि‍यो जाइत तहि‍ना सुनयनाक वि‍चार कि‍छु उड़ि‍आइत कि‍छु ठमकल छाती दहलाइत।

अशौच दुआरे दुनू जौआँ भाए-बहि‍न‍क -धीरज आ घुरनीक- छठि‍यार नै‍ भेल। ने कि‍यो सोइरी सठनि‍हारि‍ आ ने ककरो मन कखनो थीर होइत जे नीक-अधलाक वि‍चार करैत। ओना तीनूक- पलहनि‍, सुनयनया आ तपसीक- मन सदति‍काल बच्‍चेपर रहैत छलनि‍ मुदा कखनो काल नेकरमसँ अकछि‍ मने-मन सोचैत जे दुनूकेँ ऋृण असुलए भगवान पठौलनि‍। जते ओकर ऋृण बाॅकी छै ओते तँ असुले कऽ जान छोड़त। मुदा लगले मन घुरि‍ जाइत जे वि‍धातो भाग-तकदीरकेँ नै‍ बदलि‍ सकैत छथि‍। जँ दुनू बच्‍चा एहि‍ धरतीक सुख भोगऽ आएल हएत तँ नहि‍यो सेवा-बरदासि‍ करबै तैयो पानि‍क पाथर जकाँ जीवे करत। मुदा बच्‍चाक छोड़ि‍ तीनूक -पलहनि‍, सुनयना आ तपसीक- अपन-अपन जि‍नगी आ दुनि‍याँ सेहो छलनि‍। पलहनि‍ये बेचारी कि‍ करि‍तथि‍? एक तँ दस-दुआरी दोसर अपनो बाल-बच्‍चेदार परि‍वार तइ परसँ तड़ि‍पीबा घरबला। धन्‍यवाद बूढ़ी सासुकेँ दि‍आनि‍ जे सुखाएलो-टटाएल हड्डीपर ने कखनो हाथ-पएर कामै होइत आ ने मुँह सापुट लैत। अखनो वएह रूआव जे कते दि‍न जीवि‍ तेकर कोन ठेकान। हजार कि‍ लाख आ कि‍ नहि‍ये मरब तेकर कोन ठीक। मुदा साँपक मंत्र जकाँ भरि‍ दि‍न सुगि‍या (पलहनि‍) सासुक नीक-अधला बात सुनैत रहैत मुदा कोनो बातक उतारा नै‍ दैत। अपन सभ कि‍छु ि‍‍ सासु -झि‍ंगुरी- मालि‍क जकाँ काजक समीक्षा सदति‍काल करैत रहैत जे कोन-काज केहेन उताहुल अछि। जेह जे काज उताहुल तइ काजकेँ दोसर काज छोड़ि करए लगैत तँए सुगि‍या सासुक बातो कथा सुनि‍ चुप्‍पे रहैत। तँए कि‍ झि‍ंगुरी सदति‍काल पुतोहुपर गरमाइले रहैत छलीह। कन्ना रहि‍तथि‍, जखन सुि‍गया कोनो अंगनाक पवनौट, काेनो तीमन-तरकारी वा सि‍दहा आनि‍ आगूमे देथि‍ वा बैसलोमे टाँग पसारि‍ जँतऽ लगैत तखन वएह सासु ने असि‍रवाद दै छलखि‍न जे हमरो औरूदा भगवान तोरे देथुन। यएह ने परि‍वार छी जे सदति‍काल सुख-दुख, नीक-अधला, हँसैत-कनैत मस्‍तीमे चैनसँ चलैत रहए। झि‍ंगुरि‍योक जि‍नगीमे तहि‍ना भेल। एक्के सन्‍तानक -बेटा- पछाति‍ वि‍धवा भऽ गेलीह। अपना खेत-पथार तँ नै‍ मुदा धा गाम (भैयारीक हि‍स्‍सा) तँ खानदानी सम्‍पति‍ छलैक। जाहि‍सँ खाइ-पीवैक कोन बात जे दू पाइ बेटोकेँ खाइ-पीबैले दैत रहलीह। भलेहीं बेटा नसेरी कि‍अए ने भऽ गेलनि‍। कि‍ अखनो धरि‍ बेटाकेँ कहि‍यो एकटा खढ़ उसकबए नै‍ कहलनि‍। जँ माए-बाप अछैत बेटा सुख नै केलक तँ माए-बापक मोले की? एहि‍ बातकेँ गीरह बान्‍हि‍ झि‍ंगुरी कहि‍यो बेटाकेँ कोनो भार अखन धरि‍ नै‍ देने। भलहि‍ं बेटा सहलोले कि‍अए ने भऽ जाए मुदा सि‍द्धान्‍तो तँ सि‍द्धान्‍त छी। ओकरो अपन महत छैक। भलहि‍ं करी वा नै‍ करी। जँ से महत नै‍ छैक तँ बुधि‍‍यार लोकक बेटा बुड़ि‍बक कन्ना भऽ जाइत छैक।

दसदुआरी रहने सुगि‍याकेँ घरसँ बाहर एते काज करए पड़ैत जे दि‍न-राति‍ रेजानि‍स-रेजानि‍स रहैत छलीह। साँझ-भोर, राति‍-दि‍न काज। कि‍म्‍हरो जँत्ते-पीचैक समए तँ कि‍म्‍हरो बि‍आउ करैक ताक। धन्‍यवाद सुगि‍येकेँ दी जे घि‍रनी जकाँ सदति‍काल नाचि‍ काज सम्‍हारैत। तहूमे मइटुग्‍गर धीरज आ घुरनीक तँ सहजहि‍ माइये छी। दूध पि‍औनाइसँ लऽ कऽ जाँति‍-पीचि‍ देह-हाथ सोझ करऽ पड़ैत। दसदुआरी रहने दस दि‍स सेहो आँखि‍-कान ठाढ़ रखै पड़ैत। जि‍नगीक काज सुगि‍याकेँ एहि‍ रूपे पकड़ि‍ नेने जे दोसर दि‍स तकै नै‍ दैत। मन कहैत जेकरा अपन माए जीवैत छैक ओरत होइक नाते अपन चि‍लकाकेँ अपनो सम्‍हारि‍ सकैए मुदा ऐ दुनू -धीरज आ घुरनी- केँ दुनि‍याँमे के देखनि‍‍हार छैक? हमरा हाथे जन्‍म भेल छै, जँ पैतपाल नै करवै ते एकर प्रति‍वाए केकरा हेतै। भगवानक घरमे दोखी के हेतै। वेचारी दादी सुनयना छथि‍न मुदा ऐ उमेरमे दूध तँ नै‍ छन्‍हि‍। सोलाहो आना बकरि‍ये दूधपर तँ दूधकट्टू भइये जाएत। जे बच्‍चा दूधकट्टू भऽ जाएत ओकर छाती कहि‍यो सक्कत हेतै। खेने-बि‍नु खेने सुगि‍या भरि‍ दि‍न ओइ‍ जंगली जानवर जकाँ नचैत जे बच्‍चाकेँ दूध पि‍आ, गर लगा सुता चरौर करए जाइत, तहि‍ना।

अधवयसू सुनयना अपन राजा बेटा तपसीक दुखक बोझ देखि‍ दि‍न-राति‍ ओइ‍ बोझकेँ हल्‍लुक बनबए लेल एकबट्ट करैत रहैछ। जहि‍ना युद्धभूमि‍मे अपन राजापर दुश्‍मनक अबैत तीर देखि‍ सेनापति‍ उपयुक्‍त तीर तरकससँ नि‍कालि‍ दुश्‍मनक तीरकेँ रोकैक प्रयास अंति‍म साँस धरि‍ करैत तहि‍ना सुनयना तपसीपर अबैत तीर- भगवान केहेन डाँग मारलखि‍न जे जे जाहि‍ काजक लूरि‍ पुरुखक हि‍स्‍सामे देबे ने केलखि‍न ओइ फाँकमे फँसा देलखि‍न। कोशि‍कन्‍हाक खेत जकाँ आड़ि‍-धूर मेटा बालुसँ भरि‍ देलखि‍न। स्‍त्रीगण होइत हमहूँ तँ स्‍त्रीगणक सभ काज (बच्‍चाकेँ दूध पि‍आएब) नहि‍ये सम्‍हारि‍ सकब। जँ एहेन फाँसे लगवैक छलनि‍ तँ आरो नमहर लगा दुनू बच्‍चोकेँ माइये  संगे नेने जइतथि‍। पुरुखक (बेटा) देह तँ खाली रहि‍तै। मन होइतै चि‍ड़ैक खोंता जकाँ परि‍वार बना रहैत नै मन होइतै लौका-तुम्‍मा लऽ दुनि‍याँमे घूमि‍-फीड़ि‍ जीबैत। जाधरि‍ हम जीबै छी ताधरि‍ माएक ममता पकड़ि‍ रखि‍तै। मुदा तहू बीच जँ पत्‍नीक सि‍नेह बेटा-बेटीक सोह जगि‍तै तखनो तँ मन बौरेबे करि‍तै! अनायास सुनायनाक मनमे उठलनि‍ माया-मोहक लत्ती जते दूर धरि‍ चतरै-ए ओते दूर धरि‍ मनुख तँ नै‍ चतरत। मनुखक तँ बाढ़ि‍ छैक। तइ बीच हम तपसि‍याक माए भेलि‍ऐ, जते धरि‍ कएल हएत ततबे ने करबै। आकि‍ ओकरा दुखसँ दुखी भऽ अथबल बनि‍ बैसि‍ कऽ कानब। माएक काज जते दूर धरि‍ छै ओइमे कलछप्‍पन नै करबै। परि‍वारे केकर छी ककरो नै छी? तखन तँ मनुख रहत घरेमे। खाएत अन्ने, पीति‍ पानि‍ये। जाबे जीबै छी ताबे बुझै छी जे सभ कि‍छु छी आँखि‍ मूनि‍ देबै अन्‍हारमे हरा जाएब। फेर मन घुरलनि‍ हमरा अछैत बेटाक आँखि‍क नोर देखब हाड़-चामक मनुखकेँ सहल जाएत? ओ तँ पाथरक नै‍ छी जे कतौ पड़ल रहत। मनुखकेँ तँ चलै-फि‍रै, सोचै-वि‍चारै, बुझै-सुझैक बखारी छै ओ तँ देखि‍ये-सुनि‍ कऽ चलत। दुनि‍याँ बेइमान भऽ जाएत भऽ जाए मुदा जहि‍ना तपसीक माए छि‍ऐ तहि‍ना तपसी देखत। ओकरा मनमे कहि‍यो ई नै उपकए देबै जे दुनि‍याँक संग माइयो पएर पाछू केलक। ताधरि‍ तपसीक परि‍वारकेँ पकड़ि‍ सम्‍हारने रहबै जाधरि‍ बेकाबू नै भऽ जाएत। भगवान केलखि‍न आ दुनू पि‍लुआ उठि‍ कऽ ठाढ़ भेल तँ जरूर परि‍वार फड़त-फुलाएत। अखन बेकाबू कहाँ भेलहेँ? अखन तँ सम्‍हारैबला अछि‍। माटि‍क तरमे सजमनि‍ झि‍ंगुनीक बीआ गारि‍ दै छि‍ऐ, समए पाबि‍‍ जहि‍ना ओ जनमि‍ कऽ ऊपर आबि‍ धरतीसँ आसमान धरि‍ लतरि‍ जाइत अछि मुदा ई  तँ (दुनू बच्‍चा) माटि‍क ऊपर अछि। जँ समुचि‍त सेवा भऽ जाए तँ जरूर कलैश कऽ गाछ बनत। आशा-नि‍राशाक बीच सुनयनाक मन वृन्‍दावनक कदमक गाछपर झुलैत राधा-कृष्‍ण जकाँ झुलए लगलनि‍। ने अक चलनि‍ ने बक। आँखि‍ नि‍हारि‍ दुनि‍याँ दि‍शि‍ देखए लगलीह। दू-पत्ती, चारि‍-पत्ती सजमनि‍-झि‍ंगुनीक गाछक, जे लत्तीक आशा अपनाकेँ ठाढ़ रखैत, चारू भाग जहि‍ना छोट-छोट कड़चीक ुकड़ी गारि‍ ओकर रक्षा, लगौनि‍हार करैत तहि‍ना सुनयना फुड़फुड़ा कऽ उठि‍ बड़बड़ेलीह- अनेर गाएक धरम रखबार।‍ मुँहसँ अनायास हँसी नि‍कललनि‍।
