Pages

Friday, April 13, 2012

शंभूदास :: जगदीश प्रसाद मण्‍डल


दीर्घकथा-

जि‍नगीक ओइ सीमापर शंभूदास पहुँचि‍ गेल छथि‍ जतए पछि‍ला जि‍नगीक बहुतो वि‍चार आ काज स्‍वत: छुटि‍ गेलनि‍। कि‍छु नव जे मनमे उपकि‍ रहल छन्‍हि‍ ओ करैले जइ शक्‍ति‍ आ सामर्थक जते जरूरति‍ छन्‍हि‍ ओ तकनौ नै भेट रहल छन्‍हि‍। जना आगि‍क चि‍नगोरा रसे-रसे पझा-पझा या तँ मैल जकाँ पर छाड़ने जा रहल छन्‍हि‍ या झड़ि‍-झड़ि‍ खसि‍ रहल छन्हि‍। डंटीसँ टुटल पोखरि‍क कमल सदृ हवाक सि‍हकी वा पानि‍क कम्‍पन्नसँ दहलि‍ रहल छन्‍हि‍। जे कहि‍यो कामधेनु, फूल-फड़सँ लदल वृक्ष सदृ छलनि‍ वएह आइ ठाँठ वा पत्रहीन ठूठ बझि‍ पड़ि‍ रहल छन्‍हि‍। जे कहि‍यो राजभोगक बीच दिन बि‍तबैत छलाह आइ अन्न-वस्‍त्र  वि‍हीन भीखक घाटपर बैसि‍ अपन जि‍नगीक हि‍साब-वारी जोड़ि‍ रहल छथि‍। मन कहैत छन्‍हि‍ जे सभ दि‍न तँ गुनगुनाइत रहलौं- जे बच्‍चा कनैत ऐ धरतीपर अबैत अछि‍ आ हँसैत जाइक चाहि‍ऐ, मुदा से कहाँ......? जे आत्‍मा बि‍नु वि‍वेकक जि‍नगी टपि‍ वि‍वेकवान लग पहुँचल ओ आगू नै बढ़ि‍ पाछू दि‍स कि‍अए ढड़कि‍ रहल अछि‍। सोन-सन उज्‍जर धप-धप दाढ़ी-मोछक संग माथसँ पएरक अंगुरि‍क धरि‍क केश, आमील सन सुखाएल गालक संग अगि‍ला भाग, सामर्थ हीन हाथ-पएरक मुदा आँखि‍क ज्‍योति‍ भोरक ध्रुवतारा जकाँ ललौन मन उफनि‍ उठलनि‍ जे देवस्‍थान जकाँ ति‍रपेखनि‍ ऐ दुनि‍याँक करब।

जहि‍ना बाध-वोनक ओहन परती जइपर कहि‍यो हर-कोदारि‍ नै चलल सुखि‍-सुखि‍ गाछ-वि‍रि‍छ खसि‍ उसर भऽ जाइत, ओइ परतीपर या तँ चि‍ड़ै-चुनमुनीक माध्‍यमसँ वा हवा-पानि‍क माध्‍यमसँ अनेरआ फूल-फड़क गाछ जनमि‍ रौद-वसात, पानि‍-पाथर, अन्‍हर-वि‍हाड़ि‍ सहि‍ अपन जुआनी पाबि‍ छाती खोलि‍ बाट-बटोहीकेँ अपन मीठ सुआदसँ तृप्‍ति‍ करैत तहि‍ना जमुना नदीक तटपर शंभूदासक जन्‍म बटाइ-कि‍सान परि‍वारमे भेलनि‍। रवि‍ दि‍न रहने समाजक दाय-माय शुभ दि‍न मानि‍ शंभू नाओं रखलकनि‍। परदेशि‍या जकाँ तँ नै जे जन्‍मसँ पहि‍नहि‍ माए-बाप नामकरण कऽ लैत। छठम दि‍नसँ पूर्वक सभ कष्‍ट बि‍सरि‍ शंभूदासक माए सुखनी अपन सुखैक नि‍आसा छोड़ि‍ अपन देवस्‍थानक देवता पूजनमे हराएल। अपन मर्यादा गसि‍ कऽ पकड़ि‍ शंभूक सेवामे जुटि‍ गेलीह। परि‍वारक बोझक तर पि‍ता, तँए बि‍लगा कऽ कि‍छु नै सोचथि‍।
पाँच बरख पूर्व धरि‍ संतोखीदास अपने बोनि‍हार सभ जकाँ दुनू परानी संतोखी आ सुखनी, खेति‍हर बोनि‍हार छलाह। खेति‍यो तँ मौसमेक हाथक खेलौना। बेठेकान। मुदा तैयो तँ सभ बुझैत जे जाड़, गरमी आ बरसात, सालक तीन अवस्‍था छी। भलहि‍ं गोटे साल शीतलहरी पाबि‍ जाड़ अपन बि‍‍काराल रूप देखबैत तँ रौदी पाबि‍ गरमी। बरखा पाबि‍ बसात बाढ़ि‍क संग नंगटे नचैत तँ झाँट पाबि‍ ताण्‍डव करैत।
बजारवादक हवा सि‍हकल। ओना तँ वि‍हाड़ि‍क रूप हवा उठल मुदा पहाड़, वोनक टाट अँटकौलक। गति‍केँ कम केलक मुदा तैयो बहि‍ते रहल। जाड़-रौदीक मारल कि‍सानो अा बोनि‍हारो गाम (खेती-पथारी) छोड़ि‍ बजार दि‍स वि‍दा भेल। जहि‍ना घर बनबैमे पातरसँ मोट खूँटाक जरूरति‍ होइत तहि‍ना करखाना चलबैक लेल मजदूरसँ लऽ कऽ संचालक धरि‍क आवश्यकता भेल। उजड़ल-उपटल गामक रूखि‍मे बदलाव अबए लगल। खेतमे काज केनि‍हार बोनि‍हारकेँ करखन्नाक नव मजदूरी भेटए लगल। जइसँ जि‍नगीमे हरि‍अरी अबए लगलै। मुदा हवाक गति‍ धीरे-धीरे तेज हुअए लगल। सस्‍त मजदूर पाबि‍ रंग-बि‍‍रंगक कारोबार शहरमे जन्‍म लि‍अए लगल। जइसँ श्रमि‍कक मांग बढ़ल। टटैत गामक जि‍नगीसँ तंग भऽ बेबस श्रमि‍क जेर बना-बना बजारक बाट पकड़लक। श्रमक वि‍करीक कारोबार जोर पकड़लक। खुल्‍लम-खुल्‍ला वि‍करी बट्टा हुअए लगल।
गामक श्रमि‍कक पड़ाइनसँ गामो हलचलाएल। खेतबलाकेँ करखन्ना पहुँचने खेतीमे ठहराव आएल। श्रमि‍कक अभावमे खेती ठमकल। समाजक वि‍चारधारामे बदलाव आएल। एक वि‍चारधारा -जे अखनो धरि‍ सम्‍पति‍केँ प्रति‍ष्‍ठा बुझैत- जे पहि‍लुकके खेतीकेँ थोड़-थाड़ अन्न-पानि‍ खुआ-पि‍आ जीवि‍त रखलनि‍ तँ दोसर वि‍चारधारा (शहरी कारोबार देखि‍) खेत-पथार माने ग्रामीण सम्‍पत्ति‍केँ पूँजी बझि‍ आमद-खर्चक ि‍हसाब जोड़ि‍ वि‍चारमे बदलाव अनलनि‍। संग-संग बटाइ खेतीक बीच नव-समस्‍या  सेहो उठल। जइठाम खन धरि‍ गामक जमीनदार खेतक उपजे बेर-टामे खेतक दर्शन करैत, ओ गामसँ बाहर भेने सालक-साल खेतक दर्शनसँ बि‍‍मुख भेलाह। संग-संग गाममे श्रम-शक्‍ति‍क अभाव भेल। बटेदारक वर्गक वृद्धि‍ भेल। खेतक बटाइ प्रथामे बदलाव आएल। जइसँ आमक कन (फड़क ि‍हसावसँ) उपजाक मनखप आ पोसि‍या माल-जालमे बदलाव आएल। कोनो धरानी संतोखीदास एकटा बड़द बनौलक। दू परानीक हाथ-पएर आ एकटा बड़द पाबि‍ संतोखीदास बटेदार कि‍सानक रूपमे ठाढ़ भेल। पेट भरने परि‍वारमे खुशीक बाढ़ि‍ तँ नै मुदा पटवी पानि‍क खुशी जरूर आबि‍ गेल। बीघा भरि‍क खेति‍हर संतोखीदास बनि‍ गेल। नव आर्थिक वि‍कास भेने परि‍वारक बच्‍चो सभमे मौलाहट कमल। जइसँ बच्‍चाक मृत्‍युक संख्‍यामे कमी आएल। ओना खनो धरि‍ श्रमि‍क‍ परि‍वारमे बेट-बेटीमे अन्‍तर नै बुझल जाइत कि‍एक तँ भगवानक अगम लीलाक बीच हस्‍तक्षेप नै करए चाहैत मुदा बजारक बि‍खाएल वयार तँ बहि‍ये रहल अछि‍।
शंभूक तीन बर्ख पुरि‍ते, जहि‍ना शीतलहरीमे पौ फटि‍ते सुरूजक रोशनीक आशा जगैत, बदरीहन समए बादलकेँ छि‍ड़ि‍आइते घरसँ बहराइक आशा जगैत तहि‍ना संतोखि‍यो दास आ सुखनि‍योकेँ भेल। जि‍नगी भरि‍क लेल मनखप खेत भेटने कि‍अए नै दुनू परानीक मनमे आशा आओत। तहूमे बाढ़ि‍-रौदीक सालक कोनो देनदरि‍ये नै, रहल सुभ्‍यस्‍त समैक देनदारी। ओहो देनदारी कि‍ अन्‍तैसँ कमा कऽ आनए पड़त। धरती माता कामधेनु। जते करब तते पाएब। जखन मन हएत, तखन खाएब। दि‍न-राति‍ ओंघराइत रहब।
खन धरि‍ सुखनी शंभूक पाछू आंगनसँ नै नि‍कलि‍ पबैत छलीह मुदा आब तँ शंभू तीन सालक भऽ गेल। अगहन मासमे खेतक आड़ि‍पर धानक खाेंचड़ि‍क घर बना देब ओइमे खेलेबो करत आंेघी लगतै तँ सुतबो करत। गरमी मासमे गाछक छाहरि‍मे रहत। लऽ दऽ कऽ बरसात रहल। तँ बरखो कि‍ लोककेँ बि‍ना चेतौने अबैए। अबैसँ पहि‍ने राजा-रजवाड़ जकाँ समाद पठा दैत अछि‍। तहूमे बरखा केहेन रूपमे आओत सेहो तँ कहि‍ये दैत अछि‍। जेठुआ बरखामे जे दुइयो बेर देह धुआ जेतै तँ सालो भरि‍ धुआएले रहतै। बच्‍चा कि‍ कोनो सि‍यान सैतान होइए जे भरि‍ दि‍न डौं-डौं करत। ओकरा तँ अन्न-पानि‍ भेट जाए, भरि‍ दि‍न बौआइत रहत। जहि‍ना नव दाँत जनमने मसुहरि‍ कि‍छु करैले सबसबाइत अछि‍ तहि‍ना बच्‍चो मन।