पि‍तृ-प्रमुख परि‍वारमे पि‍ताक परोछ भेलापर ताधरि‍ मातृ-प्रधान परि‍वार बनल रहैत जाधरि‍ पुत्र पि‍तातुल्‍य नै‍ बनि‍ जाइत। ओहुना कि‍छु काजमे मातृत्‍वे प्रमुख परि‍वार रहैछ। एक तँ ओहि‍ना बच्‍चाक पालन मातृ पक्षक काज बुझल जाइत तइपर सँ अखन धरि‍ तपसी माइयेक आदेशक पालन करैत अबैत, तँए धैन-सन। मुदा तैयो ुटैत परि‍वार आ नव उलझन देखि‍ मन ओझराए लगलनि‍। एते दि‍न खेती-पथारी करै छलौं, दि‍न-राति‍ ओहीमे लागल रहै छलौं। आब तँ से नै‍ हएत। एक तँ दि‍नोदि‍न माएक हूबा सेहो घटत दोसर बच्‍चा सभले बकरीसँ गाए धरि‍ पोसए पड़त। ओहि‍ना थोड़े हएत। कहुना करबै तँ खुएेनाइ-पीएेनाइ, दुहनाइ-गारनाइसँ लऽ कऽ अोगरवाहि‍ धरि‍ करए पड़त। खूँटापर छोड़ि‍ कऽ कतौ जाएबो मसकि‍ल हएत। कुत्ता-बि‍लाइसँ लऽ कऽ साँढ़-बत्तू धरि‍ उपद्रव करत। ओह से नै तँ खेत बटाइ लगा देब। जँ से नै करब तँ नै सम्‍हरत।

छह मासमे छह दि‍न कम। बच्‍चाकेँ जँतै-पीचैक समए होइते पहलनि‍ (सुगि‍या) हाँइ-हाँइ गाएक नाइदमे सानी-कुट्टी लगा वि‍दा भेली। डेढ़ि‍या टपि‍ते वामा भागसँ दहि‍ना भाग बि‍लाइकेँ टपैत देखलनि‍। मनमे सगुन अपसगुन गललनि‍। जँ दहि‍नासँ वामा भाग जाइत तखन ने अपसगुन होइत मुदा से तँ नै वामासँ दहि‍ना टपल। सगुन ि‍‍ते खुशी उपकलनि‍। मुदा लगले फेर तर्कक संग ि‍वर्तक, अति‍तर्क, अति‍वि‍तर्क हुअए लगलनि‍। मन औनाए गेलनि‍। पुरुखक कहब ने छि‍यनि‍ जे वामसँ दहि‍न टपने सगुन होइत मुदा पुरुखक दहि‍न स्‍त्रीगणक वाम होइत आ वाम दहि‍न। प्रश्नक उत्तर नै पाबि‍ मन ठमकि‍ गेलनि‍। मुदा लगले सोचलनि‍- अनजान-सुनजान महाकल्‍याण। जे पूत हरबाही गेल, देव-पि‍तर सभसँ गेल। अनेरे कोन ओझरीमे ओझराएल छी। जानि‍ कऽ रोग बेसाहि‍ लेब तँ दोख ककर हएत। मन हल्‍लुक भेलनि‍। मन हल्‍लुक होइतै दुनू बच्‍चा धीरज आ घुरनीपर नजरि‍ बढ़लनि‍। दुनूक जन्‍मक दि‍न गनए लगलीह। वरस्‍पति‍ दि‍न आसि‍ मास। आंगुरपर गनैत-गनैत पाँच मास चौबीस दि‍न पुरलनि‍। छह मासमे छह दि‍न कम। हि‍साब जोड़ि‍ते मन मधुआ गेलनि‍। अकास-पतालक बीच हृदए नॉचए-गाबए लगलनि‍। एक दि‍न बीतने तँ उनतीस माघ हरा जाइत आ छह मासमे तँ छबे दि‍न कम रहलहेँ। सकताइत-सकताइत बच्‍चा छहमसुआ भऽ गेल। माइयोक पेटमे जे छह माससँ कम रहैए ओकर आँखि‍ नै फुटैत अछि मुदा छह मास पुरलापर जे जनमैत अछि ओ तँ भगवतीक बेलक आँखि‍ सन आँखि‍ नेनहि‍ अबैत अछि। छबे दि‍न ने कम छै आँखि‍क गुणक सि‍रखार तँ आबि‍ये गेल हेतै। कोढ़ी (कली) फूल जकाँ पत्ती सभ जरूर नि‍कलि‍ गेल हेतै। अधखि‍ल्‍लू फूल जकाँ सुगि‍याक मन हर्ष-वि‍षादक बीच पड़ि‍ गेलनि‍। पीपरक पात जकाँ सदति‍काल डोलैबला नै बड़क पात जकाँ भऽ गेलनि‍। ऐ दुनू बच्‍चाक माए तँ हमहीं भेलि‍ऐ कि‍ने। अपन दादी (सुनयना) तँ पकले आम जकाँ छथि‍न। मुदा तैयो धैनवाद हुनके दि‍नि‍ जे घर-अंगनाक काजक संग दुनू बच्‍चोकेँ सम्‍हारैत छथि‍। ओना भाइयो (तपेसरो) अपन पुरुखपना काज (खेती-पथारी) छोड़ि‍ अंगने-घरक काजमे भरि‍ दि‍न लगल रहै छथि‍। ई तँ ओही बेचारेकेँ धैनवाद दि‍नि‍ जे एहेन दूधमुहाँ बच्‍चाकेँ पोसि‍-पालि‍ रहल छथि‍। दस दुआरी रहि‍तो की कम करै छि‍यनि‍। मन शान्‍त भऽ गेलनि‍। नजरि‍ भगवान दि‍स बढ़लनि‍। भगवान दि‍स नजरि‍ बढ़ि‍ते तामस लहरए लगलनि‍। कहैले भगवान छथि‍। सभपर एक्के रंग नजरि‍ रखै छथि‍ मुदा वएह कहथु जे ककरो-ककरो तते दै छथि‍न जे तौला-कराही घि‍नाइ छै आ ककरो-ककरो चुट्टि‍याह बँसबाड़ि‍ जकाँ ओधि‍ धरि‍ कोकैन कऽ उपटि‍ जाइ छै। जुगो तेहेन भऽ गेल जे जेहने पुरुखक कि‍रदानी देखै छी तेहने मौगीक। जीबैयोबला बेटा-बेटीकेँ कि‍यो मोड़ीमे फेकैए तँ कि‍यो नून चटबैए। फेर लगले मन अपना परि‍वार दि‍स घुरि‍ नसेरी पति‍पर पड़लनि‍। पति‍पर नजरि‍ पड़ि‍ते सासु-ससुरपर खौंज उठलनि‍। बुदबुदेली- बेटाकेँ बि‍गाड़ैमे जहि‍ना बुढ़ि‍याक (सासु) कि‍रदानी भेलनि‍ तहि‍ना बुढ़वाक। गाजाक गुल सुनगबैत-सुनगबैत बेटो अपने जकाँ गजेरी भऽ गेलनि‍। असकरे की करब? घरसँ लऽ कऽ हर धरि‍ खटैत-खटैत देह अकड़ि‍ जाइए।
तपेसर ऐठाम पहुँचि‍ते सुनयनाकेँ बच्‍चा लग बैसल देखलनि‍। बाटक सभ बात बि‍सरि‍ मुस्‍कुराइत बजली- काकी, छअो मास पुरैमे छबे दि‍न कम छन्‍हि‍। आब दुनू दुनि‍याँ देखबे करतनि‍।‍
पलहनि‍क बात सुनि‍ जहि‍ना सुनयना अपन सभ कि‍छु बि‍सरि‍ बच्‍चाकेँ हृदैमे समा लेलनि‍ तहि‍ना तपेसर रोपल गाछीक फड़ देखि‍ वि‍स्‍मि‍त भऽ गेला। मनमे आनन्‍दक हि‍लोर उठि‍ गेलनि‍। दुनूक (सुनयनो आ तपेसरो)‍ मनमे सबुरक गाछ जनमि‍ गेलनि‍।
अखन धरि‍ सुनयना पलहनि‍पर जते ओंगठल छलीह ओइमे कमी करैक एहसास भेलनि‍। छह मसुआ बच्‍चा भऽ गेल। दूधक संग अन्नो चाटत। दालि‍क झोर बना खुआएब। मुदा लगले मनमे उठलनि‍ जे दालि‍यो तँ कते रंगक होइ छै। सभ एक्के रंग थोड़े होइ छै। कोनो गलनमा (सुपाच्‍य) होइ छै तँ कोनो गरि‍ष्‍ट। सबहक अपन-अपन चालि‍-ढालि‍ (गुन-धर्म) होइ छै। मन औना गेलनि‍। औनाइत-औनाइत मन खेरही दालि‍पर गेलनि‍। जेहने आकार तेहने गलनमा। अखन की कोनो रोटीपर लठगर खुआएब। पलहनि‍केँ कहलखि‍न- कनि‍याँ, सभसँ नीक खेरहि‍ये दालि‍ हएत?
हँ।‍ जेना-जेना देह सकताइत जेतै तेना-तेना खोराको बढ़बैत जैहऽथि‍न। आब अपनोसँ ओरि‍या-ओरि‍या जतबो-पि‍चबो करि‍हथि‍न आ तेलो-कुर दि‍हएथि‍न।
पलहनि‍क सभ बात सुनायना सुनबो नै केलनि‍ आकि‍ बीचहि‍मे मन उड़ि‍ कऽ तपेसरक जि‍नगीपर चलि‍ गेलनि‍। बेचाराकेँ दुनि‍याँक कोनो सुख नै भेल। पाँचो बर्ख कनि‍याँ संग नै रहल। कोन जनमक पाप बि‍षेलै से नै जानि‍। फेर मन उनटि‍ अपनो दुनू परानीपर गेलनि‍। माइयौ-बापक कएल नीक-अधला काजक फल बेटा-बेटीकेँ पड़ैत छैक। जेना-जेना वि‍चार उठनि‍ तेना-तेना मुँहक सुर्खी क्षीण (उदास) होइत जानि‍। कहीं हमरे सबहक (माए-बापक) कएल पाप ने तँ बेचाराक ऊपर डि‍रि‍आइ छै। फेर मन आगू बढ़ि‍ समाज दि‍स बढ़लनि‍। एहेन बेर-बि‍पति‍ की तपेसरेपर पड़ल अछि आकि‍ आनो-आनकेँ पड़लै।
सोगमे पड़ल तपेसरक मन अपन गि‍रैत परि‍वारपर अँटकल। जते उपजा-बाड़ी होइ छलाए बटाइ लगौने दूधक डारही होइए। एक तँ समयक कोनो ठेकान नै तइपर लोढ़ा-बि‍च्‍छ कऽ सेहो लैये जाइत अछि। मगर खरचा तँ बढ़ि‍ये गेल। अपनो काज उद्यम छोड़ि‍ भरि‍ दि‍न अंगने-घरक काजमे लटपटाइत रहै छी। छोड़ि‍यो कन्ना देबै? कोनो कि‍ भेड़ी-बकरीक बच्‍चा छी जे पेटसँ नि‍कलल आ कुदए-फानए लगल। मनुक्‍खक बच्‍चा तँ ताड़क गाछ जकाँ होइत अछि‍। जकर जड़ि‍ये बन्‍हैमे कतेक समए लगैत अछि। ई भि‍न्न बात जे वोमे जइठाम ताड़क गाछ ने दोसरकेँ रोकैत अछि तइठाम आ ने अपने रूकैत अछि।
भक्क ुटि‍ते सुनयना पहलनि‍केँ पुछलनि‍- कनि‍याँ, की कहलि‍ऐ से नै बुझलौं?
पहलनि‍- यएह कहलि‍यनि‍ जे आब अपनो सभ काज सम्‍हारि‍ सकै छथि‍।‍
सभ काज सुनि‍ सुनयनाक मनकेँ परि‍वार नाचि‍ उठलनि‍। सोचए लगलीह जे जखन परि‍वारमे लोकेक बाढ़ि‍ ठमकि‍ गेल तखन धने-सम्‍पति‍ लऽ कऽ की हएत? पुन: वि‍चार घुरलनि‍। जँ भगवान दुनूक औरूदा देथि‍न तँ धन-सम्‍पति‍ कमा लेत। कमाइक बात मनमे उठि‍ते अपन काज दि‍स नजरि‍ बढ़लनि‍। विसवास जगलनि‍ जे जखन पि‍लुआ सन दुनू छल तखन तँ पालि‍ लेलौं। आब तँ सहजे छअो मसुआ भऽ गेल। हमरा अछैते बेटा (तपेसर) कानै ई केहेन हएत। पुन: मनमे उठलनि‍, अपने पुरना साड़ीक वि‍सटी पोताकेँ बना देब आ पोतीकेँ घघरि‍‍यो सीि‍ब देब। उमेरे बेसी भऽ गेल तँए की। जाबे देहमे हूबा अछि ताबे तँ खटबे करब जहन हूबा टूटि‍ जाएत तहन बुझल जेतै। तँए की बेटाकेँ कानए देब। दुनि‍याँमे कि‍यो ओकर नोर पोछैबला नै छै? जँ नै छै तँ सुगि‍ये (पलहनि‍ये) कि‍अए एते करै छै। ओकरा हमरा परि‍वारसँ कोन मतलब छै। मुदा छै। करामे प्रेम छै ओकरे दुनि‍याँमे सभ छै।
दुनू बच्‍चाकेँ जाँति‍ पलहनि‍ बाजलि‍- आब जँ बकरीक दूध नहि‍यो हेतनि‍ तँ गाइयोक दूधसँ काज चलि‍ जेतनि‍। आब ओछाइनपर बच्‍चा अपनो उनटै-पुनटैले जोर करतनि‍। आस्‍तेसँ कर घुमा दि‍हऽथि‍न‍ ओना बेर-कुबेर हमहूँ अबि‍ते रहब। भैयाकेँ कहि‍ दथुन जे काल्हि‍ पटोर पहि‍ि‍र अंगनासँ नि‍कलबनि‍।।
चि‍न्‍तामे डूमल तपेसर अपनो सोचै आ दुनू गोटेक (माए आ पलहनि‍) गपो-सप्‍प सुनै। ओना कि‍सानी बुइध‍ तपेसरकेँ तँए जत्ते मन काज दि‍स दौड़ैत ओते गप-सप्‍प दि‍स नै। अखन धरि‍क जि‍नगी रहलनि‍ आेइमे एकाएक मोड़ एलनि‍। १०८दानाक तुलसीमालाक जप जकाँ तपेसरक दि‍न-राति‍ अपन घर-गि‍रहस्‍तीक काजक बीच बीत जाइत। ओना जहि‍ना मनक बि‍‍सवासकेँ आँखि‍ नै झुठला सकैत तहि‍ना तपेसरक हृदैमे माए आ पलहनि‍, चौपड़ि‍ मारि‍ बैसलि‍। तँए चि‍न्‍ता ओते नै जते हेबाक चाहि‍यनि‍।
दुनू बच्‍चाकेँ जाँति‍ पलहनि‍ हाथ-पएर सोझ कऽ टाँग पकड़ि‍ उल्‍टा झुला चानि‍मे काजरक टीक्का लगा मुस्‍की दैत सुनयनाकेँ कहलखि‍न- काकी, भैयाकेँ बि‍आह करा दि‍अनु?
बि‍आह सुनि‍ सुनयना सुख-दुखक (नीक-अधलाक) बीचक सरोवरमे पैसि‍ सोचए लगलीह। हमरे आशा कते दि‍न हेतै। चौथापनमे पहुँचि‍ गेल छी, जते दि‍न जीबै छी जीबै छी। मुदा ओकर (तपेसरक) जि‍नगी तँ से नै छै। अखन ओकरा की भेलहेँ। बच्‍चाक कोन ठेकान अछि। जुआनो-जहान चलि‍ जाइए। एक तँ मनुक्‍खे  माटि‍क काँच बरतन छी तइपर ओ (दुनू बच्‍चा) तँ आरो गि‍लगर माटि‍ जकाँ अछि। नीक जकाँ सुखबो ने कएल अछि। एक रती कोनो चीजक टोना लगतै टन दे चलि‍ जएत। मुदा परि‍वार तँ पुरुख-नारीक संयोगसँ चलैत अछि। जाबे दुनूक संयोग नै हएत ताबे दुनि‍याँ (सृष्‍टि‍) आगू मुँहे कन्ना ससरत? बातकेँ टारैत सुनयना बजलीह- कनि‍याँ, कहलौं तँ नीके बात मुदा साल भरि‍क बीच कन्ना एहेन गप करब।‍
सुगि‍याक बात तपेसरो सुनने। तरे-तर मन बजैले ओढ़ मारैत मुदा बुइध‍ रोकैत। कतबो बुइध‍ रोकलक तैयो बजा गेलै- कनि‍याँ, अहुँ नीकेले कहलौं, कटै नै छी मुदा जँ दुनू बच्‍चा उठि‍ कऽ ठाढ़ हएत आ दुनि‍याँ दि‍स डेग बढ़ौत तखने, एक तँ ओकरा मइटुग्‍गर ि‍‍ कि‍यो अपन बेटा-बेटीकेँ ऐ घर आबै ने दैत तैपर जँ दोसर बि‍आह कऽ लेब तखन तँ आरो कि‍यो अपना बेटा-बेटीकेँ सतमाए लग आबए नै दि‍अए चाहत।‍
तपेसरक बात सुि‍न पलहनि‍ बजलीह- भैया, हि‍नका सन-सन समाजमे कते पुरुख छथि‍। समाजाे तँ एकरा अधला नै ि‍‍ उठा लेने अछि। रास्‍ता बना देने अछि तखन कि‍अए एना बजै छथि‍।‍
सुगि‍याक बात सुि‍न जहि‍ना तपेसरक मुँह बन्न भऽ गेलनि‍ तहि‍ना सुनयनाक। मने-मन सुनयना सोचए लगली, कोनो नवकनि‍याँ (करा दुि‍नयाँ दारीक थोड़ ज्ञान छै) परि‍वारमे सासु-ससुर, पति‍, भैसुर-दि‍ओर, ननदि‍क बीच अबैत। अोकरा काँच कड़ची जकाँ जइ रूपे लीबा कऽ बनौल जाइत ओइ रूपक बनत। कि‍अए लोक सतमाएकेँ दोख लगबैए। ओहो तँ मनुक्‍खे छी। जँ ओकरा मनुक्‍खक रास्‍ता छोड़ा देब तँ ओ मनुक्‍ख बनत कन्ना? मुदा कि‍छु मनुक्‍खो तँ ओहन होइत जे जेरमे रहए नै चाहैत? हँ मुदा ओहन सतमाइये टा तँ नै होइए, आनो-आन होइए।
सुनयनाक मन ओझरा गेलनि‍, तँए चुप भऽ गेली।
तपेसरक मनमे उठलनि‍ जि‍नगी की? जँ जीबैले जि‍नगी तँ जीबैक लेल अनेको तरहक साधनक जरूरति‍ सेहो होइत। परि‍वारि‍क जि‍नगीक लेल पुरुख-नारी दुनूक जरूरति‍ होइत अछि। जँ से नै हएत तँ परि‍वार कते दि‍न परि‍वारक रूपमे ठाढ़ रहत। अखन बूढ़ि‍ माइक आशापर दुनू बच्‍चा जीब रहल अछि जखनकि‍ हुनको (माइयो) भानस-भात करए, सेवा-टहल करए लेल टहलूक जरूरति‍ छन्‍हि‍। जँ ओहो मरि‍ जेती तखन अपनो-सभकेँ के भानस कऽ खुऔत। अपने खाइक ओरि‍यान करब आकि‍ भानस करब। जँ भानसे नै हएत तँ खाएब केना? जँ खाएब नै तँ जीब केना? जँ मनुक्‍खे नै जीवि‍त रहत तँ परि‍वार केना बनल रहत? मुदा मनुष्‍यो  तँ अजीव होइत अछि। कि‍यो अपन घरमे लागल आगि‍ मि‍झबै पाछू अपनो जरि‍-पकि‍ जाइत तँ कि‍यो हँसि‍-हँसि‍ घरमे आगि‍ लगबैत अछि। मुदा अपना ऐठाम तँ से नै अछि। अनजानमे भलहि‍ं जे भऽ गेल हुअए मुदा जानि‍ कऽ तँ कि‍छु नै भेल। पलहनि‍क वि‍चार तँ अधला नहि‍ये छन्‍हि‍। ओहो बेचारी दुनू बच्‍चाक मुँहे देखि‍ बजलीह। अपन जानि‍ बजलीह। हुनको मनमे कहाँ छलनि‍ जे दोसर स्‍त्री कुल्‍टे  हेतनि‍। सुपात्रो भऽ सकैए। खाएर जे हौ, मुदा परि‍वारमे जरूरति‍ तँ जरूर अछि। भलहि‍ं अखन माए सम्‍हारि‍ रहली अछि मुदा परोछ भेलापर (मुइलापर) तँ जरूरति‍ हेबे करत। फेर मनमे उठलनि‍ जँ कहीं माइयक सोझेमे बेटी भानस-भास करै जोकर भऽ जाएत तखन......। बि‍आह भेलापर ओहो सासुर जाएत। ताधरि‍ पुतोहुओ तँ हएत।
साल लगि‍ गेल। ऐबेर अदरा पावनि‍ रीब-रीबेमे रहि‍ गेल। माघमे तेहेन मारूख हवा चलल रहै जे एकोटा आमक गाछ मोजरबे ने कएल। धि‍या-पताक कोन गप जे सि‍यानो सभ आमक मास बुझबे ने केलक। जहि‍ना बि‍ना बरक बरि‍याती नै होइत तहि‍ना बि‍ना आमक आद्रा पावनि‍ये की? पुरुखे रहने ने मौगी गि‍रथानि‍ बनैत, बि‍ना पुरुखे तँ राँड़-मसोमात कहबैत। अंति‍म जेठमे मौनसुनी तँ नै बि‍हड़ि‍या बरखा भेल। बरखा भेने धरतीक रंगे बदलि‍ गेल। आन साल जकाँ ने बेसी गरमी पड़ल आ ने बाध-वोक रूप बि‍गड़ल। हरि‍अर घाससँ बाध सुग्‍गा पाँखि‍क साड़ी पहि‍रल जकाँ सुन्‍दर लगैत। अगता हाल भेने पूबरि‍या घरक पछुआरक दाबापरक गेनहारी सागक गाछ सुनयनाक जनमि‍ गेलनि‍। बीसे दि‍नमे आंगुर भरि‍-भरि‍क भऽ गेल। कनौजरि‍ छोड़े जोग भऽ गेल। काल्हि‍ये बीरार देखि‍ सुनयना वि‍चारि‍ लेलनि‍ जे काल्हि‍ एकरा (सागकेँ) रोपि‍ लेब। अखन रोपलासँ पाँच दि‍न पछुएबे ने करत मुदा कनौजरि‍ तँ ठीक रहत। तहूमे पछबा थोड़े बहैत अछि जे रोपलापर एकोटा लटुआएत। दुनू साँझ पानि‍ देबै लगले लगि‍ जाएत। कनी-मनी रौदमे अलि‍साएत तँ सेहो राति‍क ठंढमे उठि‍ कऽ ठाढ़ भऽ जाएत। जँ अखन नै रोपि‍ लेब तँ भदबारि‍मे तीमनक दि‍क्कत हएत। फेर मनमे उठलनि‍ भदबारि‍क साग! तत्-मत् करि‍ते रहथि‍ आकि‍ मनमे उठलनि‍ पोरो-पटुआ साग ने भदबारि‍मे कफाह होइ छै सभ साग थोड़े होइ छै। जहि‍ना जाड़मे सेरसो-तोड़ी झँसगर होइए, चैत-बैसाखमे पोरो-पटुआ तहि‍ना ने भदबारि‍मे गेनहारी-ठढ़ि‍या होइए। मनमे खुशी भेलनि‍। मनमे चमकलनि‍ गेनहारीक रूप। हरि‍अर साड़ीसँ सज्‍जि‍त पात, तहि‍क बीच लाल डाॅटक पाढ़ि‍, धरतीपर ओलरि‍ मस्‍तीक आँखि‍सँ दुनि‍याँ दि‍स देखैत। अपन जि‍नगी दोसराक सेवा लेल अरोपि‍ बेर-बेर मुड़ी कटला बादो पुन: मुड़ी पैदा कऽ सेवा लेल इशारा करैत।

जहि‍ना मुरगी चूजाक संग खोपसँ नि‍कलि‍ ओचाओन बाड़ी-झाड़ीमे चराओर करैत, बोलि‍यो सीखैत आ दुनि‍याेँँ देखए जाइत तहि‍ना दुनू बच्‍चा धीरज-घुरनीक संग सुनयना लोटामे पानि‍ नेने पछुआर दि‍स वि‍दा भेली। दावा लग पहुँचि‍ ठाढ़ भऽ गेनहारीक बीरार देखि‍ते मन पड़लनि‍ भीतमे साटि‍ कऽ राखल गुरमीक बीआ। आँखि‍ उठा कऽ देखलनि‍ तँ चक-चक करैत बीआ। बीआ देखि‍ मन पड़लनि‍ जे गुरमि‍यो रोपैक समए आबि‍ गेल। मारे बीआ अछि, एते थोड़े अपने रोपब। अनको देबै। गुरमी मनमे रहबे करनि‍ आकि‍ दुनू बच्‍चा दि‍स तकलनि‍। गुरमीक कोमलता मनमे अबि‍ते मुँहसँ अनायास नि‍कललनि‍- बौआ, आइ साग रोपि‍ दै छी काल्हि‍ गुरमि‍यो रोपि‍ देब।
दादीक बात सुि‍न धीरज बाजल- कोन गुलमी?