जेठक दसहारा। बृहस्‍पति‍ दि‍न। गि‍रहस्‍तीक पतराएल काज। अटट फड़ल आम-जामुनक गाछ। गामक-गाम लोकक मन गदगद। कि‍अए ने रहत। दू मास जे अमृत फल भेटत। बाधक चौबगली गाम अष्‍टयाम कीर्तनक मंत्रसँ अकास गनगनाइत। कि‍म्‍हरो सीताराम, सीताराम सीताराम जय सीताराम तँ कि‍म्‍हरो काली, दुर्गे राधे श्‍याम, गौरी शंकर सीताराम। कि‍म्‍हरो हरे राम, हरे राम...। तँ कि‍म्‍हरो हरे कृष्‍ण हरे कृष्‍ण।
दसहारा रहने ब्रह्मस्‍थानमे घोड़ा चढ़ौल सजाओल जाएत। ऐबेर तँ जहि‍ना ब्रह्मबाबा खुशी छथि‍न तहि‍ना लोकोक मन। आन साल जकाँ कि‍ ऐबेर हल्‍लुक दामा टंगसुखा घोड़ा लोक चढ़ौत पहि‍ने सए-पचास बेना दऽ दऽ सरैसो घोड़ासँ नि‍म्‍मन-नि‍म्‍मन चढ़ौत। दूध-पीठ खाइत-खाइत ब्रह्मोबाबाक मन अकछा गेल छन्‍हि‍ तँए ऐबेर सेरही, पनसेरही, दससेरही, अधमनीक संग मनही मुंगबा सेहो परदेसि‍या सभ चढ़ौत।
दि‍नक एगारह बजैत। माटि‍-पानि‍ तबने हबो तबि‍ गेल। खेतक जे खढ़ अछि‍ ओ रोहणि‍ मि‍रगि‍सरामे नै सूखत तँ सालो भरि‍ ओकर ओधि‍ थोड़े सुखत। तँए संतोखीदास मरआ खेत जोतए आ सुखनी खढ़ बि‍छए गेल। मुदा छोट बच्‍चा शंभूकेँ असकरे आँगनमे केना छोड़ि‍ दि‍तथि‍। शंभू लेल बाटीमे भात आ भरि‍ डोल पानि‍ नेने खेत गेली। अपनो सभकेँ पि‍यास लगत तँ पीबैक खि‍यालसँ। खेतसँ कट्ठा दुऐक हटि‍ आड़ि‍पर एकटा बज्‍जर केराइक अनेरआ गाछ। जकरा नि‍च्‍चामे सघन छाहरि‍ तँ नै मुदा छाहरि‍। जतए शंभूकेँ खेलाइले छोड़ि‍ अपने दुनू परानी संतोखीदास खेतमे काज करैत। काज लगि‍चाएल देखि‍, खाली हड़मड़ी चौकी देब बाॅकी, हर खोलि‍ चौकी ठेक संतोखीदास पत्नीकेँ कहलखि‍न- रौदमे मन तबैध गेल हएत, कनीखान छाहरि‍मे जीरा लइले चलू।
सुखनी- सएह कहए चाहै छलौं मुदा काज लगि‍चाएल देखि‍ नै कहै छलौं। जे काज ससरि‍ जाइ छै ओते तँ जाने हल्लुक होइ छै कि‍ने।
हँ से तँ होइ छै। मुदा काजो कि‍......?”
से की?”
गैंचि‍याह नजरि‍ पत्नीपर दैत संतोखीदास मुस्‍की दैत कहए लगलखि‍न- जहि‍ना भाँग-गांजा अपन सेवककेँ बौरा दैत, बेशि‍या इश्कबाजकेँ, तहि‍ना ने काजो अपन कर्ताकेँ बाबला बना जान लइपर तुलल रहैत।
नै बुझलौं?”
देखै नै छि‍ऐ, दोकान सभमे लि‍ख कऽ टांगल रहैए जे, काज करैत चलू फलक आशा नै करू।' जखन मनुख छी रोड-सड़ककेँ नाि‍प मीलक पाथर गारल रहैए तखन कत कोन रास्‍ता चलक चाही से तँ सोचए पड़ैत कि‍ने। आकि‍ रस्‍ते  भुति‍या जाय। जे बाट नै देखल रहै छै ओही बाटमे ने लोक भुति‍आइए। खर, छोड़ू ऐ सभकेँ चलू कनी ठंढइयो लेब दू घोंट पानि‍यो पीब लेब आ तमाकुलो खा लेब।
दुनू परानी बज्‍जर केराइ गाछसँ फड़ि‍क्के देखलनि‍ जे शंभू पूबारि‍ पारक अष्‍टयामक मंत्र- हरे कृष्‍णा, हरे कृष्‍णा, कृष्‍णा-कृष्‍णा हरे-हरे एक ताले छठि‍क ढोल जकाँ थोपड़ी बजबैत गबैत रहए। बेटापर नजरि‍ पड़ि‍ते सुखनी अधखि‍ल्लू फूल जकाँ बि‍‍हुँसैत पति‍केँ कहलनि‍- देखि‍यौ ऐ छौंड़ाकेँ। आन धि‍या-पता रहैत तँ माए-माए करैत। केहेन मगन भेल अछि‍।
पति‍- रौदमे तबैध तँ ने गेल अछि‍?”
तबधल बच्‍चा थोपड़ी बजा गाओत आकि‍ अँहोछि‍या काटत।
हँ से तँ ठीके।
जहि‍ना तत्‍व चि‍न्‍तक आत्‍माक तार जोड़ि‍ ब्रह्म तत्‍वक अन्‍वेषण करैत तहि‍ना शंभू कृष्‍ण मंत्रसँ अपन मनक तार जोड़ि‍ अष्‍टयामक धुनमे बेसुधि‍ भेल मीरा जकाँ गाबि‍ रहल अछि‍।
जहि‍ना एक्के फुलवाड़ी वा गाछीमे भि‍न्न-भि‍न्न रंगक फूल वा फल ताधरि‍ अपन परि‍चयसँ हराएल रहैत जाधरि‍ बच्‍चा सदृ पालल-पोसल जाइत, मुदा जखन अपन गुण वा रूप देखबै जोकर भऽ जाइत तखन एकठाम रहि‍तो बेड़ाए लगैत तहि‍ना छह बर्ख अबैत-अबैत शंभूओ बेड़ाए लगल। परि‍वारमे अनेको रंगक वस्‍तु- जात रहि‍तो ओतबे सि‍नेह रखैत जते काजक वस्‍तु बुझैत। जइ वस्‍तुक प्रयोजन आन-आन रूपकेँ आन-आन काजमे होइत तइसँ भि‍न्न ओइ वस्‍तुक उपयोग अपन काज देखि‍ करए लगल।
अपना खेत-पथार नै रहि‍तो संतोखीदासक परि‍वार गामक कि‍सान परि‍वारक खाड़ीमे आबि‍ चुकल छल। जहि‍ना कि‍सान परि‍वारमे वाइस-बेरहट कऽ कऽ खाइत अछि‍ तहि‍ना संतोखि‍यो दासक परि‍वारमे चलए लगलनि‍। ओना ई गति‍ लगातार नै चलि‍ पबैत, कि‍एक तँ कि‍सान परि‍वार, डेंगी नाह जकाँ सदति‍ पर-नि‍च्‍चा होइत रहैत। जइ साल खरचट्टा वा दहार समए भेल तइ साल सभ धुआ-पोछा गेल। मुदा जइ साल सुभि‍तगर समए भेल तइ साल पुन: नव-पुरानक चालि‍ पकड़ि‍ लैत। नवे- पुरानक चालि‍ ने रसगरो आ सुअदगरो होइए, अगि‍ला-पछि‍ला बाट देखि‍ चलबे ने दि‍शा दैत। जेना एक्के आमक चटनी टटका नीक होइत तँ अचार बसि‍या। जते- पुरान तते रसगर। मुदा चटनी तँ लगले अरआ जाइत। तहि‍ना नवका कुरथीक दालि‍ आ पुरान राहड़ि‍क दालि‍।
खन धरि‍ शंभू, परि‍वारकेँ खाली खाइ-पीबै, माता-पि‍ताक संग रहैक टा बुझैत। कि‍एक तँ बाल-बोध बझि‍, ने माता-पि‍ता कि‍छु करैले अढ़बैत आ ने शंभू परि‍वारक काजकेँ अपन काज बुझैत। सदति‍ धैनसन। सोलहन्नी वैरागी जकाँ। मुदा तँए कि‍ शंभू भरि‍ दि‍न ओछाइनेपर ओंघराएल रहैत सेहो बात नै। जँ कि‍छु नै करैत तँ दि‍न-राति‍ केना कटैत छैक।
अखनो धरि‍ गामक िकसान धरतीसँ अकास धरि‍क स्‍मरण साँझ-भोर जरूर करैत अछि‍। भोरमे धरतीक स्‍मरण तँ साँझमे अकास वि‍चरण जरूर करैत अछि‍। आने परि‍वार जकाँ संतोखि‍यो दासक परि‍वार। परि‍वारमे शंभूक कोनो मोजरे नै। मात्र खाइ-पीबै आ सुतै बेर माता-पि‍ता सि‍र चढ़बैत। बाॅकी समए साँढ़-पारा जकाँ अनेर बौआइत ढहनाइत। तँए कि‍ सींग-नाङरि‍बला पशु जकाँ कि‍ शंभूकेँ थइर-पगहाक जरूरति‍ होइत। अनेर गाएकेँ धरम रखबार' होइत।
भोरमे जखन संतोखीदास खेत-तमैक वि‍चार करए लगथि‍ तँ नचैत हृदेक घूघड़ूक कम्‍पन्न ठोठक स्‍वर होइत खापड़ि‍क मकै-जनेरक लावा जकाँ कूदि‍-कूदि‍ नि‍च्‍चाँ  खसैत तहि‍ना संतोखि‍यो दासक मुँहसँ रंग-बि‍‍रंगक मौसमक संग मौसमी सि‍नेह छि‍ड़ि‍याए लगैत। जकरा बि‍च्‍छि‍च्‍छ शंभू खेलेबो करैत आ तहि‍या-तहि‍या सीनाक डायरीमे लि‍ख-लि‍ख रखबो करैत। हृदयंगम करैत। मुदा बच्‍चाक कचि‍या डायरी रहने कि‍छु लि‍खेबो करैत आ कि‍छु नहि‍यो लि‍खाइत। मुदा प्रति‍ भोर आ साँझक स्‍वर 'सीताराम-सीताराम, राधेश्‍याम-राधेश्‍याम' डायरीक परक पन्नामे लि‍खा गेल। जकरा भरि‍ दि‍न शंभू गो-मुखी रूद्राक्षक माला बना जपैत रहैत। कामधेनु गाए जकाँ सदति‍ दूधक ढारसँ नव-नव राग-रागि‍नी स्‍वत: अबए लगल। कंठक स्‍वर-लहरी हाथकेँ थि‍रकब लगल। जइसँ कखनो दुनू हाथ मि‍लि‍ ताल मि‍लबैत तँ कखनो पल्‍था मारि‍ बैसि‍  ठेहुनपर ताल मि‍लबए लगल।

घर-अंगना एक रहने पि‍ताक संग माइयोक पाछू-पाछू आंगन बाहरैत समए, चुल्हि‍-चि‍नमार नीपैक समए, जाँत-ढेकी चलबैक समए शंभू नचए-गबए लगल। बेटाक बौराइत मन देखि‍ माइयो आत्‍म-वि‍भोर भऽ झुमि‍-झुमि‍ शंभूक आँखि‍मे आँखि‍ गारि‍ फड़ैत-फुलाइत फुलवाड़ीमे हरा जाइत।
माता-पि‍ताक उसकैत हाथ देखि‍ शंभूओक हाथ खाइबला बाटीपर उसकए लगल। खजुरी जकाँ ओकरा बजाएब शुरू केलक। केना नै करत? कामेसँ राम आ रामेसँ काम ने चलैत अछि‍। मुदा भारी द्रव्‍यक बाटी रहने हाड़-मासुक हाथक ओंगरी कतेखान ठठत। जे बात शंभू तँ नै बझि‍ सकल मुदा संतोखीदास बझि‍ गेलखि‍न। सोचलनि‍ जे जँ खजुरी बना दि‍अए तँ चौबीसो घंटा शंभू आनन्‍दमे मगन रहत। बेटाक प्रति‍ पि‍ताक दायि‍त्‍वे की? यएह ने जे हँसी-खुखीसँ दि‍न-राति‍ चलैत रहए। मन मानि‍ गेलनि‍ जे बेटाकेँ खजुरी बना देबै। एकलव्‍य जकाँ साजमे खजुरि‍यो ने अछि‍। ने ओकरा दोसर संगीक जरूरति‍ होइत आ ने कखनो अपनाकेँ असगर बुझैत। जहि‍ना हवामे उड़ैत रोग लोककेँ पकड़ि‍ लैत, लगन अबि‍ते बर-कन्‍याकेँ पकड़ए लगैत, तीर्थ-व्रतक डोरी लगैत तहि‍ना शंभूओकेँ गीत-नादक माने संगीतक रांग पकड़ि‍ लेलक। जइसँ पि‍ताकेँ हर जोतैत, कोदारि‍ पाड़ैत, धान-रोपैत कालक गुनगुनीक संग आंगन बाहरैत, धान कुटैत, जत्ता चलबैत कालक गुनगुनी पकड़ि‍ लेलक। जकरा संग शंभू भरि‍ दि‍न मगन भऽ गारा-जोड़ी केने बुलए-भंगए लगल। मुदा तँए कि‍ शंभू एतबेमे ओझराएल रहल? नै! ने ओकरा गामक आन घर अनभुआर आ ने लोक अनठि‍या बझि‍ पड़ै। तहूमे एकठाम रहने, जखन माए-बापक संग बाध-वोन दि‍स जाए तँ वएह घर वएह लोक देखए। समाज तँ ओहन सरोबर छी जइमे घोंघा-सि‍तुआसँ लऽ कऽ कमल धरि‍ फुलाइत अछि‍। देवस्‍थानमे साँझ-भोर घड़ी-घंट, शंख बजैत खरि‍हाँनमे धान फटकैत सूपक अवाज अकासमे उड़ैत। काठपर ओंघराइत टेंगारी-कुड़हरि‍ गर्द करैत तँ चुल्हि‍पर चढ़ल बरतनक अदहन झ-झ-काली करैत रहैत।
छह बर्खक बेटा शंभू लेल संतोखीदास खजुरीक ओरि‍यान करैक वि‍चार केलनि‍। ओना हाट-बजारमे खजुरी तँ नै बि‍काइत अछि‍ मुदा हरि‍हरक्षेत्र, सि‍हेश्वर, जनकपुर आ देवघरमे तँ बि‍काइते अछि‍। मुदा ओतएसँ आओत केनाखन तँ अोम्‍हर मुँहे जाइक नि‍यार नै अछि‍। ओना गामोमे बरही लकड़ीक कठरा बनबैए। सरि‍सोबा सनगोहि‍ मारि‍ मघैया खेबो करैए आ ओकर छाल बेचि‍बो करैए। अगर जँ कठरा बनबा, सनगोहि‍क छाल कीन लेब तँ तेबखाक बेसनसँ अपनो छाड़ि‍ लेब। हम सभ कि‍ कोनो शहर-बजारक लोक छी जे बेटा-बेटीकेँ पेस्‍तौल बम-बारूद-छुड़छुडी-फटाका- खेलाइले देबै। जँ खेत-खरि‍हाँन दि‍सक मन देखि‍ति‍ऐ तँ खि‍एलहा हँसुआ-खुरपी खेलाइले दैति‍ऐ जँ से नै देखै छि‍ऐ तँ एकरा खजुरि‍येक ओरि‍यान कऽ देबै। सएह केलनि‍।
जहि‍ना हाथमे औजार एेने श्रमि‍क बड़का-बड़का इंजीन बना चलबैत तहि‍ना हाथमे खजुरी ऐने शंभूओ परि‍वारक संग समाजक कीर्तन, भजन, यज्ञ इत्‍यादि‍मे शामि‍ल हुअए लगल।
छह बर्ख बीतैत-बीतैत शंभूक हाथ खजुरीपर बैसि‍ गेल। जइसँ असकरे आंगनक ओसारपर बैसि‍ जाधरि‍ हाथक आंगुर नै दुखाए लगै ताधरि‍ एकताले सीता-राम सीता-राम, राधेश्‍याम, राधेश्‍याम खजुरि‍क अवाजक संग अपन कंठक अवाज मि‍ला उन्‍मत्त भऽ गबैत-रहैत।
भगवानोक लीला अजीव छन्‍हि‍। एक्के मनुख वा पशु-पक्षीक गोटे बच्‍चाकेँ उम्रसँ बेसि‍ऐ बना दैत छथि‍न आ कोनोकेँ कम बना दैत छथि‍न। कि‍यो पाँचे बर्खमे पनरह बर्खक बुइध‍-ज्ञान अरजि‍ लैत अछि‍ तँ कि‍यो पनरहो बर्खमे पाँचो बर्खसँ नि‍च्‍चे रहैत अछि‍। जना शंभओकेँ भेल। छबे बर्खमे पनरह बर्खक बच्‍चाक कान काटए लगल। तहूमे तेहेन समाजक स्‍कूल अछि‍ जे जते मि‍हनत करए चाहब ओते फलो भेटबे करत।
सदि‍काल कतौ ने कतौ कोनो ने कोनो उत्‍सव समाजमे होइते रहैत अछि‍। देवस्‍थानसँ परि‍वार धरि‍, कतौ अष्‍टयाम-कीर्तन, तँ कतौ बच्‍चाक मूड़न, कतौ सत्‍यनारायण भगवानक पूजा तँ कतौ बि‍आह-दुरागमन। शुभ काज तँए शुभ वातावरण बनबए लेल शुभ-शुभ क्रि‍या-कलाप। शुभ क्रि‍या-कलापक लेल कतौ ढोलक-झालि‍ हारमोनि‍यमक संग रामधुन चलैत तँ कतौ ढोल-पि‍पहि‍क संग गीत-नाद। ततबे नै संग-संग परि‍वारक उत्‍सवमे समबेत स्‍वर माए-बहि‍न‍क गीत-नाद सेहो चलबे करैत अछि‍। जहि‍ना पाँच बर्खक बच्‍चा स्‍कूलमे नाअों लि‍खा दोसर-तेसर बच्‍चा संग पढ़ैत तहि‍ना शंभूओ समाजमे कतौ ढोलक-झालि‍ वा ढोल-पि‍पहि‍क अवाज सुनि‍ते ठोकले ओइ जगहपर पहुँचि‍वेद पाठी जकाँ आँखि‍-कान समटि‍ ताधरि‍ देखैत-सुनैत रहैत जाधरि‍ वि‍श्राम करैले बन्न नै होइत। शंभूक क्रि‍या-कलापसँ दुनू परानी संतोखीदास सेहो नि‍चेन भऽ अपन काज करैत रहैत। काजमे मस्‍त रहैत। कि‍एक तँ दुनू परानी बझि‍ गेलाह जे जतए ढोल-पि‍पही बजैत हएत शंभू ओतए जरूर हएत। तँए जखन खेत-पथारसँ काज कए घुमैत तँ ठोकले ओइ स्‍थानपर पहुँचि‍ शंभूकेँ ताकि‍ अनैत।
समाजो तँ ओहन बाट बना चलैत जइसँ हँसैत-खि‍लैत जि‍नगी बि‍नु थकनहि‍ सदैत चलैत रहैत। केना नै चलत? धार ककर आशा-बाटक प्रति‍क्षा करैत। जहि‍ना अपना गति‍ये दि‍न-राति‍ चलैत रहैत तहि‍ना ने समाजो अपना गति‍ये सदैत चलैत रहैत।