भीतमे साटल गुरमीक बीआ आंगुरसँ देखबैत सुनयना बजलीह- ओ बीआ गुरमीक छी। जहि‍ना अहाँ दुनू भाए-बहि‍न‍ बच्‍चा छी तहि‍ना तहि‍ना ओहो बीआ छी। ओकरा खुरपीसँ माटि‍केँ खुनि‍ रोपि‍ देबै। पाँच-छह दि‍नमे गाछ जनमि‍ जाएत। जहि‍ना अहाँ दुनू गोरे हमरा एतेटा हएब तहि‍ना ओहो बढ़ि‍ कऽ फड़ए लगत।‍
दादीक बात सुि‍न घुरनी ठुनकैत बाजलि‍- गुरमी लेब। गुरमी लेब।‍
घुरनीक ठुनकबपर धि‍यान नै दऽ सुनयना लोटाक पानि‍ सागक गाछपर छीटि‍लनि‍। पानि‍ छीटैत देखि‍ घुरनि‍यो चुप भऽ गेल‍। लोटा रखि‍ गाछ नि‍हारि‍ कऽ देखलनि‍ तँ ि‍‍ पड़लनि‍ जे एक दि‍ससँ उखाड़ैबला सभ गाछ नै एेछ। से नै तँ छोटकाकेँ बराए बड़का उखारब। चारि‍ दि‍नक बाद छोटको रोपाउ भऽ जाएत। फेर मन पड़लनि‍ जे एक डेढ़ धुर करीबमे रोपब। चारि‍-पाँच डेग पूबे-पछि‍मे आ चारि‍-पाँच डेग उत्तरे-दछि‍ने। एक-एक बीतपर रोपब। मने-मन हि‍साब जोड़ि‍ बीआपर नजरि‍ दैते ि‍‍ पड़लनि‍ जे चारि‍ओ हि‍ससँ कम्मे लागत। खाएर, भगवान सभ चीज एहि‍ना देथुन जे अपनो खाए आ दोसरोेकेँ दै।
नि‍हुरि‍ कऽ सागक गाछ उखाड़ए लगली। तइ बीच दुनू भाए-बहि‍न (धीरज-घुरनी) एक्के गाछपर हाथ दऽ उखाड़ए चाहलक। एक-दोसराक हाथ-हटबैक कोशि‍श दुनू करए चाहलक। हाथ पकड़ि‍ दुनू कटाओज करए लगल। दुनूक कटाओज नै छोड़ा सुनयना हाँइ-हाँइ छेँटगरहा गाछ उखाड़ि‍ कहलखि‍न- ‍चलै चलू। भऽ गेल।
आगू-आगू दुनू बच्‍चा आ पाछू-पाछू सुनयना अांगन एली। आंगन आबि‍ बाटीक पानि‍मे गाछक जड़ि‍ धोय आइ बाटि‍येमे रखि‍ देलखि‍न। रोपाउ जगहपर जनमल घासकेँ उखाड़ि‍ कातमे फेक ओसारक चारसँ खुरपी उताड़ि‍ बीत-बीत भरि‍पर छअ मारि‍-मारि‍ दड़ी बनबए लगली। गोर दसेक दड़ी बनैबते दुनू भाए-बहि‍न हाथसँ खुरपी छीनए लगलनि। काजकेँ बाधि‍क होइत देखि‍ सुनयना दुनू बच्‍चाक हाथ छोड़ा, बीच आंगनमे खुरपी फेक देलनि‍। शंका रहनि‍ जे खुरपी ने लागि‍ जाइ। दुनू बच्‍चा खुरपी आनए दौगल तइ बीच ओ बाटीसँ गाछ नि‍कालि‍ हाँइ-हाँइ रोपए लगली। दुनू बच्‍चा खुरपी पकड़ि‍ फेर छीना-छीनी करए लगल। हाथमे खुरपी लगैक डर फेर भेलनि‍। दसो दड़ी रोपि‍ बाल्‍टी लऽ पानि‍ आनए कल दि‍स वि‍दा भेली। दुनू बच्‍चा खुरपी छोड़ि‍ पाछू-पाछू दौगलनि‍। पानि‍ आनि‍ लोटासँ रोपलाहा गाछमे पानि‍ दि‍अए लगली। फेर दुनू लोटा छीनए लगलनि‍। हाँइ-हाँइ पटा लोटा दऽ देलखनि‍। फेर दुनू लोटा छीना-छीनी करए लगल। तइ बीच खुरपी आनि‍ फेर दड़ी खुनए लगली। दुनू बच्‍चा बौआऽ गेल। खुरपी लऽ दड़ी खुनब कि‍ रोपब ‍आकि‍ पटाएब।‍

अढ़ाइ बर्ख बीत गेल। दुनू भाए-बहि‍न दादि‍यो आ पि‍तोसँ बाजब सीख लेलक। दुनूक बोलो फरि‍छा गेल। सुपुट बोल नि‍कलए लगल। पि‍यास लगलापर पानि‍ आ भूख लगलापर भात-रोटी बजए लगल। बजरूआ बच्‍चा जकाँ मोबाइलसँ गप, छुड़ी, पि‍स्‍तौलक खेलौना, आ छुड़छुड़ी फटाका फोड़ब नै बुझैत मुदा तैयो गमैआ बच्‍चाक जि‍नगी जरूर जीबऽ लगल। गाम-घरमे जे गति‍ वि‍धवाक, नि‍स्‍सहायक होइत से गति‍ मइटुग्‍गर धीरज आ घुरनीक परि‍वारमे नै छलैक। गाम-घरमे गरीब मइटुग्‍गर, बपटुग्‍गरक प्रति‍ सि‍यानोक नजरि‍ वि‍षैला होइत। वि‍धवाकेँ डाइनक संग अशुभ बुझल जाइत तहि‍ना दुखताहसँ घृणा आ मइटुग्‍गर-बपटुग्‍गरसँ सेहो कएल जाइत अछि।
पानि‍क बाल्‍टीन नेनहि‍ सुनयना कलपर पि‍छड़ि‍ खसि‍ पड़लीह। ओना देहमे चोट लगलनि‍ मुदा माथ उठले रहि‍ गेलनि‍। ईंटा चोटसँ दहि‍ना गट्टा टूटि‍ गेलनि‍। तत्‍काल चोट तँ तेहेन नै ि‍‍ पड़लनि‍ मुदा गट्टा फुलब शुरू भऽ गेलनि‍। तपेसर बाँसक पात आनए गेल रहए। ओसारपर ओछाइन खसा एक्के हाथे सुनयना ओछा पड़ि‍ रहली। ओछाइनेपर दुनू बच्‍चा बगलमे बैसल। पात लऽ कऽ अबि‍ते माएकेँ सुतल देखि‍ तपेसर पुछल- माए, सुतल कि‍अए....?
नोर पोछि‍ सुनयना उत्तर देलनि‍- बौआ, कलपर खसि‍ पड़लौं।‍
खसैक नाओं सुनि‍ तपेसर चमकि‍ कऽ बाजल- चोटो-तोटो लगलौं?