नवम् बरख चढ़ैत-चढ़ैत शंभूआ शंभू बनि‍ गेल। कारण भेल जे आन-आन बच्‍चासँ भि‍न्न काजक प्रति‍ झुकाव हुअए लगलै। जहि‍ना जीवनी (जीवनक पारखी) वोन-झाड़ वा गाछी-बि‍रछीमे, बरसातक उपरान्‍त आसि‍न-काति‍कमे नव-नव गाछकेँ माटि‍सँ पर होइते डारि‍-पातसँ परेख लैत जे ई फल्‍ला  वस्‍तुक गाछ छी मुदा अनाड़ी नै परेख पबैत तहि‍ना समाजोक पारखी शंभूकेँ परखए लगल। छोट बच्‍चा जहि‍ना लत्ती-फत्तीमे फड़ल हरि‍अर चारि‍ पएरबलाकेँ, जेकर मुँह घोड़ा सदृ नमगर होइत ओकरा घोड़ा मानि‍ पकड़ि‍ अपन खेलक एक भाग, सर्कश जकाँ, बना खेलैत तहि‍ना कीर्तन मंडलीक बीच शंभूओ एक अंग बनि‍ गेल। ओना अदौसँ लोक ि‍कछु समटल कि‍छु बि‍नु समटल, जे लोकक वोन-झाड़मे हराएल रहल, केँ चि‍न्‍हैत आबि‍ रहल अछि‍। जँ से नै रहैत तँ कि‍छु बनैया कि‍अए शि‍कारक पात्र बनैत। मनुखक लगाओल खेती-बाड़ी वा माल-जालकेँ जँ बोनैया नष्‍ट करए चाहत तँ कि‍अए लगौनि‍हार अपना सोझमे अपन श्रमकेँ नष्‍ट होइत देखत। एहनो-एहनो पारखी लगमे रहनि‍हार अपन (मनुखक) बच्‍चाकेँ नै परेख पबैत। केना परखत? मनुख तँ गाछ-वि‍रीछ नै जे डारि‍क रंग-रूप आ पातक सि‍रखारसँ परेख लेत, मुदा मनुख तँ जीवक श्रेणी (जि‍नगीक पाँति‍) मे रहि‍तो आनसँ अधि‍क नमगर-चौड़गर, फूल-फलसँ लदल दुनि‍याँबला छी। जे बाहर नै भीतर छि‍पा कऽ रखने रहैत अछि‍। रखने अछि‍ कि‍ राखल छैक ओ भि‍न्न बात।
जे शंभू अखन धरि‍ मनुक्‍खक मेलाक बच्‍चाक जेरमे नुकाएल छल ओ नमैर धान-गहुमक गाछ जकाँ बेदरंग हुअए लगल। मुदा रंग-रूप अधि‍क गाढ़ नै भेने ने अपने देखए आ ने आनेक नजरि‍क सोझ पड़ए। भलहि‍ं उम्‍मस भरल भादोमे पूरबा-पछि‍याक लपकी नै बझि‍ पड़ै मुदा ओहन लपकी तँ माघमे जरूर अपन रूपक दर्शन करवि‍तहि‍ अछि‍। तहि‍ना शंभूओक भेल। एक आँखि‍सँ दोसर आँखि‍, एक कानसँ दोसर कान बीआ-बान हुअए लगल। मुदा बीआ तँ बीआ छी, कोनो फले बीआ, तँ कोनो ऑठि‍ये। कोनो पाते बीआ तँ कोनो डारि‍ये। तहि‍ना जते मन तते खेत। जते खेत तते रंगक गाछ। जते गाछ तते रंगक फल-फूलक आश। मुदा मनुक्‍खक बीआ तँ सभसँ बेढग (अजीब) अछि‍। जेहन-जत खेत तेहेन तते रंगक बीआ खसि‍ तते रंगक गाछ संगे जनमैत। गाछ देखि‍ कि‍यो बजैत, शंभूक सि‍नेह संगीतसँ तते भेल जाइए जे कहीं घर-परि‍वार छोड़ि‍ ओकरे संगे ने चलि‍ जाए। तँ कि‍यो बजैत, भगवान अपने बेटा जकाँ लुइर‍-बुइध‍‍ देने जाइ छथि‍न एक-ने-एक दि‍न लगमे बजाइए लेथि‍न।
ज्ञान स्‍वरूप देवत्‍व प्राप्‍त करैक लेल प्रेमास्‍पदक बाट धड़ए पड़ैत। जे बि‍नु बुझनहि‍ शंभूमे अबए लगल। जहि‍ना एक माटि‍ एक पानि‍ जगह पाबि‍ अपन भि‍न्न-भि‍न्न रूप बना भि‍न्न-भि‍न्न गुण पसारैत तहि‍ना तँ समाजो अछि‍। माटि‍क आँड़ि‍ बनि‍-बनि‍ बाध बँटल अछि‍, घेरा पाबि‍-पाबि‍ पानि‍ बँटल अछि‍ तहि‍ना ने समाजो अछि‍। समाजोक तँ भि‍न्न-भि‍न्न रूप आ भि‍न्न-भि‍न्न अर्थ अछि‍। कतौ गामक सीमान मानि‍ समाज मानल जाइत अछि‍ तँ कतौ जाति‍। कतौ कर्मक हि‍साबसँ समाज बनैत अछि‍ तँ कतौ बेवसायि‍क। कीर्तन मंडलीक समाज ओहन अछि‍ जइमे घर-परि‍वार सम्‍हारि‍ लोक (मंडलीक) भगवानोक दरबार पहुँचि‍ अपन नीक-अधला (उचि‍ति‍-वि‍नती) बात सेहो कहैत अछि‍। तइले ने संगी-साथीक जरूरति‍ आ साज-बाजक। थोपड़ी बजा वा चुटकी बजा वा बि‍नु बजेनौ मुँह खोलि‍ वा बिनु मुँहो खोलने जतबे समए पबैत ओतबेमे राधा जकाँ कृष्‍णक संग रमि‍ जाइत।
नवम् बरख खटि‍आइत-खटि‍आइत शंभू गामक कीर्तन मंडलीक सदस्‍य बनि‍ गेल। तइले ने नाओं लि‍खबैक जरूरति‍ भेल आ ने कोनो रजि‍ष्‍टरक। मनक डायरीमे वि‍चारक कलम चलि‍ गेल। मुदा दुनूकेँ (शंभूओ आ मंडलि‍योक) आगू चलैक बाटो आ संगि‍यो भेटल। संगी पाबि‍ जहि‍ना शंभूकेँ, घरक छप्‍परसँ खसैत धरि‍आएल पानि‍ आगू बढ़ि‍ धारमे पहुँचि‍ जाइत तहि‍ना भेल। मंडलि‍योक फूलवारीमे एकटा नव फूलक गाछ पोनगल। जहि‍ना नमहर थैरमे नव गाए-महीसि‍केँ जाइति‍क समाज भेटलासँ अपन खुशहाल जि‍नगीक खुशी होइत तहिना शंभूओक संबंध रंग-बि‍‍रंगक कला-प्रेमीसँ भेल। जहि‍ना टाला-कोदारि‍ लऽ बोनि‍हार, रि‍ंच-हथौरी लऽ मि‍स्‍त्री अपन सेवा दइले जाइत तहि‍ना खजुरीक संग शंभूओ मंडलीक बीच सेवा दि‍अए लगल। अठवारे मंगलकेँ महावीरजी स्‍थान आ अठवारे रवि‍ कऽ महादेव स्‍थानमे साँझू पहर कऽ कीर्तन होइत। जइमे कीर्तन मंडलीक समाजक संग भक्‍त प्रेमी सभ सेहो एकत्रि‍त भऽ खाइ-पीबै राति‍ धरि‍ मगन भऽ भजनो-कीर्तन करैत आ सुनि‍नि‍हारो संगीक संग समुद्रमे दहलाइत-उधि‍आइत। मुदा बाल-बोध शंभू ने दि‍नक ठेकान बुझैत आ ने मासक। मंगल केना घुमि‍-घुमि‍ अबै छै ने से बुझैत आ ने रवि‍। तँए अन्‍हारमे बौआइत शंभू। मुदा जहि‍ना अगि‍ला बाट भेटने शंकाक समाधान भऽ जाइत तहि‍ना शंभूओ मंगल आ रवि‍केँ भजि‍अबए लगल। खोजनि‍हार जहि‍ना घनगर वो-झारमे सँ कोनो जड़ी वा जरूरति‍क गाछ ताकि‍ कऽ लऽ अबैत तहि‍ना शंभूओ मंगल आ रविकेँ भजि‍औलक। सातो दि‍न आ बारहो मासक गुण-अवगुण भजि‍आ मनमे रोपि‍ लेलक। जइसँ तीसो दि‍न मासक बीचक तीर्थ आ सातो दि‍नक आठो पहरक बोध भऽ गेलइ। राति‍-दि‍नक बीच घरक काज कखन कएल जाए आ बाहरक कखन, ऐ लेल तँ पहरे पहरा करैत अछि‍। वसन्‍ती-बयार तँ गोटि‍-पङराक लेल नै सबहक लेल समान सोहनगर अछि‍ भलहि‍ं कि‍यो कुम्‍मकर्णी नीनक मस्‍ती लि‍अए आकि‍ ब्रहमलोक पहुँचि‍ कुम्‍हारक चाक चलबए। जा धरि‍ चाक नै चलत ता धरि‍ नव बर्तन केना गढ़ल हएत? ओहन खेत वा पोखरि‍ जकाँ शंभूक मन दि‍न-राति‍ छि‍छलए लगल जेहन पोखरि‍क कि‍नछरि‍मे ठाढ़ भऽ चौरगर खपटा वा झुटका पानि‍क पर फेकलासँ पर-पर छि‍छलैत दूर तक जाइत, जहि‍ना अनगर लबल धानक सीसपर होइत मन छि‍छलैत एक आड़ि‍सँ दोसर धरि‍ छि‍छलि‍-छि‍छलि‍ देखि‍-देखि‍ खुशी होइत, तहि‍ना। भोरमे नीन टटि‍ते शंभू ओछाइनेपर दि‍न भरि‍क जि‍नगीक बाट जोहए लगैत। साँझ परैत परैत जहि‍ना कृष्‍ण संगी-साथीक संग आबि‍ माए जशोदाकेँ अपन लकुटि‍ कमरि‍या सुमझा संध्‍या बंधन करए वि‍दा होथि‍ तहि‍ना शंभूओ उगैत सुर्जक संग दुि‍नयाँ देखैक उपक्रम सोचए लगैत। भगवानक नजरि‍ तँ पहि‍ने ओइ पुजेगरीपर ने पड़ैत जे नव-नव फूल-अछतसँ सजल सीकीक नव फुलडालीमे नव गाछक फूल लऽ रहैत। बाॅकीकेँ तँ गि‍नती कऽ कऽ रखि‍ लेल जाइत। गाछमे सबरक फलक सि‍रखार, कटहर जकाँ, देखि‍ पड़ैत। दि‍न भरि‍ समए बँचल अछि‍ जखने बाध-वोन दि‍स जाएब तँ कोनो ने कोनो भेटबे करत। जँ भेट गेल तँ बड़बढ़ि‍या नै तँ उचि‍ति‍-वि‍नती कऽ अार्त्त भऽ थारीमे रूइक बत्ती लेसि‍ कानि‍-कलपि‍ कहबनि‍। अनकर जँ सुनैत हेथि‍न तँ हमरो सुनताह नै तँ ककरो नै सुनथि‍न। अपना-अपना करमे-भागे लोक जीब लेत।
चौदहो भुवन (चौदहो लोक) सदृ समाजमे चि‍त्र-कुटक घाट जकाँ अनेको घाट। कम वा बेसी सबहक मनमे भगवानक प्रति‍ आस्‍था भलहि‍ं आत्‍मा, जीव आ मायाक तात्‍वि‍क रूप नै बुझैत हुअए। से सि‍र्फ पुरखेटा मे नै महि‍लोमे। समर्पित भऽ नि‍म-नि‍ष्‍ठासँ आठ घंटासँ लऽ कऽ बहत्तरि‍ घंटाक तकक उपवास हँसैत-मुस्‍कुराइत कऽ लैत। एहन पत्नि‍ये कि‍ जे अपन पति‍केँ देवालय जाइसँ रोकती। समाजक भीतर समबेत स्‍वरे अष्‍टयाम, नवाहक संग आनो-आन आ नाचोमे सामाजि‍क सेहो होइत जे मंचपर बैसि‍ सामूहि‍क रूपे गबैत। तहि‍ना माइयो-बहीनि‍क बीच छन्‍हि‍। मुड़न हुअए वा उपनयन, कुमार गीत हुअए वा बि‍ह, छठि‍ हुअए वा फगुआ, सामूहि‍क रूपे सभ एकठाम भऽ गबैत छथि‍। नव-नव गायि‍काक सि‍रजनो होइत आ अवसरो भेटैत। कि‍एक तँ दादी बाबीक उदारतासँ कहैत छथि‍न जे आब बुढ़ भेलौं, कफ घेरने रहैए, तँए नवतुि‍रयेकेँ गाबए दहक। सामाजि‍क वातावरणमे श्रद्धा, प्रेमक संग भाइचाराक बेवहारि‍क पक्ष अखनो अछि‍। एकर अर्थ इहो नै जे आपराधि‍क वृत्ति‍ दबल अछि‍। अगुआएल छल, बहुत अगुआएल अछि‍। आँखि‍क सोझमे बहीि‍न-बेटीक संग दुरबेवहार बाड़ी-झाड़ीक वस्‍तु बलजोरी तोड़ि‍ लेब, खेतक फसल क्षति‍ कऽ देव इत्‍यादि‍-इत्‍यादि‍। एक नै अनेक आपरधि‍क वृत्त अपन शक्‍ति‍सँ समाजकेँ दबने अछि‍। मुदा तँए कि‍ जि‍नगीक आश नै छैक, छैक धरमक संग प्रेमसँ छैक। जँ नै छलैक तँ बाड़ी-झाड़ी वा खेत-पथारमे काज-करैत कि‍सान केना गौओं-घड़ुआ आ बाट चलैत बटोहीकेँ दूटा आम खाइले कि‍अए कहैत छथि‍। एकटा सजमनि‍ अगुआ कऽ दइ छथि‍ जे धि‍या-पताकेँ तरकारी बना देबै। कहाँ मनमे छन्हि‍ जे दस रूपैया बुड़ि‍ रहल अछि‍। रोपैइये काल दू-दूटा फलक गाछ लगबै छथि‍ जे एकटा परि‍वार लेल, दोसर समाज लेल। जँ परि‍वार-परि‍वारमे एहेन वृत्ति‍ अपनाओल गेल रहैत तँ कि‍ सामाजि‍क संबंधमे औझुके टटान अबैत।
रवि‍-मंगलकेँ देवस्‍थानमे कीर्तन अनि‍वार्य रूपे चलि‍ते छल, जहि‍ना वि‍द्यालयक कार्य-दि‍वस। अनदि‍ना सेहो दरबज्‍जे-दरबज्‍जे होइते रहैत छल। जना सबहक जि‍नगी बन्‍हाएल चलैत होइ। भरि‍ दि‍न खेत-पथारसँ माल-जालक पाछू लागल रहैत छला आ साँझ पड़ि‍ते कीर्तन-मंडलीक बीच पहुँचि‍ जाइत छला जे खेबा-पीबा राति‍ धरि‍ चलैत छल। खेला-पीला बाद सुतै छला। कहाँ कखनो समाजक प्रति‍कूल बात सोचैक समए भेटैत छलनि‍। जे लोकनि‍ मंडलीकेँ हकार दऽ अपना ऐठाम कीर्तन कराबैत ओ अपन वि‍भवक अनुकूल, भोजनो आ साजो-समानक ओरि‍यान कऽ दैत छलाह।

पहि‍ल दि‍न शंभूओकेँ सवा हाथ वस्‍त्र आ सवा-आना पाइ भेटल। खा कऽ जखन शंभू वि‍दा हुअए लगल तँ गरे ने अँटै। दू हाथमे तीन समान (पाइ, वस्‍त्र, खजुरी) अन्‍हार राति‍मे केना लऽ कऽ जाएब। पाइकेँ जँ वस्‍त्रमे बान्‍हि‍ एक हाथमे लऽ लेब आ दोसर हाथमे खजुरी लऽ लेब, से भऽ सकैए। मुदा दुनू हाथ अजबाड़ि‍ राति‍मे चलब केना? ढि‍मका-ढि‍मकीक रस्‍तामे कत ठेंस लागत कत नै। जँ घरबारि‍येकेँ संग चलैले कहबनि‍ सेहो उचि‍त नै। हमरा सन-सन कते गोरे छथि‍। कि‍नका-कि‍नका संग पुरथि‍न। जँ कन्‍हापर आकि‍ डाँड़मे वस्‍त्र लगा लेब तँ पहि‍रौठ भऽ जाएत। केना बाबूकेँ पहि‍रोठ वस्‍त्र देनि‍। गुन-धुनमे पड़ल शंभू एक गोटेकेँ अपना घर दि‍स जाइत देखि‍ पि‍ताकेँ समाद पठौलनि‍- बाबूकेँ कहि‍ देबनि‍ जे डलना तेहेन चोटगर बनल छलै जे इच्‍छासँ बेसि‍ये खुआ गेल। तइपर तीन-तीनटा वस्‍तु लऽ कऽ अन्‍हारमे केना आएल हएत तँए आबि‍ कऽ लऽ जाथि‍।