ईंटापर कनी चोट लगि‍ गेल।‍
लग आबि‍ तपेसर गट्टाकेँ फुलल देखि‍ गुम भऽ गेल। फुलबक हि‍साबसँ भरि‍सक टूटि‍ गेलइ। मन चनकि‍ करेज दरकि‍ गेलनि‍। मनकेँ थीर करैत बाजल- डॉक्‍टरकेँ बजौने अबै छि‍यनि‍। दवाइ देथुन नीक भऽ जेमे।‍ कहि‍ कलपर पहुँचि‍ हाथ-पएर धोय, अंगा पहि‍र‍ तपेसर वि‍दा भेल। आंगनसँ नि‍कलि‍ते मनमे उठलनि‍ जहाँ धरि‍ पार लागत तहाँ धरि‍ तँ करबे करबनि‍। जखन जि‍नगि‍येक कोनो ठेकान नै अछि, कखन कि‍ भऽ जाएत तेकर कोन ठीक। अपने बाँसपर चढ़ै छी जँ ओतैसँ खसि‍ पड़ी तखन कि‍ हएत? चि‍न्‍ता बढ़ए लगलनि‍।
डॉक्‍टर संग आबि‍ तपेसर माएकेँ कहलनि‍- ‍माए, जना जे भेल से सभटा बात डाॅक्‍टर सहाएबकेँ कहुन।
सुनयनाक बात सुनि‍ डॉक्‍टर पलस्‍तर कऽ देलखि‍न। फीस लऽ चलि‍ गेलाह।
गाएकेँ पानि‍ पीआ तपेसर बाँसक पात टोनि‍अबए लगल। मनमे उठलनि‍ काजक बोझ। एक तँ ओहि‍ना दि‍न-राति‍मे एक्को छन नि‍चेन नै होइ छी तइपर माइक गट्टा ुटब तँ आरो काज बढ़ा देलक। छोड़ैबला कोन अछि। गाएकेँ खुएनाइ-पीएनाइ, घर-हर केनाइ छोड़ि‍ देब से नै बनत। एक तँ लछमी दुआरपर कल्‍पती दोसर बच्‍चाक माए तँ वएह छी। अखन की भेल दू-अढ़ाइ बर्खक अछि, जँ ओकरा कनि‍यो कऽ दूध नै हेतै तँ सक्कतक छाती कन्ना बनतै। अपने नै हएत तँ नै हएत। माइयो तँ तहि‍ना भऽ गेलि‍। एक तँ बुढ़ारी तइपर जँ पाबोभरि‍ दूध नै हेतै तँ बुढ़ारीक हाड़ कन्ना जुटतै। एते दि‍न दुनू बच्‍चेक ताक-हेर करए पड़ैत छल आब माइयोक तँ करए पड़त। उपजा-बाड़ी तँ तेहेन होइए जे पार लागब मोसकि‍ल भऽ गेल अछि। रौदी भेने ऐबेर आरो संकट बढ़ि‍ गेल। पछि‍ले माससँ बेसाह लगि‍ गेल। पाइ-कौड़ीक कोनो दोसर उपाए नै। हे भगवान कोन जन्‍ममे चूक भेल जे चर्मरोग जकाँ सौंसे देह एकबट्ट भेल अछि। मुदा कि‍ चि‍न्‍ता केने दुख भागि‍ जाएत? पत्ता टोनि‍ कुट्टी काटए लगल। मन पड़लनि‍ बाँसक पातक कुट्टी। एक तँ लगहरि‍ गाएकेँ बाँसक पात खुअबै छी। मुदा उपाये की? जँ दू मुट्ठी हरि‍अरी नै हेतै तँ नारक कुट्टी कन्ना खाएत। अपने घास आनए जाएब से ओते पलखैत रहैए। गाइक नादि‍मे कुट्टी लगा माए लग आबि‍ बाजल- माए, चि‍न्‍ता-फि‍कि‍र नै कर। दि‍नक दोख छलै, भेलै। तोरा कोन चीजक कमी छौ। हमरा सन बेटा, दूटा पोता-पोती लगेमे छौ तखन तोरा कथीक दुख।‍
भरभराएल स्‍वरमे सुनयना बाजलि‍- बौआ, आँखि‍क सोझमे तोहर दुख देखि‍ छाती छटपटाइए। जेहो कोनो काजमे संग-साथ दै छेलि‍यह सेहो आब हएत।‍
माइक बात सुनि‍ तपेसर अवाक भऽ गेल। बोल बन्न भऽ गेलै। मनमे उठलै रतुका सि‍दहा। बेर टगि‍ गेल। केना राति‍ चुल्हि‍ चढ़त। बि‍नु खेने ककरो नीन हेतै। जे कनी-मनी हाथमे छलाए सेहो दवाइये-दारूे चलि‍ गेल। एना भऽ कऽ कहि‍यो हाथ खाली नै भेल छलाए। ने तँ पचासे रूपैरूा दुआरे डाॅक्‍टर सहाएबकेँ एना कहि‍ति‍अनि‍। तरे-तर छाती डोलए लगलनि‍। आगू नाथ ने पाछू पगहा। माएकेँ कहलनि‍- माए, खेत बेचने बि‍ना एक्को दि‍न पार लागब कठि‍न भऽ गेल। से....।‍
बेटाक बात सुनि‍ सुनयना चुपे रहलीह। मनमे उठए लगलनि‍ घर-परि‍वार तँ ओकरे छि‍ऐ। केना हँ आकि‍ नै कहबै। हमरा बुते कि‍ हेतै। धारक बेग जहि‍ना भौर लैत तहि‍ना सुनयनाक मन भौर लि‍अए लगलनि‍। एक-एक पाइ कम भेने घर खसैत आ एक-एक पाइ जमा भेने उठैत अछि। एक-एक कट्ठा जँ बि‍काइत गेल तँ नि‍रभूमि‍ होइमे कते दि‍न लागत। एक दि‍स परि‍वारक खर्च दोसर दि‍स समएक मारि‍ तइपर जते सम्‍पति‍ कमत ओते तँ कमे होइत जाएत। माएकेँ चुप देखि‍ तपेसर बाजल- जाइ छी, चौरी खेत बेचैक गप-सप्‍प करए।‍
खेत बेचैक बात करए तपेसर वि‍दा भेल। आंगनसँ नि‍कलि‍ते मनमे उठलनि‍ सुपतोसँ कम दाम देत। जहि‍ना गरामे उत्तरीबलाकेँ कौआसँ खैर लुटाओल जाइत तहि‍ना ने हएत। मुदा लगले मन सकताएल बाजल- तोहर कोन दोख। मन-पेट काटि‍ लोक घर बनबैए आ बि‍हाड़ि‍मे उड़ि‍ जाइ छै तइमे बनौनि‍हारक कोन दोख।‍
सबुर भेलै डेग आगू बढ़ौलक। दुनि‍याँ बड़ीटा छै। जँ भगवान हाथ-पएर दुरूस रखने रहताह तँ कहुना नै कहुना ि‍जनगी गुदस कैये लेब। मुदा आइक जे परि‍स्‍थि‍ति‍ अछि ओकरा छोड़ि‍यो कऽ भागब? भागब तँ कायरता हएत। कोन मुँह लोककेँ देखाएब। हमरा सन-सन ढेरो लोक अछि। लगले मन उनटि‍ गेलै। जहि‍ना गाममे कतेको वृत्ति‍क लोक होइत अछि तहि‍ना गामोक अनेक रूप होइत। एक्के गाम ककरो लेखे वि‍द्वानक होइत तँ ककरो लेखे मुरुखक। ककरो लेखे शराबी-जुआरीक होइत तँ ककरो लेखे बेइमान-शैतानक। तँए की‍ आमक गाछमे तेतरि‍ फड़ि‍ जाएत आ तेतरीक गाछमे आम। सभकेँ अपन-अपन गुण-स्‍वभाव आ चलैक रास्‍ता होइ छै। कि‍यो फटेहाल जि‍नगी पाबि‍ जीबैत अछि आ कि‍यो सुभि‍तगरसँ जीबैत अछि। एकर माने ई नै जे फटेहाल जि‍नगी जीनि‍हार पति‍ते भऽ जाए। हँ, होइतो अछि। मुदा जेकर जेह वि‍चार तड़गर रहैत अछि ओ अोहन जि‍नगी बना जीबैमे आनन्‍द प्राप्‍त करैत अछि। आनन्‍दे प्राप्‍त करब तँ उद्देश्‍य होइत अछि। कि‍यो तत्‍व-चि‍न्‍तनमे समए लगबैत तँ कि‍यो दि‍न-राति‍ लुचपन्नी केने घुरैत। एहनो-एहनो तत्‍व चि‍न्‍तक ऐ धरतीपर भेल छथि‍ जे दोहरा-तेहरा कऽ जि‍नगी मांगि‍ तत्‍व-चि‍न्‍तन करैत रहलाह। ऐ असीमि‍त भूमाकेँ, कठि‍न मेहनतेसँ जानल आ ताकल जा सकैत अछि। टोलक अंति‍म छोड़पर पहुँचि‍ते तपेसरकेँ कलकत्तासँ आएल खुशीलाल पुछलकनि‍- भाय कत्तऽ जाइ छी?
खुशीलालक बात सुि‍न तपेसर ठमकि‍ गेला। जहि‍ना खुशी मनमे मधुआएल बोल पनपैत तहि‍ना दुखी मनमे सि‍नेहक बोल कनीकाल चि‍कुरि‍आएल ठोर, थरथराइत पि‍पनी रूपमे ठाढ़ भऽ मि‍रमि‍राइत तपेसर कहलक- बौआ, वि‍पत्ति‍मे पड़ल छी। माएक हाड़ टूटि‍ गेलनि‍। पलस्‍तर तँ करा देलयनि‍। मास दि‍नक पछाति‍ पलस्‍तर कटतनि‍। तइ बीच पथ-पानि‍क संग-संग दवाइ दारू सेहो चलतनि‍। कते कहबह?
भैया, हमहूँ अही समाजक बेटा छी। जते शक्ति‍ अछि ओते मदति‍ करब। साल भरि‍पर चारि‍-पाँच हजार रूपैया लऽ कऽ कलकत्तासँ आएल छी। अखन जत्ते पाइक काज अछि लि‍अ छह मासमे बि‍ना सूदि‍क घुमा देब। अखन अहूँक काज चलि‍ जाएत आ कन्‍ी दि‍के कि‍ सि‍के अपनो चला लेब।‍
बि‍नु सूदि‍क रूपैया सनि‍ तपेसरक मनमे खुशी आएल। मुदा लगले मनमे भेलनि‍ जे बेथा सुनि‍ ओ औगुता कऽ बाजल। जहि‍ना ओ बाजल तहि‍ना की हमहूँ करब। जहि‍ना देहमे रोग सन्‍हि‍आइते रसे-रसे पसरए लगैत तहि‍ना तँ अखन अपनो अछि। छह मासक समए दैए मुदा अोरि‍यान हएत। दि‍न-दि‍न खरचो बढ़बे करत जखनकि‍ आमदनीक कोनो जोगार नै देखै छी। तखन केना लेब? बाजल- बौआ, दू कट्ठा खेते लऽ लाए।‍
खेतक नाओं सुनि‍ खुशीलाल सहमि‍ गेल। एक तँ बेचारे वि‍पत्ति‍क मारल छथि‍। तइपर सँ खेत लेब। करेज थीर रहतनि‍। जखन करेजे थीर नै रहतनि‍ तखन तँ आरो सोग बढ़तनि‍ की‍ नै। बाजल- भ.... इ..... अ.....।‍
बजैत-बजैत आँखि‍मे नोर आबि‍ गेलै। पुन: बाजल- छह मासक बदला दू-चारि‍ मास पछाइते देब।‍
बि‍नु सूदि‍क रूपैया तपेसरक मनकेँ तड़का देलकनि‍। मनमे चमकलनि‍ सूदि‍ प्रथा। जइपर दुनि‍याँक बैंक ठाढ़ भऽ नंगटे नचैत धनीकक शासनक (सत्ताक) फुलवाड़ीक शोभा बढ़ौने अछि। जइसँ देशक उन्नति‍ (मनुखक कल्‍याण) मुँहक बोल मात्र रहि‍ गेल अछि। तइठाम समाजमे......। जइ समाजकेँ सूदि‍ दू भागमे बाँटि‍ देने अछि- सूदि‍खौक आ सूदि‍दार। बैंकक सूदि‍ कम होइ छै मुदा छबे मासमे मूल धन बनि‍ सूदि‍ पैदा करए लगैत छै। बि‍आजक बंश दुनि‍याँमे पसरि‍ गेल अछि। जखनकि‍ समाजक सूदि‍ एकहरफी चलै छै। भलहि‍ं महाजनक बही गीता-रामायणि‍क थाकमे रहि‍ पारस मणि‍ जकाँ बोहि‍‍यो गीता-रामायण बनि‍ जाए। देल-लेलक सीमा-सरहद तोड़ि‍ गीता-रामायणपर हाथ रखैत खौदुकाक घराड़ीक रजि‍ष्‍ट्रीक समए बना लैत। लगले मन घुरि‍ अपन समस्‍यापर एलनि‍। छोट भाए जकाँ खुशीलालकेँ कहलकनि‍- बौआ, लोकक लागि‍मे लोक अही दुआरे बसैत अछि जे सुख-दुख संग मि‍लि‍ जीबी। टुटल सीढ़ी जकाँ अखन परि‍वारक स्‍थि‍ति‍ बनि‍ गेल अछि। कोहुना कऽ एकटा पएर रौपे छी तँ दोसर टूटि‍ जाइए। एक्को डेग ससरब कठि‍न भऽ गेल अछि। जना ि‍‍ पड़ैए जे पानि‍-बि‍हाड़ि‍, पाथर, ठनका सभ संगे आबि‍ गेल अछि। जि‍नगीक कोनो ठेकान नै देखि‍ रहल छी। जहि‍ना पानमे नाव खेबनि‍हारक लग्‍गी थाह नै लैत तहि‍ना भऽ गेल अछि।
खुशीलाल- भैया, लोकेक काज लोककेँ होइ छै।‍
तपेसर- बेस कहलह। मुदा लोकोक बीच खाढ़ी बनल अछि। तोरासँ सात कछे बेसी सम्‍पति‍ अछि। जखन दुखेक जि‍नगी भगवान देलनि‍ तखन ओइसँ कते पड़ाएब। जीता-जि‍नगी आँखि‍ केना मूनि‍ लेब। मुदा तोड़ा पाबि‍ छाती सूप सन भऽ गेल। जहि‍ना पानि‍मे डुमैत चुट्टीकेँ खढ़क आशा होइत तहि‍ना भेल। एकटा संगी भेटल। मुदा दुखो असान नै अछि। समैया नै बरहमसि‍या अछि। तोरो कहबह जे जखन एते मि‍हनत‍ कऽ कमाइ छह तँ पाइकेँ राइ-छि‍त्ती नै करि‍हह। अखन जे खेत बेचै छी लऽ लाए। फेर जँ बेचब तँ तोरे देबह। मरि‍यो जाएब तैयो तोहर बेटा-पाेता बाजत जे फॅल्‍लाबला खेत छी। बेचारा माइयक सेवामे बेचलक।
तपेसरक बात सुनि‍ खुशीलालक हृदए पसीज गेल। चुप-चाप घरसँ एटैची नि‍कालि‍ अनलक। चाभीसँ खोलि‍ पाँचो हजार रूपैया ि‍नकालि‍ तपेसरक आगूमे रखि‍ बाजल- भैया, अखन धरि‍ ने ककरो कोनो चीज ठकलि‍ऐ आ ने चोरा कऽ एकोटा खढ़ उठौलि‍ऐ। दुनू हाथ भगवानसँ कहै छि‍यनि‍ जे जहि‍ना अखन धरि‍ नि‍माहलौं तहि‍ना आगूओ पार लगाएब।‍
गंगाजल जकाँ खुशीलालक वि‍चार सुनि‍ तपेसरक मनक बखारीक मुँह खुजि‍ गेलनि‍। बाजला- बौआ, सभ बुझैत छथि‍ जे जमीन जाल सदृश होइत। जाल बनाओले जाइत अछि फँसबैले। तोहर हृदए सौदा कागज जकाँ छह। ऐपर प्रेमोकथा लि‍खल जा सकैत अछि आ आपराधि‍क सेहो। मुदा हम नै चाहब जे तोरा मनमे कनि‍यो गंदा आबह। देखहक जमीनेक चलैत झूठ-फूसि‍सँ लऽ कऽ बेइमानी-शैतानी, मारि‍-पीट, केश-मोकदमा सभ होइत अछि। कि‍यो जबुरि‍या लि‍खा बेइमानी करैत अछि तँ कि‍यो महदा लि‍खा। कि‍यो दोसरसँ नि‍शान लऽ दोसराक हड़पैत अछि तँ कि‍यो बलजोरी अाड़ि‍ तोड़ि‍ अपनामे मि‍ला लैत अछि। कते कहबह?
तपेसरक मुँहसँ नव बात सुनि‍, जहि‍ना तैयार खेतमे बाओग कएल फसल अकुि‍र धरतीसँ ऊपर अबैत तहि‍ना खुशीलालक मनमे जि‍नगीक नव-नव अंकुर जनमऽ लगल। नव अंकुर देखि‍ जहि‍ना धरतीकेँ अपन नि‍रोग कोखि‍क एहसास होइत तहि‍ना खुशीलालक हृदैमे भेल। वि‍ह्वल होइत बाजल- भैया, दुनि‍याँ कि‍छु हौ आगि‍ लगौ, पाथर खसौ मुदा मनुख अपने जि‍नगीक जबाबदेह होइत। एक्के गाछक एक डारि‍मे बाॅझी लगलासँ बॅझि‍या जाइत तँ दोसर चुट्टि‍आ जाइत। मुदा एकर माने ई नै ने जे ओकरामे फड़ैक शक्‍ति‍ नै छै। फड़बो करैत अछि। कि‍यो कि‍छु करैए करह, जहि‍ना अखन धरि‍, ओना जि‍नगीमे कोनो लेन-देन नै भेल छल, भाए-भैयारी जकाँ रहलौं तहि‍ना जीता जि‍नगी रहब। अहाँ जेठ भाय तुल्‍य छी जे कहब करैले तैयार छी।‍
खुशीलालक बात सुि‍न तपेसरोक हृदए परसाएल आम जकाँ पल-पल करए लगलनि‍। बजला- बौआ, अपना गाममे चारि‍ मेलक जमीन अछि। बाड़ी-घराड़ी, भीठ, मध्‍यम, धनहर आ चौर। एक गामक रहि‍तो चारि‍ तरहक दाम छै। कारणो छैक अपजा आ उपयोगक। घराड़ीक जमीन ऊँचगर होइए जइसँ घर बनबैक काजमे अबैत अछि। भीठ सीमापर अछि। घरो बनाओल जा सकैत मुदा घर नै बनेन उपजो-बाड़ी होइत आ बागो-बगीचा लगाओल जाइत। मध्‍यम धनहरमे ि‍सर्फ अन्ने उपजैत। जखनकि‍ नीच जमीन भेने चौरीक महत सभसँ कम होइ छै। कारण छैक जे बेसी बरखा भेने वा बाढ़ि‍ एने दहा-भसि‍या जाइत। ने पानि‍क उपज होइत आ ने उपराड़ि‍क। जँ ओकरा मुँह-कान बना पानि‍क बस्‍तु उपजाओल जाए तँ ओहो ओहने मूल्‍यवान हएत जेह दोसर होइत। ओना ओहो धरति‍ये छी बनौलापर सभ तरहक बनि‍ सकैए। मुदा कते कहबह? बड़ीखान घरसँ नि‍कललौं, अखन जाइ छी।‍
तपेसरक दुनू बाँहि‍ पकड़ि‍ खुशीलाल बैसबैत कहलक- भैया, अहाँ पाबि‍ बहुत पेलौं। आइ ि‍‍ पड़ैए जे हमहूँ समाजक लोक छी। सोझे गामक सीमानमे धर बान्हि‍ रहने तँ नै होइत होइत तँ तखन जखन सबहक सुख-दुख मि‍लि‍ जाए। जइसँ सभ एकबट्ट भऽ जि‍नगी बि‍ताओत। खाली हाथे केना जाएब?‍ जँए एत्ते समए बीतल तँए कनी आरो बीतह। अहूँक एकटा काज भेल रहत।
तपेसर- बौआ, खेत कोनो अन्न-पानि‍ छी जे नाि‍प-खोखि‍ मूल्‍य बनत। एकर मूल्‍य आड़ि-पाटि‍क चुगलसँ होइत। सभ तरहक जमीनक लेन-देन समाजमे चलि‍ते रहैत अछि। अपना गामक चौरी खेत डेढ़ हजार रूपैये कट्टा बि‍‍काइत अछि दू कट्ठा खेत देबह तीन हजार रूपैया दाए।‍
तीनू हजार रूपैया गनि‍ खुशीलाल तपेसरकेँ देलक। रूपैया नेने वि‍दा भेलाह। बाटमे हि‍साब बैसबए लगलथि‍ जे सभसँ बेसी जरूरी बुतातक अछि। मास भरि‍क बुतात कीन लेब। बाॅकी जे बचत हाथ-मुट्ठीमे राखब। जखन घरमे आगि‍ लगले अछि तखन कोन लुत्ती कि‍महर उठत तेकर कोनो ठीक छै।
मास दि‍न बीतलापर सुनयनाक हाथक पलस्‍तर काटि‍ डॉक्‍टर कहलखि‍न- भारी काज नै करब। ओना बुढ़क हड्डी छी तँए बच्‍चा जकाँ नहि‍ये जुटत मुदा तैयो बचा कऽ रहब तँ नीके रहत।‍
डॉक्‍टरक बात सुनि‍ सुनयनाकेँ भलनि‍ जे जँ भारी काज नै करब तँ जि‍नगी भारी केना बनत। जि‍नगीमे हल्‍लुक-भारी सभ रंगक काज अबैए। मुदा जीते-जि‍नगी ने दुनि‍याँ देखै छी, आँखि‍ मुनब सभ हरा जाएत। कहुना भेलौं तँ बुढ़े भेलौं मुदा जाबे पोता-पोती अपने जीबै जोकर हएत ताबतो जँ जीब जाएब तैयो नीके हएत।
शरीरसँ शरीरी धरि‍ सुनयनाक सोगसँ सुकुड़ए लगलनि‍। एक दि‍स बेटाक बेथासँ बेथि‍‍त दोसर दि‍स मइटुग्‍गर पोता-पोतीक जि‍नगी देखि‍ झखति‍, तँ तेसर दि‍स जि‍नगी भरि‍ पालल-पोसल (छाउर-गोबर) खेतकेँ बोहाइत देखैत तँ चारि‍म दि‍स अपन देहक दुखसँ दुखी। ओना जीबैक आशा मनमे उत्‍साह जगबनि‍ मुदा जेना डि‍बि‍याक इजोतकेँ घनगर अन्‍हार घेरैत-घेरैत छोट (कम प्रकाशि‍त) बना दैत तहि‍ना सुनयनाकेँ भऽ गेलनि‍। अन्‍हार छोड़ि‍ दुनि‍याँमे कि‍छु देखबे ने करैत छलीह। जना खसैत जि‍नगी उठैत जि‍नगीकेँ दाबि‍ सवारी बना लेलकनि‍। जइसँ ओछाइन धऽ लेली। कतबो हूबा उठैक करथि‍ मुदा उठि‍ कऽ बेसी काल बैसल नै होइन। बि‍‍छानपर पड़ल-पड़ल पहि‍लुक कएल काज भरि‍ दि‍न पढ़ैत रहथि‍। जखन कखनो कि‍म्‍हरोसँ आबि‍ तपेसर नि‍ जे माए, मन केहेन लगैए। तँ जहि‍ना कोनो फल वा तरकारीमे गुण तँ रहैत मुदा कोनो रसक सुआद नै रहैत तहि‍ना सुनयनाक मन बेरस हुअए लगलनि‍। बेरस होइत-होइत मरि‍ गेली।

फगुआक तीन दि‍न उत्तर चैती बरखा भेल। ओना कुमासक बरखा भेल मुदा मौसमक रंग ओरो हरि‍या गेल। कनी-मनी जे तापसँ दुपहरमे पसेनाक आगमन हुअए लगल, एकाएक रूकि‍ गेल। घुरक ओरि‍यान जे बन्न हुअए लगल छल फेर दोबरा गेल। घरक राखल कम्‍मल, सीरक, सलगी, फेर नि‍कलि‍ गेल।
पहि‍ल बरखा भेने सबहक घर चुबल। शीतसँ भीजैत आएल चार रौद पड़ने पएरक बेमाए जकाँ चि‍ड़ी-चाेंंत भऽ फटि‍ गेल। जइसँ बरखामे बखूबी चुबल। चुबैक आरो कारण छलैक। चारमे फड़ल गराड़केँ तकैत-तकैत चि‍ड़ै सभ तना-खोदि‍या देने जना चौरी खेतमे धि‍या-पता अनेरुआ केशौर उखाड़ैमे खुनैत। जइसँ छप्‍पर सभमे खाधि‍ बनि‍ गेल। मुदा पहि‍ल बरखा होइक कारणे ककरो मुँह मलि‍न नै भेल। पहि‍ल बरखामे एहि‍ना होइत आएल अछि, जे सभकेँ बुझल। मुदा जहि‍ना चैत माससँ साल शुरू होइत तहि‍ना बरखाक शुरूआत सेहो चैतेसँ भेल। पहि‍ल पानि‍ भेलापर सबहक मनमे उठल जे जखने अँटि‍येलहा नार-खढ़ सुखत आकि‍ घर छड़ा लेब। से भेल कहाँ? पहि‍ल बरखाक दोसरे दि‍न दोहरा गेल। दोहरेबे नै कएल जे दोहरबि‍ते रहि‍ गेल। गोटे ि‍दन दोहरा कऽ, गोटे दि‍न नागा हुअए लगल। पूस-माघ-फागुनमे जे नार वा खढ़ चैत-बैशाख-जेठमे छाड़ैक उद्देश्‍यसँ अँटि‍आएल गेल ओ जाँकेमे भीज-भीज सड़ए लगल। जहि‍ना एक बेर धारक नासी बाढ़ि‍ सभमे बहैत-बहैत सनमुख धार बनि‍ जाइत तहि‍ना चुबैत-चुबैत सबहक घर चुबाठ घर बनि‍ गेल। चारक खढ़ो आ बत्ति‍यो-कोरो सड़ि‍ खसए लगल। तहि‍ना भीतक माटि‍ धोखड़ि‍-धोखड़ि‍ खसए लगल। थाल-कादोक घर बनि‍ गेल। बरखा हुअए लगै आकि‍ कि‍यो छि‍पली-बाटीसँ घरक पानि‍ उपछैत कि‍यो कोदारि‍सँ काटि‍-काटि‍ भीतक खसल माटि‍ हटबैत। खाएल अन्न पचब कठि‍न भऽ गेल।

अपन घरक दशा आ अपना परि‍वारकेँ अवग्रहमे फॅसल देखि‍ तपेसर भगवानकेँ समरि‍-सुमरि‍ कहनि हे भगवान अपना देश लऽ चलू। कि‍अए नर्कमे घि‍सि‍यौर कटबै छी। मुदा खाली कहनहि‍टा सँ नै होइत लइयो गेि‍नहार ने चाही। अपन आगूक रास्‍ता बन्न देखि‍ तपेसर पाछू घुरि‍ देखैत तँ कनैत मन चि‍कड़ि‍-चकड़ि‍ बजैत जे साल जनमक पाप लोककेँ बि‍साइत छै मुदा पछि‍लो जनमक पाप मन नै पड़ैत अछि। हारि‍-थाकि‍ बेचारा अन्‍हारमे चलैत बटोही जकाँ आँखि‍ मूनि‍ थाहि‍-थाहि‍ आगू डेग बढ़बए लगला। साल बीतल, सबहक जान तँ बचल मुदा रहैकक घर रहैबला नै रहल।