एगारहम बर्ख पुरैत-पुरैत शंभूक गि‍नती गामक भजनि‍याक संग भगवानक भक्तोमे हुअए लगल। तहूमे ओहन भक्‍त जे बि‍नु बि‍‍आहल हुअए। ब्रह्मचारी। ओना शंभूक स्‍वभावमे सेहो सामान्‍य बच्‍चाक अपेछा वि‍शेष गुण छलैक जे सभ देखैत छलाह। जहि‍ना कि‍यो पनरह बर्खक उमेर बि‍तेलाक बादो पाँचो बर्खसँ कम उमेरक बच्‍चासँ पछुआएल (लुरि‍-बुधि‍मे) रहैत आ कोनो-कोनो बच्‍चा दसे बर्खमे सि‍यान जकाँ भऽ जाइत। मुदा समाज तँ अथाह समुद्र छी। जेहेन पारखी तेहेन परख। डोका-काँकोड़सँ लऽ कऽ हीरा-मोती धरि‍ समेटि‍नि‍हार समुद्र सदृ समाज। एहनो पारखी जे एक तरहक जानवर (गाए-महीस इत्‍यादि‍) पोसि‍ दोसरो-दोसरो तरहक जानवरक जि‍नगीकेँ दूर धरि‍ देखैत आ एहनो जे सभ दि‍न सोझमे रहि‍तो कि‍छु ने (जि‍बैक रास्‍ता) देखैत। तहि‍ना पारखी शंभूओकेँ परखलनि‍। कीर्तन मंडलीक पर श्रेणीक कीर्तनि‍यामे शंभूक गि‍नती हुअए लगल। गुर तँ सदति‍ शि‍ष्‍य तकैत। शि‍ष्‍य-गुरुकेँ एकठाम भेनहि‍ ने जि‍नगी आगू ससरैत अछि‍। जाधरि‍ से नै होइत ताधरि‍ मि‍श्री कुसि‍यारक पानि‍मे डूल रहैत आ शि‍ष्‍य सरपतक श्रेणीक गाछ बुझल जाइत। शंभूकेँ एक संग दू गुर भेटल। एक अगुआ (वजन्‍त्रीसँ गौनि‍हार) मुरते आ दोसर साज-बाज। जहि‍ना रंग-बि‍‍रंगक कोठीमे रंग-बि‍‍रंगक अन्न-पानि‍ देखि‍ गृहस्‍वामि‍नीक मन सदति‍ हरि‍आएल रहैत तहि‍ना शंभूओ हरि‍आएल।
अखन धरि‍ शंभूक गि‍नती परि‍वारमे (माए-बापक बीच) ओहन बच्‍चा सदृ छल जेहनकेँ काजक भार तँ नै मुदा जि‍नगीकेँ जि‍या राखब माए-बापक कर्तव्‍य-कर्मक श्रेणीमे रहैत। जइसँ बि‍नु पगहाक पशु जकाँ शंभूओ। तहूमे आब शंभू छेँटगर भऽ गेल। जखने भूख लगतै तखने दौल आओत नै तँ भरि‍ दि‍न भुखलो रहि‍ सकैए। तँए कि‍ शंभूक खाइ-पीबैक आ रहैक ठौरो वि‍ला गेल। नै ओ सभ रहबे कएल। हँ एते जरूर भेल जे कखैन आबए आकि‍ जाए से पुछि‍नि‍हार नै रहल। सुखनि‍ये संतोखीदासकेँ कहि‍ देने रहनि‍ जे बाल-बोधकेँ पाछूसँ नै आगूसँ टोकल जाइत अछि‍। जहि‍ना राहड़ि‍क गाछक बुट्टीकेँ चारू भागसँ सि‍र पकड़ने रहैत तहि‍ना तँ मनुक्‍खोक अछि‍। मुदा जीवनी तँ गर लगा कोदारि‍क छह मारैत जे अपन पएरो बँचै आ बुटो उखड़ै। तँए उत्तम कोटि‍क काज वएह ने जे साँपो मर लाठि‍यो ने टटए।

घरक कोनो काजक भार शंभूकेँ नै रहैक कारण छल जे दुनू बेकतीक हृदए घेराएल जे माए-बाप अछैत जँ बेटा-बेटीकेँ कोनो भार पड़त तँ खि‍च्‍चा गाछ जकाँ वा केराक गाछ जकाँ पिचा कऽ थकुचा भऽ जाएत। जइसँ शरीर खि‍लैच जेतै। जखने शरीर लि‍खचतै तखने जि‍नगी खि‍लैच जेतै। जइसँ रोगाएल गाछ जकाँ सभ दि‍न खि‍द-खि‍द करैत रहत। जँ एहेन जि‍नगी बेटा-बेटीक भेल तँ ओ परि‍वार कते दि‍न आगू मुँहे ससरत। तँए जाधरि‍ बाल-बच्‍चाकेँ नि‍रोग बना नै राखब ताधरि‍ वंशकेँ आगू मुँहे ससारब कोरी-कल्‍पना हएत। जइसँ ने माए-बाप -सुखनी-संतोखीदास- शंभूकेँ कोनो काज अढ़बैत आ ने शंभू कि‍छु करैत। सभ कि‍छु अपन रहि‍तो शंभू अपन कि‍छु नै बुझैत। तँए धन्‍य-सन। परि‍वारक काजक तहमे पहुँचलापर ने कि‍यो बुझैत जे ऐ काजकेँ नै भेने परि‍वारमे कि‍ नोकसान हएत। ई जि‍नगीये तँ बरखा-पानि‍क बुल-बुला जकाँ अछि‍। लगले बनत, चमकत आ फुटि‍ जाएत। एहेन जँ क्षणभंगुरोसँ क्षणभंगुर जि‍नगी अछि‍, जेकर कोनो बि‍‍सवास नै अछि‍ तेकरा पाछू पड़ऽबे नादानी हएत। भने ने जनकजी ऐ बातकेँ बझि‍ भोगो-वि‍लासकेँ अधला नै बुझैत छलाह। भलहि‍ं शंभूक मनमे जे होय मुदा माए-बापक मनमे जरूर रहनि‍ जे जाबे थेहगर छी ताबे जँ काजसँ देह चोराएब तँ परि‍वारक प्रति‍ अन्‍याय करब हएत। बुढ़ाड़ीमे झुनाएल धान जकाँ सीसक टुर टूटि‍-टूटि‍ जहि‍ना खसैए तहि‍ना ने शरीरक अंगो (आँखि‍, कान इत्‍यादि‍) खसबे करत। जखन देह भंग हुअए लगत तखन तँ बेटे-बेटी ने श्रवण कुमार जकाँ भारपर टाँगि‍ तीर्थ-स्‍थान घुमाओत। एहेन काज तँ ओकरा ऊपर लधले छै तखन मुर्दा जकाँ नअो मन बोझ लधनाइ उचि‍त नै। कि‍ करत वएह बेचारा, एक दि‍स माए-बापक बोझ पड़तै अपनो जि‍नगी रहतै तइपर सँ बाल-बच्‍चाक कोनो ठेकान छै जे भगवान कते देथि‍न कते नै। हुनका थोड़े बुझल छन्‍हि‍ जे अन्न-पानि‍ कते महग भऽ गेल अछि‍। जत मड़ूआ बराबरि‍ कऽ माछ बि‍कैत छल ओत मड़ूआ धि‍ना कऽ देश छोड़ि‍ देलक मुदा माछ सि‍मटीक चि‍नमारपर गि‍रथानि‍ बनि‍ अजबारि‍ कऽ बैसल अछि‍।
ढेरबा बच्‍चा रहि‍तो शंभू समैसँ दोस्‍ती केलक। दोस्‍ती नि‍माहैले मंडलीक संग पूरि‍ जखन सभ सुतए ओछाइनपर जाइत तखन शंभू साइकि‍ल सि‍खैत बच्‍चा जकाँ पहि‍ने हारमोनि‍यम, ढोलक इत्‍यादि‍केँ नि‍हारि‍-नि‍हारि‍ देखए। जहि‍ना युवक-युवती पहि‍ल नजरि‍मे पहि‍ल रूप देखैत तहि‍ना शंभूओ देखलक। देखलक जे एक नै अनेको जुगल जोड़ीक संयोगसँ समाज ठाढ़ अछि‍। जइमे अपन-अपन गुणकेँ मि‍ज्‍झर भऽ कऽ मि‍लि‍-जुलि‍ चलि‍ उकरूसँ उकरू बाट टपि‍ श्रंृगी ऋृषि‍क फुलवारी देखैत। एक पेरि‍या झालि‍ केना टक-टक जोड़क बनल हारमोनि‍यम संग ठि‍ठि‍या-ठि‍ठि‍या चलैत अछि‍। शंभूक सि‍नेह समूहसँ भेल।

पाँचि‍म दशकसँ पूर्व, अष्‍टयाम कीर्तनक मूलमंत्र सीताराम, सीताराम छल। कारणो स्‍पष्‍ट अछि‍। जगत जननी जानकीक मि‍थि‍ला, जि‍नक संकल्‍प पूर केनि‍हार राम। सीताराम मंत्रमे शंभूकेँ ऋृतानुसार सभसँ भेटए लगल। जहि‍ना जखन जेहेन मन तखन तेहेन वि‍चार, तहि‍ना। भोरमे प्रभाती बेर ‘सीताराम’मे शंभूकेँ वसन्‍ती वा ब्रह्मणी रस भेटै जखैन कि‍ दि‍न-राति‍क गति‍ये रसोक रस बदलए लगै। मुदा मंत्रमे कोनो बदलाव नै होइ। बाल-बोध रहि‍तो शंभू जीवनी जकाँ सि‍र सजमनि‍क भाँज बुझैत। हनुमानजी जकाँ नै। जे छोटो काज लेल नमहर अस्‍त्रक प्रयोग करब। आ ने अनाड़ी-धुनाड़ी जकाँ पराती बेर साँझ आ साँझक बेर पराती गबैत। जँ गेबो करैत तँ जहि‍ना हलुआइ चीनीक चासनीमे रंग-बि‍‍रंगक वस्‍तु बना ओइमे बोड़ि‍ मधुर बनबैत। एहने सन शंभूओक मनमे उपजै। ओना जते रंगक मंत्रक जरूरति‍ होइत तते एबो ने करै। नै अबै तहूमे ओकर दोख नै। दोखो कि‍अए हेतै एक तँ बेचारा पशु जकाँ असगरे खूँटा धेने, तइपर बाल-बोध। मुदा तैयो बकरी बच्‍चा जकाँ नै जे दूध पि‍बि‍‍ते छड़पए-कुदए लगैत।
हड़लै ने फुड़लै शंभू घरसँ पड़ा गेल। दुनू बेकती संतोखीदास खेतमे काज करए गेल रहथि‍। तँए भरि‍ दि‍न कोनो भाँजे नै लगलनि‍। कारणो रहए। दुपहर तक तँ आनो दि‍न हटले-हटले रहैत छलाह। साँझमे खोज करैत छेलखि‍न। दि‍न तँ घुमै-फि‍रैक होइ छै मुदा राति‍ तँ ठौर पकड़ैक होइ छै, तँए।
घरसँ नि‍कलि‍ते‍ शंभू घरक सभ कि‍छु बि‍‍सरि‍ गेल। खजुरि‍यो बि‍‍सरि‍ गेल। बि‍‍सरि‍ नै गेल मनसँ हटि‍ गेलै। नवका चानक (तीर्थानुसार) नव ज्‍योति‍ भेटलै। जहि‍ना ताड़ी देनि‍हार खजुर, लपकि‍ कऽ ताड़ पकड़ि‍ लैत तहि‍ना शंभूक खजुरी, तबला पकड़ि‍ लेलक। तबला पकड़ि‍तहि‍ खजुरि‍येक हाथसँ बजबए लगल। बजबैत कते दूर गेल तेकर बोध नै रहलै। दुनि‍याँक बीच हरा गेल। जि‍महर देखे दि‍न छोड़ि‍ कि‍छु ने देखै। बाध-वोन, गाछ-बि‍रीछ, पोखरि‍-झाँखड़ि‍, हल्‍लुक-सुखाएल धार-धुर तँ सभ गाममे रहि‍ते छै। आड़ि-धुर बनौनि‍हार आकि‍ नक्‍शा-खति‍यान देखनि‍‍हार ने खेत-पथार, गाम-घरक बात बुझैत, जे नै बुझैत ओ दि‍न-राति‍ छोड़ि‍ आरो कि‍ बुझत, तहि‍ना शंभूओ। बीच बाटपर शंभूक मनकेँ हुदकबए लगलै। गामक कीर्तन मंडलीक अगुआकेँ मुँहक बात मन पड़ल जे पचगछि‍यामे बड़का-बड़का बाजो छै आ बजोनि‍हारो। खाइयो पीबैले देल जाइ छै आ रहैयोक बेवस्‍था छै। जहि‍ना कोनो बीज भूमि‍ छेदि‍ अकुरि‍ ऊपर आबि‍ अपनाकेँ वृक्षक पूर्व रूप बि‍‍ इतराइत तहि‍ना ने बच्‍चोक बुइधि‍क अंकुर जगैत तहि‍ना शंभूओकेँ भेल। उत्‍साहि‍त भऽ घरसँ नि‍कलि‍ वि‍दा भऽ गेल मुदा खास जगहपर पहुँचए लेल जानकारीक जरूरति‍ होइत। ओना जँ खास जगह नै, आम जगह देखए चाहब तँ कोनो परि‍चयक जरूरति‍ नै होइत। जएह देखब, जतबे देखब, जतए  देखब सहए दुनि‍याँ। जेहन आँखि‍क ज्‍योति‍ तेहने रंगक दुनि‍याँ। मुदा पंचगछि‍या जेबा लेल तँ जानकारी बनाएब जरूरी अछि‍। मनमे उठलै पूछि‍-पाछि‍ लोक कतएसँ कतए चलि‍ जाइए। तखन कि‍अए ने जा सकै छी। जहि‍ना आन बाट-घाट टपि‍ अपन स्‍थानपर पहुँचैए तहि‍ना कि‍अए ने पहुँचब। पेटक भूखक संग मनोक भूख कमलै। भूख कमि‍तहि‍ संकल्‍प शक्‍ति‍क उदय भेलै।