धारक पानि‍ जकाँ समए ससरल। दुनू भाए-बहि‍न धीरज पाँच बर्खक भऽ गेल। घरक छोट-छोट काजो आ खेतसँ बथुआ सागो तोड़ि‍-तोड़ि‍ दुनू भाए-बहि‍न आनए लगल। आमक मासमे चटनीले गाछीसँ आमो ि‍च्‍छ-ि‍च्‍छ आनए लगल। जहि‍ना गहुम-बदामक अकुराकेँ कौआ उखाड़ि‍-उखाड़ि‍ खइत, से डर आब तपेसरकेँ दुनू बच्‍चाक प्रति‍ नै रहलनि‍। गील माटि‍क बनल वर्तन वा मूरती जहि‍ना रौद पाबि‍ सकता जाइत तहि‍ना दुनू भाए-बहि‍नक सकताइत शरीर देखि‍ तपेसरक मनमे खुशी भेलनि‍। नहि‍यो माए छै तैयो दुनू उठि‍ कऽ ठाढ़ भेल। आब तँ ककरो गाइयो-महीस चरा गुजर कऽ सकैए। कहुना जीवि‍ये लेत। दुनि‍याँ देखबे करत। जँ मइटुग्‍गरो कलंक लगल छै तँ की बि‍आह दान नै हेतै। जरूर हेतै। जहि‍ना हमर बेटा-बेटी मइटुग्‍गर अछि तहि‍ना कतेकोकेँ हेतै। अपन कमैत भार देखि‍ तपेसरक मन दुनूक (बेटा-बेटी) जि‍नगीपर पड़लनि‍ स्‍कूल जाइ जोकर भऽ गेल। जुग-जमाना बदलि‍ रहल अछि। तेहेन समए आबि‍ रहल अछि जे बि‍नु पढ़ल-लि‍खल लोककेँ के पुछत? से नै तँ दुनूक नाओं स्‍कूलमे जरूर लि‍खा देब। स्‍कूल मनमे उठि‍ते लत्ता-कपड़ा, सि‍लेट-पेन्‍सि‍लपर पड़लनि‍। खएर जे होउ बरस्‍पति‍ दि‍न जरूर नाओं लि‍खा देब। आंगुरपर दि‍न गनि‍ते तेसरे दि‍न बरस्‍पति‍ भेटलनि‍। परसू तँ नाउए लि‍खाएब तइ बीच लत्तो-कपड़ा आ सि‍लेटो-पेन्‍सि‍ल कीन देबै।

दोसर दि‍न भोरे तपेसर रोटी सन्ना बनौलनि‍। तीनू गोटे खा बजार वि‍दा भेलाह। दुइये कोस बजार उठैत-बैसैत साँझ तक घुरि‍ आएब अपना डेगे नै ओकरे सबहक डेगे चलब। कहुना अछि तँ धि‍या-पताक नवका पएर छि‍ऐ कि‍ने, कुदि‍ते-फनि‍ते चलि‍ जाएत। भूख लगतै तँ मूढ़ी कचड़ी कीन देबै। दू फक्का अपनो खा लेब। एकटा काज तँ भऽ जाएत कि‍ने।
बजार पहुँचि‍ दुनू भाए-बहि‍नकेँ एक-एक जोड़ पेन्‍ट, एक-एक गंजी, एक-एक अंगाक संग एक-एक सि‍लेट कीन डि‍ब्‍बो भरि‍ (एक दर्जन) पेन्‍सि‍ल कीन तीनू गोटे घुमि‍ गेला।

सूर्योदयसँ पहि‍नहि‍ तपेसर उठि‍ जलखैक ओरि‍यान केलनि‍। भि‍नसुरका स्‍कूल। बेरू पहर नाओं लि‍खाएब ओते नीक नै। अखन जे नाओं लि‍खा देबै तँ बेरसँ पढ़ैयोले जाए लगत।
टेल्हूक बेटा-बेटी भेने तपेसरक जान हल्‍लुक भेलनि‍। आंगन बहारब, चुल्हि‍ चि‍नमान नीपब, थारी-लोटा घुरनी घुअए लगल। अंगनाक काज पतराइत देखि‍ तपेसर सोचलनि‍ जे खेती आने करब। मुदा समए बदलने खेतीमे नव-नव ओजार आएल। जइ‍सँ उपजो-बाड़ी बढ़ल आ हल्‍लुको भेल। जइठाम तीन-तन, चरि‍-चरि‍ गार करीन लगा लोक छह कट्ठा आठ कट्ठा खेत भरि‍ दि‍नमे पटबै छल तइठाम दमकल बोरि‍ंगसँ चारि‍ कट्ठा घंटा भरि‍मे पटैत अछि। तहि‍ना ट्रेक्‍टरसँ खेत जोतब, थ्रेशरसँ गहुम-धान दौन करब सेहो असान भऽ जाइत अछि।

एक चौथाइसँ बेसी खेत तपेसरक बीक गेल। मुदा जे बँचल अछि ओकरे जँ आधुनि‍क ढंगसँ खेती करब तँ पहि‍नेसँ कते गुणा बेसी उपजा हएत। जहि‍ना नव-नव औजार बनल तहि‍ना नव-नव कि‍स्‍मक बीआ सेहो बनल। जे धान आधा मनसँ लऽ कऽ कट्ठा मन उपजैत छल से क्‍वीन्‍अल कट्ठा उपजए लगल। जते आगू दि‍स नजरि‍ तपेसर बढ़वैत छला तते आशाक प्रखर ज्‍योति‍ आँखि‍क सोझमे अबए लगलनि‍। मुदा समस्‍यो तँ झमटगर अछि। बाध सभमे छि‍ड़ि‍आएल खेत, नीच-ऊँच साइज माल-जालसँ लऽ कऽ बोनैआ जानवर, चि‍ड़ै-चुनमुनीक संग मूसक उपद्रव, चोरा कऽ जजात कटैसँ लऽ कऽ गाए-महींससँ चोरा कऽ चरबै धरि‍क उपद्रव इत्‍यादि‍। ओझरी देखि‍ तपेसरक मन ठमकि‍ गेलनि‍।
जहि‍ना सघन वोमे लोक हरा जाइत, कि‍म्‍हरो बढ़ैक साहसे ने होइत मुदा बि‍ना नि‍कलने जानो बँचैक संभावना नै रहैत तहि‍ना तपेसरोकेँ भेलनि‍। ओझराएल मन संगी-सहयोगी तकए लगलनि‍। संगी तँ जरूर अछि मुदा संगी दू तरहक भेटैत अछि। पहि‍ल, ओहन संगी जे जीवनक एक रास्‍ता ि‍‍ अपनो कल्‍याण बुझैत आ दोसर, दोसराक कान्‍हपर बन्‍दूक रखि‍ चलबए चाहैत। सोचैत-वि‍चारैत तपेसरक नजरि‍पर तीनटा संगी पड़लनि‍ पहि‍ल समाजक (गौआँक) सहयोग, दोसर बैंक तेसर सरकारी।
समाजमे जाति‍-समप्रदाय एे रूपे पसरि‍ गेल अछि जइमे ककरो कल्‍याण होएब कठि‍न एेछ। सभ अपने ताले बेताल ऐद। ने एक दोसरकेँ सोहाइत आ ने नीक देखए चाहैत। तहि‍ना बैंकोक अछि। उचि‍त सूदि‍पर कर्ज लैमे दौग-बरहा आ खर्च एते पड़ि‍ जाइत अछि जइसँ लोकक मन टूटि‍ जाइत अछि। सरकारी मदति‍ (अनुदान) मात्र दि‍खाबा अछि। जहि‍ना कनैत धि‍या-पताकेँ माए-बाप रासि‍-रासि‍क लोभ देखा चुप करैत तहि‍ना सरकारि‍यो अनुदानक अछि। फेर तपेसर ओझरा गेला। प्रश्न उठलनि‍- की कएल जाए? अपनो तँ पूँजी अछि। पूँजी दू रंगक पहि‍ल- श्रम दोसर धन। नगद नै अछि। मुदा खेत तँ अछि। जहि‍ना खेत बेचि‍ माइयक सेवा आ दुनू बच्‍चाकेँ पाललौं-पोसलौं तहि‍ना आरो बेचि‍ लेब। जँ कि‍छु जमीन कमबो करत तँ ओते उपजो बढ़त गामक स्‍कूलसँ धीरजो आ घुरनि‍यो पास कऽ नि‍कलि‍ गेल। दस बर्खक भेने दुनू घर-अंगनाक काजसँ पि‍तोक काममे हाथ बटबऽ लगल। आगू पढ़ैक आशा ऐ लेल नै रहै जे लोअर प्राइमरी स्‍कूल तँ गाममे रहए मगर मि‍ड्लसँ ऊपरक स्‍कूल दू कोस गामसँ हटल रहए। सभ दि‍न चारि‍ कोस चलि‍ पढ़ब कठि‍न रहै तँए पढ़ाइ छोड़ि‍ देलक। होस्‍टलक खर्च जुटा नै पबैत।
अखन धरि‍ तपेसर गि‍रहस्‍तीक रूपे-रेखा बदलि‍ लेलनि‍। बाधे-बाध छि‍ड़ि‍आएल खेतक घट्टो लगा-लगा एकठाम कऽ लेलनि‍। खेते बेचि‍ कऽ बोरि‍ंग-दमकल बड़द सेहो कीन लेलनि‍। अपना हाथमे पानि‍ एने सालो भरि‍ खेती करए लगला। ओना चारि‍ये मास (बरसात) केँ कि‍सान खेतीक रीढ़ बुझैत। जँ बेसी बरखा भेल, बाढ़ि‍ आएल तँ दहार भेल। नै जँ कम बरखा भेल तँ रौदी भेल।

दस बजेक समए। चारि‍टा मकैक बालि‍ खेतसँ नेने तपेसर डेढ़ि‍यापर सँ बेटीकेँ सोर पाड़ि‍ कहलखि‍न- बुच्‍ची, चारू बालि‍ ओराहि‍ दूटा अहूँ दुनू भाए-बहि‍न लऽ लेब आ दूटा दलानपर नेने आउ।‍
हँसैत घुरनी धीरजकेँ कहलक- भाय, देखि‍यो केहेन मकै अछि।‍ एहने मकैक मि‍ठाइयो बनैए।
मकैक बालि‍ घुरनीकेँ दए तपेसर दरबज्‍जाक ओसारक खूटा लगा ओङठि‍ कऽ बैसि‍ अपन जि‍नगीक संबंधमे सोचए लगला। पेटक उपाए भऽ गेल। मुदा पेटे जकाँ घरो अछि। ओना अखन परि‍वारो नमहर नहि‍ये अछि। मुदा तैयो रहैले तँ घरे चाही। तहूमे ि‍गरहस्‍तक परि‍वार छी। बोरि‍ंग ने खेतमे गारल अछि मुदा दमकल रखैले तँ घरे चाही। जँ से नै करब तँ बरसातमे बीझा जाएत। जइसँ कते पार्ट-पुरजा बि‍गड़ि‍ जाएत। संगे बाहरमे रखने चोरो चोरा लेत। आब कि‍ कोनो पहि‍लुका चोर रहल जे ऊखरि‍-समाठ चोराओत। आब तँ यएह सभ- दमकल, ट्रेक्‍टर, थ्रेशर इत्‍यादि‍- चोराओत। तहि‍ना बड़दोले घर चाही। बेटो-बेटी ढेरबा भेल। काज केनि‍हार घरमे बढ़ने काजो बढ़बए पड़त। खेतसँ जोड़ल जे-जे काज अछि। वएह बढ़ाएब ने नीक हएत। अखन दुइयेटा गाए कीनब। पहि‍लुका तँ बुढ़ भऽ गेल। आब ओ थोड़े पाल खाएत। अन्नेक खेती नै तीमनो-तरकारी आ फलो-फलहरीक खेती करब। कोन चीज सस्‍ता अछि। जि‍ति‍यामे पचास रूपैये मड़ुआ चि‍क्कस आ नरक नि‍वारण चतुर्दशी दि‍न चालीस रूपैये अल्हुआ-सुथनी बि‍कैत अछि। बोरि‍ंग लग सेहो इंजनबला पानि‍ खसैत अछि से जइसँ कट्ठा भरि‍मे कोनो उपजा नै होइए। ओना जँ मोथी रोपि‍ दि‍अए तँ सेहो हएत मुदा आब की लोक मोथीक बि‍छानपर सुतैए। आब तँ पलास्‍टि‍क जि‍नगी ओहन प्रेमी बनि‍ गेल अछि जे दि‍न-राति‍ संगे रहैए। तइसँ नीक जे कट्ठो भरि‍ खुनि‍ माछे पोसब। नै बेचै जोकर हएत, खाइयो जोकर तँ हेबे करत। जखन एते मि‍हनत करै छी तँ नीक खेनाइ आ नीक घर बना नै रहब तँ धने लऽ कऽ की करब। आँखि‍ मुनि‍ तपेसर अपन अगि‍ला जि‍नगीक संग पाछू दि‍स सोचए लगलाह। तखने घुरनी दुनू ओराहल मकैक बालि‍ नेने आबि‍ कहलकनि‍- बाबू, बाबू.....।‍
चौंकेत आँखि‍ खोलि‍ तपेसर बजलाह- हँ।‍
मकैक बालि‍ हाथमे देखि‍ बजला- ‍नोन-तेल औंस देने छहक ि‍कने?”
हँ।‍ तहीकाल उत्तरसँ दछि‍न मुँहेँ जाइत चेतनाथ दरबज्‍जा सेझे आबि‍ ठाढ़ भऽ गेला। हाथमे बालि‍ लऽ नि‍हारि‍-नि‍हारि‍ तपेसर देखते रहथि‍ आकि‍ आँखि‍ बढ़ि‍ चेतानाथपर गेलनि‍। चेतनाथकेँ ठाढ़ देखि‍ कहलखि‍न- कि‍अए ठाढ़ छी। कि‍नकासँ काज अछि?
तपेसरक बात सुनि‍ चेतनाथ बजलाह कि‍छु नै, ससरि दरबज्‍जा दि‍स बढ़लाह। लग अबैत देखि‍ तपेसर दुनू बालि‍ हाथमे नेनहि‍ उठि‍ कऽ ठाढ़ होइत वामा हाथक आंगुरसँ आँखि‍ पोछि‍ देखि‍ते सि‍हरि‍ गेला। माथक सोन-सन केश दाढ़ी मोंछ झबड़ल। देहक हड्डी झक-झक करैत, दाँत वि‍हीन मुँह, मैलसँ कारी खट-खट देहक वस्‍त्र।
अनायास तपेसरक मुँहसँ नि‍कललनि‍- कने एक घोंट पानि‍ पीब‍ लि‍अ?
पानि‍ सुनि‍ चेतनाथक मनमे उठलनि‍। जि‍नगी भरि‍ परमात्‍माक सेवा केलौं, अंति‍म अवस्‍थामे बि‍नु सेवाक फल केना खाएब-पीब? भूखसँ जरैत वायु (पेटक) हुमरि‍-हुमरि‍ शान्‍त करैले कहनि‍। मुदा जि‍नगी भरि‍क तपल मन मानैले तैयार नै होन्हि‍‍। चेतनाथ बजलाह- पि‍रवारमे के सभ छथि?
चेतनाथक प्रश्न सुनि‍ तपेसरक मन ठमकि‍ गेलनि‍। ठमकल देखि‍ चेतनाथ दोहरबैत कहलखि‍न- चुप कि‍अए भेलौं?”
जहि‍ना पतझारक समए गाछमे कोनो-कोनो कलशक मुड़ी जहि‍ना सुख-दुखक बीच अपन अस्‍ति‍त्‍व जीवि‍त रखए चाहैत तहि‍ना तपेसरक मनमे भेलनि‍ मि‍र‍मि‍रा कऽ बजलाह- ‍माइयो-बाप आ पत्नि‍यो मरि‍ गेली। अपने छी आ दूटा बच्‍चा अछि।
घुरनी लगेमे ठाढ़ रहनि‍। धीरज आंगनमे मकै खाइत रहए। चेतनाथ- दुनू बच्‍चाकेँ सोर पाड़ि‍ओ?
घुरनीकेँ देखबैत तपेसर कहलखि‍न- एकटा यएह छी दोसर अांगनमे अछि। कहि‍ धीरजकेँ सोर पाड़लखि‍न।‍ दुनू बच्‍चाकेँ देखि‍ चेतनाथ कहलखि‍न- एक शर्त्तपर पानि‍ पीब सकै छी?
की?
जँ दुनू बच्‍चाकेँ पढ़बैक (संगीत कला) काज दी।
जि‍नगी भरि‍ कमा कऽ खेलौं मरैकाल एहेन अधर्म नै करब। अपन मनक वि‍चार पाबि‍ तपेसर खुशी भेलाह। अह्लादसँ हृदए ओलड़ि‍ गेलनि‍। पेटमे गुद-गुदी लगए लगलनि‍। ठहाका मारि‍ हँसैत कहलखि‍न- अपनेक शर्त्त सहर्ष स्‍वीकार अछि। पहि‍ने पानि‍ पीब लेल जाउ।‍
अपन झड़ैत जि‍नगीमे आशाक कि‍रि‍ण उगैत देखि‍ मुस्‍की दैत चेतनाथ बजलाह- हँ, आब पानि‍ये नै भोजनो करब।‍
दुनू गोटे एक-एक मकैक ओरहा खा पानि‍ पीब, गप-सप्‍प करए लगलाह।
चेतनाथ- आइयेसँ दुनू बच्‍चाकेँ पढ़ाएब शुरू करब।‍
तपेसर- आइ छोड़ि‍ दि‍यौ दसम बर्खक अंति‍म दि‍न आइ छी। काल्हि‍ एगारहम चढ़त। एगारहम जन्‍म दि‍नक अवसरपर दसटा समाजोकेँ भोजन करेबनि‍ आ दुनू बच्‍चाकेँ पढ़ाइयो शुरू करब।‍ तइ बीच अपने अपन जि‍नगीक कि‍छु बात कहि‍औक।
तपेसरक बात सुनि‍ चेतनाथ वि‍स्‍मि‍त भऽ गेला। आइ धरि‍ जे प्रश्न कि‍यो ने ने छलाह ओइ प्रश्नक उत्तर दि‍अए पड़त। एक क्षण चुप भऽ सौंसे जि‍नगी देखि‍ बजए लगलाह- माता-पि‍ता बहुत पहि‍ने मरि‍ गेलाह। पत्नि‍यो मरि‍ गेली सखा-सन्‍तान नै भेल। असकरे छी। पाँच बर्ख पूर्व धरि‍ कहि‍यो असकरुआ नै ि‍‍ पड़ल। मुदा पाँच बर्खक बीत जे गति‍ भेल ओ बजै जोकर नै अछि।‍
तपेसर- से, की?
चेतनाथ- जहि‍यासँ होश भेल तइ दि‍नसँ कहै छी- चारि‍ भाए-बहि‍नक बीच सभसँ छोट छलौं। माएक बड़ दुलारू। आठे-नअो बर्खक रही तहि‍येसँ नाच-तमाशा, कीर्तन भजन दि‍स मन लगए लगल। गाममे नाचो पार्टी रहै आ भजनि‍यो पार्टी। सभ मंगल दि‍नकेँ महावीरजी स्‍थानमे साँझू पहरमे कीर्तन होय। अपना गामक संग-संग आनो गाममे अष्‍टजामो आ नाचो करए पार्टी जाए। भाँज लगा-लगा हमहूँ जाय। ओतैसँ गोटे-गोटे पाँति‍ सीखने आबी। जेकरा भरि‍ दि‍न गाबी। खजुरी बनबैक फुरल। फुटल घैलक कान हाँसूसँ काटि‍ बेलक लस्‍सा लगा कागज साटि‍ खजुरी बनेलाैं।
हँसैत धीरज पुछलकनि‍- कागजक खजुरी फुटबो करए?
धीरजक बात सुनि‍ चेतनाथकेँ क्रोध नै उठलनि‍। वात्‍सल्‍यक बाढ़ि‍मे बहए लगलाह। बजलाह- खूब फुटे। मुदा काजो बड़ भारी नहि‍ये रहए जहि‍ना अनेरुआ बेल भेटए तहि‍ना दोकानक पुड़ि‍याक कागज। लगले फेर बना ली। गबैत-बजबैत साजपर हाथो बैसि‍ गेल आ बोलि‍यो सर्रास भेल। गाममे रामलीला आएल। आंगनमे खाऽ ली आ भरि‍ दि‍न-राति‍ ओकरे सभ लग रही। जखन जाए लगल हमहूँ संग पकड़ि‍ लेलौं। साजो बजाएब सीख लेलौं आ पार्टो खेलए लगलौं। जेहने आवाज सुरि‍ला रहए तेहने हरि‍मुनि‍याँपर हाथ। एक दि‍न ठीका दास देखलनि‍। ओ राजक गबैया छलाह। संगे लऽ गेला। हमहूँ राजक गबैया भऽ गेलौं जखन राजशाही ुटलै तखन उनटि‍ कऽ गाम चलि‍ एलौं। कि‍छु दि‍न गामे-गाम उत्‍सव सभमे जाए लगलौं। ओहो कमि‍ गेल। तइ दि‍नसँ दि‍नो-दि‍न दशा बि‍गड़ि‍‍ते गेल।‍
(())
बेरमा, मधुबनी
बि‍हार

No comments:

Post a Comment