पचगछि‍याक रायबहादुर लक्ष्‍मीनारायणजी जेहन संगीत कलाक मर्मज्ञ तेहने साधको। संगीत कलाक सि‍नेही रहने ‘संगीत कला केन्‍द्र’ स्‍थापि‍त केने छथि‍। जइसँ मि‍थि‍लांचलक अनेको गायक, वादक अन्‍तर्राष्‍ट्रीय ख्‍याति‍ पौने छथि‍।
एगारह-बारह बर्खक शंभूकेँ केन्‍द्र लग पहुँचलोपर भीतर जाइक हि‍औए ने डटै। कातमे ओइ भूखल-पि‍यासल मरभूमि‍क चि‍ड़ै जकाँ दूर-दूर धरि‍ अन्न-पानि‍क छुति‍ नै देखैत। समुद्रक ओइ सीप सदृ शंभू मुँह बाबि‍ ठाढ़ भेल जे स्‍वाती नक्षत्रक बुन्नक आसमे रहैत। तहीकाल मांगन मण्‍डल नि‍कललाह। अन्‍तर्राष्‍ट्रीय स्‍तरक संगीत ममज्ञ। शंभूपर नजरि‍ पड़ि‍ते आँखि‍ आकर्षित केलकनि‍। मुदा चेहरा अपन भूख देखौलकनि‍। बि‍ना कि‍छु पुछने-आछने शंभूक वामा बाँहि‍ पकड़ि‍ केन्‍द्रक भीतर आनि‍ खुओलनि‍। खेनाइ खेलापर शंभूक मन असथि‍र भेलै।
मांगन पुछलखि‍न- वाउ, की नाओं छी?”
शंभू।
परि‍वारमे के सभ छथि‍?”
बाबू, माए।
भाइयो-बहि‍न छथि‍?”
हँ।
आइ रहि‍ जाउ काल्हि‍ नि‍चेनसँ गप करब।
बड़बढ़ि‍या।

दि‍न बीतल साँझ आएल। बाहर दि‍ससँ अन्‍हार अबए लगल। जेना-जेना अबैत तेना-तेना करि‍आएल जाइत। करि‍आइत-करि‍आइत ओते करि‍या गेल जे अपन आँखि‍ हाथो ने देखैत। जे जतए से ततए गबदी मारैक ओरि‍यानमे लगि‍ गेल। मात्र दूटा पि‍पनी लगल कपाट कखनो खुजै कखनो बन्न भऽ जाए। डर सन्हि‍आए लगलै। जेना-जेना डर अपन पैठ बनबैत जाए तेना-तेना शंभूकेँ डरौन लगए लगलै। कनए लगल। कनि‍ते मनमे उठलै माए-बाप, संगी-साथी, गाम-घर। केना नइ मन पड़ैत? माइटि‍क बनल रस्‍तो अन्‍हारमे बजैत- भाय ऐठाम कटारि‍ अछि‍, आगू हुच्‍ची। भलहि‍ं रस्‍ता  हि‍साबसँ ओकाइत कम अछि‍ मुदा खुरलुच्‍ची सबहक खुनल छी तँए रस्‍ता  बगलि‍ कऽ टपब। पुन: उठलै माइक कएल भानस। खेबा-पीबा राति‍ भऽ  गेल। भानस कऽ कऽ माए तकैले बौआइत हएत। मने-मन कहैत हएत साँझ भऽ गेल अखन धरि‍ कोन जंगल-झारमे बौआइत हएत। चारि‍ बेर सोर पाड़ि‍ बाबूओ अकछि‍ कऽ अपनो खेनाइ छोड़ि‍ ओछाइनपर ओंघरा गेल हेता।
मन कतौ तन कतौ शंभूक जहलक कैदी जकाँ। हि‍चुकी बढ़ि‍तो गेलै आ जोरो केलक। आगूमे ठाढ़ भेल मांगन असमंजसमे पड़ल। केना नै पड़ि‍तथि‍? जि‍नगीक पहि‍ल दि‍न पहि‍ल दृश्‍य। तँए नाटकक बि‍नु देखल दृश्‍यक सदृ। सोलहन्नी नव! जहि‍ना परीक्षा फीस नै रहने वि‍द्यार्थीकेँ फार्म भरैक अंति‍म चारि‍ बजे, नमहर बमारी एने परि‍वारक, जेठुआ दुपहरि‍यामे पीआकक मन बौरा जाइत तहि‍ना मांगनकेँ सेहो भेलनि‍। एक दि‍स हुअएबला जि‍नगीक प्रश्न अछि‍ तँ दोसर दि‍स असकरे ओइ जगहपर पहुँचि‍ गेल अछि‍ जतए सभ अपरि‍चि‍ते छैक। मन नाचि‍ भगवान रामपर गेलनि‍। अयोध्‍याक राजक बदला न भेटलनि‍। मुदा अयोध्‍यासँ ि‍नकलि‍ गंगा पाड़ होइतहि‍ कोनो नै कोनो ऋृषि‍-मुनि‍क आश्रम भेटि‍ते गेलनि‍, तखन वन की भेलनि‍? मुदा लगले मन उनटि‍ गामक बढ़‍ माएपर गेलनि‍। बेचारीकेँ जही दि‍न नातिनक जन्‍म भेल बेटी मरि‍ गेलनि‍। नानीसँ माए बनि‍ बेचारी मरनी बेटी दुलारूक नाओं नाति‍नक रखलनि‍। उत्‍साह जगलनि‍। मन बाजि‍ उठलनि‍- ऐ बच्‍चाकेँ नै बौआए देबै। भलहि‍ं राति‍ कि‍अए ने जागि‍ कऽ बि‍तबए पड़ए। मुदा शंको तँ जीवि‍ते अछि‍। लगले मनमे उठलनि‍ जे हो-न-हो अनचोकेमे नीन चलि‍ आबए आ तहीकाल पड़ा जाए। झाड़ी वोन जकाँ मांगनकेँ रस्‍ता  भेटबे ने करनि‍। जँ भेटबो करनि‍ तँ कोशि‍कन्हाक खट्ठा-पटेरक रस्‍ता।  लगले ओरा जाएत। ओरेबो केना नै करि‍तनि‍? भूख-पिआस, नीन ककरो पूछि‍ कऽ अबैए। भलहि‍ं ओकरा सुति‍ कऽ आकि‍ खा-पी कऽ भगाओल जा सकैए। आगूक बाट भेटि‍ते मांगन कोठरीक केबाड़ कुन्जी सि‍रमामे रखि‍ लेलनि‍। मुदा तैयो शंका दबि‍ते रहनि‍ जे जखन नीनभेर भऽ सुतब आ शंभू पड़ाए चाहत तँ कि‍ सि‍रमाक चाभी नै नि‍कालि‍ सकैए।
धीरे-धीरे शंभूक कनैक अवाजमे मि‍ठापन अबए लगल। भरि‍सक नीनक आगमन भऽ रहल अछि‍। मि‍ठासे कानब ने सुखोक एकटा कारण छि‍ऐ। मुदा तैयो मांगनक मन उचैट‍ते जाइत। घर-बाहरक वा तीर्थ यात्रा आ तीर्थस्‍थानक सीमापर जहि‍ना संकल्‍पक उदय होइत तहि‍ना मांगनकेँ सेहो भेलनि‍। तकैत आँखि‍ये काल्‍हुक सुर्ज देखब। मुदा असगर तँ राति‍यो काटब असान नहि‍ये। समुद्रक अगम पानि‍मे डूए लगलाह। मुदा लगले नाचक ओइ हरही बुढ़ि‍यापर नजरि‍ पड़लनि‍। नजरि‍ पड़ि‍ते उठलनि‍ ओहो बुढ़ि‍या गामक युग पाखरि‍ये छी। आन-आनकेँ देखै छी जे लोकक लाटमे राति‍ बि‍तबए चाहैए ओ आेकरा कि‍यो लाटमे रहए नै दि‍अए चाहैए। मुदा बुढ़ि‍या तँ बुढ़ि‍ये छी, कि‍यो ओकर बात सुनै वा नै‍ सुनै भरि‍ राति‍ बड़बड़ाइते रहैत अछि‍। भलहि‍ं साँझकेँ भोर कहै आकि‍ भोरकेँ साँझ। जखैन‍ जे मन फुड़ैत तखैन से पहरि‍या नोकर जकाँ भरि‍ राति‍ ठाढ़ करैत। अस-वि‍स करैत बरि‍आतीकेँ जहि‍ना खि‍स्‍सकरक रंग-रंगक चसगर चासनीमे डूबैत तहि‍ना मांगनि‍क मन बड़बड़ा लगलनि‍। बि‍सरए लगला शंभूकेँ अपन कर्तव्‍य-कर्ममे डूए लगलाह। हाथ-पएर मारि‍ अन्‍हारे-अन्‍हार नीन आबि‍ शंभूकेँ गोति‍ देलक। जहि‍ना अथाह पानि‍क तरमे मुँहक बोल पानि‍येमे बि‍‍लीन भऽ जाइत तहि‍ना शंभूक कानब भेल। नाकक साँसक अवाजसँ मांगनकेँ बि‍‍सवास भऽ गेलनि‍ जे शंभूकेँ नीन आबि‍ गेल। असथि‍र भेलाह। मुदा फेर लगले उठलनि‍ जे चहाएल मन कखनो चहा कऽ उठि‍ सकैए। जँ कहीं शंभूक नीन देखि‍ अपनो नीन पड़ि‍ गेलौं तखन तँ सभ चौपट भऽ जाएत। ओना दुनि‍याँ देखैबलाक छी। देखैबला दुनि‍याँक बीच हराएत कि‍अए। जखन सभ मि‍ला दुनि‍याँ अछि‍ तखन हराइक प्रश्न कत अछि‍? मुदा लोककेँ दि‍सांशो तँ लगै छै। दि‍सांशे लगलापर ने कि‍यो पूबकेँ पछि‍म आ उत्तरकेँ दछि‍न बुझै छै मुदा अकासकेँ पताल आ पतालकेँ अकास कहाँ बुझै छै? लगले ओइ सीमापर पहुँचि‍ गेल। जतए बाल-बोधक रच्‍छा होएत। बाल-बोधक रच्‍छा तखने भऽ सकैए जखन ओकरापर नजरि‍ राखल जाए। तइ बीच मनमे उठलनि‍ अपन आ अपन संगीक संग संस्‍थाक मह। मन बुदबुदाए लगलनि‍।
मनुखक जीवन तँ तखने ने जीवन जखन जीवनक वोन लगा दि‍अए। ओना एक बारगी एहन शक्‍ति‍क उदय संभव नै, मुदा डारि‍ पात, सि‍र, फड़, फूल इत्‍यादि‍क एक-एक अंगक तात्वि‍क बोध होय। कतेको व्‍यक्‍ति‍ ऐठाम -संगीत केन्‍द्र- सँ गायक, वादक बनि‍-बनि‍ अपन शक्‍ति‍क प्रदर्शन करैत आबि‍ रहल छथि‍। ओइ आम-जामुनकेँ कि‍अए ने सबर हेतै जे अपन बाल-बच्‍चाक -गाछी- संग शरीर त्‍यागत। जहि‍ना आइ धरि,‍ घर-परि‍वार बसबै पाछू लगल रहलौं तहि‍ना जाबे घटमे घटवार अछि‍ नाओ खेबैत रहब। भि‍नसरमे जखन शंभूक संग गाम पहुँचाबए जाएब तखन सोझे घुरि‍ कऽ चलि‍ नै आएब। बहुत दि‍न भेँट भेना सरि‍या दासीनसँ भऽ गेल। स्‍वर्गक गायि‍का मुदा से नै पाहि‍ लगा एकठामसँ शुरू करब आ सबहक भेँट करबनि‍। हँ, जरूर करबनि‍। मुदा गुरओजी मानथि‍ तखन ने। जहाँ एकसँ दोसर दि‍न हएत कि‍ हकबाहि‍ करए लगताह। समाद-पर समाद पठबए लगताह। ओहो तँ जरूरि‍ये अछि‍। नै रहने अपन सुन्‍दर फुलवाड़ीक ताम-कोर के करत? खाएर जे होय बाल गोवि‍न्‍द जीक ऐठाम जरूर जाएब। बड़ागामक लहलहाइत बगीचाक ओगरवाही तँ वएह ने कए रहला अछि‍। ओना अपने सीख-लि‍खक समांग महेन्‍द्र सेहो छथि‍। महेन्‍द्र बालानन्‍द, शंकर, संजीव, रामनारायण, वि‍नय, बेचन ऐठामसँ राम प्रसाद महतो ऐठाम होइते आगू बढ़ब। नै जाएब सेहो उचि‍त नहि‍ये हएत। मनुख तँ कौछ नै छी जे अंडा दैत पड़ाएल जाएब। मुदा काँकोड़ो तँ नहि‍ये छी जे जकरा पेटमे रखलौं ओ पेटे खोखरि‍ खा लि‍अए। शीतनारायण सुरेन्‍द्र आ अजयसँ सेहो भेँट कये लेब। ओना भेँट हएत कि‍ नै सेहो ठेकान नहि‍ये अछि‍, कि‍अए तँ उ़नबाज सभ ने बनि‍ गेला अछि‍। हदसँ अधिक पीतमरू राम प्रसाद। प्रेमकेँ जहि‍ना प्रेमास्‍पदक बाट भेटि‍ते वि‍श्वास भऽ जाइत जे प्रेमी संगे-संग चलि‍ रहल छथि‍ तहि‍ना राम प्रसादो ने। मुदा बेसी लटारम्‍हमे कतौ नै पड़ब। लटारम्‍हममे पड़ब तखने ने बेसी दि‍न लागत। जँ से नै करब तँ कि‍अए बेसी समए लगत। हँ तखन एकटा करब जे जखन कि‍यो भेँट हेता ते हुनको गुरजीसँ मोबाइलपर भेँट करा देबनि‍। जखने भेँट हेतनि‍ तखने ने बुझथि‍न जे परि‍वार आ संयास कि‍ छि‍ऐ। जखन ओमहर जाएब तखन हि‍ताइ दास, बेचन मण्‍डल, राम गुलाम दास, रामायणी देवी, छठू दास, दरवारी दास, बतहू मण्‍डल, लखन दास, राधेश्‍यामजी, रामजी दास, बौआ झा, राम भजनसँ भेँट नै करि‍यनि‍ तँ जि‍नगी भरि‍ उपरागक मोटरी कपारपर चढ़ल रहत। जँ कहि‍यो भेँट हेता तखनो आ समदि‍यो दि‍या समाद पठा कहता जे एम्‍हर एलौं हमरा छोड़ि‍ देलौं। मनमे उठलनि‍ माटि‍ये पानि‍क संयोगसँ ने जीवधारीक सि‍रजन होइए। गंगा-ब्रह्मपुरक बीचक धरती मि‍थि‍ला। एकलब्‍य सदृ एक-सँ-एक याेद्धा कर्मरत छथि‍। एक लपकन अमतो चलि‍ए जाएब। राधाकृष्‍ण आ कारतारामक लगाओल फुलवाड़ी। ध्रुपदक वि‍शेष चमत्‍कारी शैलीक फुलवाड़ी। पद्मश्री राम चतुरजी, वि‍दुर, अभय, रामकुमार, रमेश आ पाठक जीक भेँट सेहो कये लेबनि‍। मन बि‍लमलनि‍। राइति‍क बारह बजि‍ गेल। कोठरीसँ नि‍कलि‍ अकास दि‍स देखलनि‍ तँ बि‍‍ पड़लनि‍ जे अन्‍हार ओससँ भऽ शीतल बना रहल अछि‍। साँझसँ दवाएल इजोत अन्‍हारक सोझ आबि‍ ठाढ़ भऽ गेल अछि‍। अधो राति‍ तँ आब जगैक अछि‍। एक दि‍न बीतने तँ माघ सन जाड़केँ पि‍हकारी दऽ भगाओल जा सकैए तँ अधा राति‍केँ एकटा धुनो ठेल सकैए। पुन: कोठरी आबि‍ शंभूकेँ देखि‍ ओछाइनपर ओंङठि‍ गेला।
ओङठि‍ते मन पड़लनि‍ पानि‍चोभ। जखन अमता जेबे करब तखन एक लपकन पनि‍चोभो चलि‍ये जाएब। ओना जखने पनि‍चोभ जाएब तँ ओ दि‍न गुनैत-गुनैत सात दि‍नसँ पहि‍ने नहि‍ये छोड़ताह मुदा ओते नै अँटकब। एम्‍हर अँटकब तँ अपन बोहि‍यो जाएब। अबध जीक लगाओल गाछी कोन तरहेँ रामचन्‍द्र, दि‍नेश्वर, राजकुमार मंगनू, फुलानन्‍द, भूपेन्‍द्र ओगरबाहि‍ कऽ रहल छथि‍ सेहो बि‍ना गेने केना देखब। ओम्‍हरसँ बनारसक गुर-शि‍ष्‍य परम्‍पराक जीवि‍त रखनि‍हार खरबान जीक ऐठाम सेहो जेबे करब। मनसा मि‍श्र आ डीही मि‍श्रक लगाओल कृष्‍ण लीला आ रामकथाक वृक्ष कोन तरहेँ सीतू, हीरा, भगत, रामजी, परमेश्वरी, अनन्‍त दम्‍मन, सत्‍यनारायण आ रामवृक्ष सि‍ंह पालि‍-पोसि‍ रहला अछि‍ सेहो देखि‍ लेब। ओना बीच बाटपर दरवारी दास सेहो पड़ताह मुदा ओ घुमन्‍त लोक, भेँट हेता कि‍ नै खाएर गाम तँ कम-सँ-कम देखि‍ लेब। आगू कहि‍यो दोखी तँ नै हएब।
भोर होइते चारू दि‍सक गाछी-कलम बँसवारि‍सँ चि‍ड़ै सबहक अवाज उठए लगल।  कि‍यो अपन संगीकेँ कहैत जे भोरूका नीन बेसी सोहनगर होइ छै तँए एक नीन ओरो लगा लि‍अ। तँ कि‍यो कहैत सुर्ज उगलापर तँ दुनि‍याँक एक-कोनसँ दोसर कोन धरि‍ उड़ैत समए रहैए तँए ओइसँ पहि‍ने जते उड़ि‍ लेब ओते अगुआएल रहब। चि‍ड़ैक अवाज सुनि‍ मांगनक मनमे सबुर भेलनि‍ जे भरि‍सक भोर होइपर अछि‍। राति‍ बीत गेल एकोबरे नीन कहाँ आएल। आब जँ शंभू उठबो करत तँ रतुका डर थोड़े खेहारतै। मुदा प्रश्न उठलनि‍- भरि‍ राति‍ जगैक प्रयोजन की‍‍?
जहि‍ना गाछपर रहैबला चि‍ड़ै-चुनमुनी होय आकि‍ पोखरि‍मे रहैबला, माटि‍मे रहैबला जीव-जन्‍तु होय आकि‍ पाथरमे बास करैबला हुअए, सबहक माए-बाप ताधरि‍ ओगरबाहि‍ करैत जाधरि‍ ओ स्‍वतंत्र भऽ जि‍नगी नै प्राप्‍त कऽ लैत।
शंभूकेँ गाम पहुँचा मांगन आगू बढ़ि‍ गेलाह।
राति‍ भरि‍क संतोखीदास आ सुखनीक चि‍न्‍ता शंभूपर नजरि‍ पड़ि‍तहि‍ उड़ि‍ गेल। पुछैक प्रयोजने ने बि‍‍ पड़लनि‍ जे पुछि‍ऐ राति‍ कतए रहए। ओना दुनू परानीकेँ पहि‍नेसँ बुझल जे कीर्तन मंडलीक संग रहैए, भगवानक भजन कीर्तन करैए। मुदा तैयो शंभूपर नजरि‍ पड़ि‍ते मन खुशी भेलनि‍। मनमे उठलनि‍ जे माल-जाल जकाँ थोड़े बान्‍हल जा सकैए। जेना-जेना सड़कैत जाएत तेना-तेना अपने ने जि‍नगीक बान्‍ह लगैत जेतै। आह्लादि‍त भऽ संतोखीदास पुछलखि‍न- बौआ, काल्हि‍येसँ नै देखने छलि‍यह। कतौ अनतए गेल छेलह?”
पि‍ताक सि‍नेह शंभूक सि‍नेहकेँ सेहो जगा देलक। बाजल- बाबू, भोरेसँ काल्हि‍ मन औनाए लगल। कतबो असथि‍र हुअ चाही से हेबे ने करी। घुरि‍-फि‍र पचगछि‍ये मन पड़ि‍ जाए।
संतोखीदास- पचगछि‍या केना बुझलहक?”
शंभू- कीर्तन मण्‍डलीमे बेसी काल चरचा होइ छै। जना सभ कि‍छु ि‍बसरि‍ गेलौं। हरल ने फुड़ल वि‍दा भऽ गेलौं। ओतए चलि‍ गेल छलौं। बड़का-बड़का गवैया, वजन्‍त्री सभ ओइठीन छै।
संतोखीदास- अइले एते दूर जाइक कोन खगता अछि‍। सुनै छी अपने गाममे महीना दि‍न रमलीला चलत। कते देखबहक?”
शंभू- कते दि‍नमे आओत?”
संतोखीदास- अगि‍ला मास आओत। अखन आसि‍न-काति‍क छि‍ऐ ने राजो-महराजक बखारी खलि‍या जाइ छै। तइपर दुनू मास तेहेन अछि‍ जे सभ दि‍न पावनि‍ये-पावनि‍ अछि‍। अगि‍ला मास धानोक लड़ती-चड़ती शुरू भऽ जाएत आ पानि‍यो-बुन्नी ठमकि‍ जाएत।
शंभू- सि‍नेमा जकाँ एक्के सभ दि‍न हएत?”
संतोखीदास- नइ, जहि‍ना बच्‍चाक जन्‍म होइ छै, आ लागल-लागल ठेहुनि‍या दइ छै, खसैत-पड़ैत उठैए। उठि‍ कऽ चलैए। पढ़ै-लि‍खैए बि‍ह-दुरागमन होइ छै, घर-परि‍वार होइ छै। ताबे माइयो-बाप बुढ़ भऽ जाइ छै। ओकरो सेवा-बरदास करैए। तहि‍ना रमलीलोमे होइ छै। सभ दि‍न सभ रंगक होइ छै। जइसँ बेसी खरचो होइ छै आ समैओ लगै छै। तँए भरि‍ मन देखबो करैए। जइ काजमे जते समए मेहनत आ खर्च लगत ओ काज ओते नम्‍हरो आ नीको होइ छै।
शंभू- अपना गाममे कहि‍यो भेलो छै?”
संतोखीदास- नइ। रमलीला कोनो अद्दी-गुद्दी छी जे सभ गौआँ कऽ लेत। दुर्गापूजा जकाँ छी। जहि‍ना पावनि‍-ति‍हार, पूजा-पाठ तँ घरे-घर होइए मुदा दुर्गोपूजा करैमे गौआँकेँ डोराडोरि‍ सक्कत कऽ कऽ बान्‍हए पड़ै छै।

छठि‍क परातेसँ झट्टा-पि‍ट्टा शुरू भेल। बाधक रंग बदलए लगल। एक तँ रंग-रंगक धानक चास, तइपरसँ धानक बदलैत रंग। बेरूपहर जँ कि‍सान भरल चास देखैत ओ भि‍नसर सेहो देखैक उदेससँ खुशी होइत घरपर अबैत आ जे भि‍नसरू पहर ओसमे नहाएल देखैत ओ बेरू पहर फेर देखैक आससँ अबैत। जहि‍ना भरल-पूरल परि‍वारमे देहक सभ अंग भरल-पूरल चलैत तहि‍ना सुभ्‍यस्‍त समए भेने शुरूहेसँ धानोक भेल। जहि‍ना खेतमे काज करैकाल कि‍सान हरा जाइत तहि‍ना अगहनमे बोनि‍हार। के ने दुइयो-चारि‍ कट्ठा खेती केने रहैए।
काति‍कक पूर्णिमाक प्रातसँ रामलीला शुरू हएत। तँए अबैसँ आठ-नअो दि‍न पहि‍ने रहुआक कमल नारायण, गरीब झा, जलेसर आ दयाकान्‍त बेर टगैत (करीब तीन बजे) गाम पहुँचलाह। ओना गामक लोक पनरह-बीस दि‍न पहि‍नेसँ बुझैत जे रामलीला हएत। मुदा बि‍ह-दुरागमनक लगने जकाँ लोकक मनमे। असल लग्‍न तँ तखन ने शुरू होएत जखन बर-कन्‍याक देखा-सुनी हुअए लगैत। गाम पहुँचि‍ते जना हवाक संगे अबैक समाचारो पसड़ल। सीमाकातक आमक गाछक नि‍च्‍चामे ठाढ़े-ठाढे चारू गोटे वि‍चार करए लगलाह जे गौआँ सभसँ गप-सप्‍प केना हएत? बि‍ना गप-सप्‍प भेने आगू काज नै ससड़त। मुदा गौआँसँ मुखातीब केना हएत? इहो तँ नान्हि‍टा काज नै अखनो समाजमे ओहन लोकक कमी नै जे बि‍ना आग्रह केने बरो-बमारी आकि‍ मुरदो डाहए नै जेता। तइठाम अनगौआँक संग कि‍ करताह ई तँ कठि‍न प्रश्न अछि‍। मुदा एकटा तँ अखनो अछि‍ जे नव लोक वा नव चीज गाममे एने लोक बि‍नु कहनौं देखए जाइत। भलहि‍ं बाधे दि‍स जाइक बहाना कि‍अए ने करैत। कमल नारायण गरीब झाकेँ पुछलखि‍न- गाम तँ आबि‍ गेलौं, आगू कि‍ सभ हएत?”
कमल नारायणक बात सुनि‍ गरीब झा गाम दि‍स आँखि‍ उठौलनि‍ तँ देखलनि‍ जे एक्के-दुइये आगू-पाछू लोक सभ धरि‍आएल आबि‍ रहल छथि‍। लोककेँ देखबैत गरीब झा बजलाह- जहि‍ना अपना सभ गौआँकेँ रामलीला देखबए चाहै छि‍यनि‍ तहि‍ना ने गौआँ सभ देखैक ओरि‍यान करताह। एहेन-एहेन काज अगुतेने होइ छै।

अखन धरि‍ गाममे रामलीला नै हाेइक कारण रहल जे गाममे ने एक्कोटा जमीन्‍दार आ ने जेठ-रैयत। कम आॅट-पेटक कि‍सान। जि‍नका अपने जि‍नगी पहाड़। बाढ़ि‍-रौदीक इलाका। एक सालक बाढ़ि‍ वा रौदी कि‍सानकेँ पाँच बर्ख पाछू धकेल दैत अछि‍। तइठाम दुर्गापूजा आकि‍ रामलीला लोकक मनमे उठत केना। मुदा एकटा गौरब गामक अछि‍ दू सए बर्ख पहि‍ने जते लोक आ परि‍वार छल ओइमे दस गुणाक वृद्धि‍ भेल अछि‍। ओना ई बात नै जे ओइ गामक लोक बम्‍बै, कलक्ता, दि‍ल्‍लीक आमदनी नै बुझैत, बुझैत मुदा गामक सि‍नेह आ वि‍श्वामि‍त्र सदृ जि‍बटगर। कि‍अए ने जि‍बटगर रहत? कोनो कि‍ आइये रौदी, बाढ़ि‍ आकि‍ अन्‍हर-बि‍हाड़ि‍, भुमकम भेल अछि‍ सभ दि‍नसँ होइत आएल अछि‍ होइत रहत। तरहस्‍थीक मैल जकाँ दू बेर रगड़ि‍ देबै छुछि‍ जाएत। ततबे नै‍ गामक इहो गौरव अछि‍ जे बरहबरना माने बारहो वरनक गाम रहि‍तो ने कहि‍यो अपनामे लाठी-फराठी नि‍कलल आ ने कोट-कचहरीक दछि‍ना भरए पड़ल अछि‍।

रामलीलो पार्टी आ गौआेंक बीच गप-सप्‍पक क्रममे तेँए भेल जे ब्रह्मस्‍थान सार्वजनि‍क जगह छी, ओ तँ बैसि‍ अगि‍ला गप-सप्‍प हुअए। सएह भेल।

लोकक बीच कमल जीक हृदए उमड़ि‍ गेलनि‍। कला-सि‍नेही। वि‍ह्वल भऽ बजलाह- आइ धरि‍ न गाम नै देखने छलौं जइठाम एहन हृदैक मि‍लान भेल। अखन धरि‍ जेहन-जेहन गाम देखलौं तइसँ भि‍न्न गाम बि‍‍ पड़ैए। एे रूपे कहाँ कोनो गाममे रामलीलाक प्रति‍ आकर्षण छै।
मुदा लगले मन आगू बढ़ि‍ गेलनि‍। भवानक रामक प्रति‍ लोकक वि‍श्वासक कारण अछि‍ आकि‍ मनोरंजनक? मनोरंजनो तँ जीवनक संगे चलैबला सहचरि‍ये छी आकि‍ जि‍नगीसँ अलग चलैबला? कर्म-आनन्‍द मि‍लि‍ लीला करैत अछि‍। सभ सबहक मुँह देखैत जे के कि‍ बजै छथि‍। कारणो अछि‍। सभ अपनकेँ नव बि‍‍ नव फूलक सुगंध लि‍अए चाहैत। सभकेँ चूप देखि‍ पुन: कमलजी बजलाह- अहीबेर टा नै जहि‍या कहि‍यो लीला देखबैक अवसर देब तहि‍या जरूर आगूओ देखबैत रहब। बजैले आगू रहबे करनि आकि‍ बि‍चेमे गरीब झा टपकि‍ उठलाह। जहि‍ना राज-दरबारमे कि‍छु गोटेकेँ बजैले परमीशन नै लि‍अए पड़ैत तहि‍ना रामलीला मेड़ि‍याक बीच गरीब जीकेँ। जहि‍ना गरीब नाओं तहि‍ना एक चेराक चेहरा। भीतर-बाहर एक्के रंग। ने गमहारि‍क चेरा जकाँ अमेरि‍कन आ ने कटहरक चेरा जकाँ यूरोपीयन। बस-बस सोलहो आना आमक चेरा जकाँ इन्‍डि‍यन। चौबीसो घंटा शरीरसँ कला छि‍टकैत। मुस्‍की दैत बजलाह- “भाय, सर-समाज जहि‍ना कमल भाइक संग पाबि‍ गरीबो झा जलेसरो आ दयाकान्‍तो कलाकारक पात्र बनि‍ सेवाक लेल एलौं तहि‍ना अहूँ सभ गारा-जेाड़ी कए संगी बनब। -हँसैत- जेना हि‍जरा-हि‍जरनि‍या सभकेँ देखै छि‍ऐ जे कोनो-गाम कोनो समाज ओकरा बान्‍हि‍ कऽ नै रखैत तहि‍ना हमरो-सभसँ छि‍पाएब नै।
कहि‍ पुन: बजलाह- होउ भाय, आब अपन अगि‍ला वि‍चार कहि‍यनु।

गरीब झाक वि‍चारकेँ कमलजी मनमे औंटै-पौड़ैत रहथि‍। मनमे हौंड़ैत रहनि‍ जे भरि‍सक अपना इलाकामे जते रामलीला पार्टी छथि‍ ओ सभ भरि‍सक एक सीमाक भीतरे चक्कर कटैत रहलाह। जइसँ सभकेँ उठैक समान वातावरण नै भेट सकल। भरि‍सक गनल-गूथल गाम आ गनल-गूथल समाजक भीतरे रहि‍ गेलाह। मुदा इहो तँ झूठ नहि‍ये जे जते रामलीला देखै-देखबैक जरूरति‍ अछि‍ ओते मेड़ि‍या अछि‍यो नै। तँए कि‍ लोक नै देखैत अछि‍ सेहो बात नै। जहि‍ना पचमहलो कोठामे मनुखे रहैए आ बाधमे बनल रखबारक खोपड़ीमे सेहो मनुखे रहैए। रामलीलाक अति‍रि‍क्‍तो नाटक, नौटंकी थि‍येटर रास, आॅरकेस्‍ट्रा, लोक नाच, वि‍षय-कीर्तन, कौव्‍वाली, इत्‍यादि‍ तँ चलि‍ते अछि‍। रामलीलामे जहि‍ना रामकथा चलैत अछि‍ तहि‍ना लोको नाचमे तँ चलि‍ते अछि‍। मुस्‍कुराइत कमल बजलाह- आइ अहाँ सबहक अति‍थि‍-अभ्‍यागती भेल। हम सभ गाछी-बि‍रछीमे रहैबला छी तँए भारो कम्‍मे देब। राति‍मे नि‍चेनसँ सभ एकठाम बैसि‍ हब-गब करब। अखन एतबे कहू जे हृदैसँ चाहै छी आकि‍ नै।

एक तँ गाममे पहि‍ले-पहि‍ल रामलीला हएत तेकर खुशी तइपर उपजल गामक गदगदी। एक स्‍वरे सभ हूँहकारी भरि‍ देलकै।
दि‍शा-मैदान दिस टहलि‍ दोसरि‍ साँझमे सभ कि‍यो एकठाम बैसलाह। लोकक खुशीकेँ अपना दि‍स खींचैत गरीब झा ठाढ़ भऽ बजए लगलाह- अहाँ सभकेँ बुझले हएत जे रामलीलाक स्‍टेज बनत। स्‍टेजक पाछू कलाकारक बेवस्‍था रहत आ आगूमे देखनि‍‍हारक। स्‍टेज आ स्‍टेजक पाछूक बेवस्‍था ले तँ बासो-बेलन आ परदो अछि‍ये। रहल स्‍टेजक आगूक बेवस्‍थाक। से तँ समाजे करब।

गरीब झाक बात सुनि‍ संतोखीदास दोहरबैत कहलखि‍न- कनी फड़ि‍छा कऽ कहि‍यौ गरीबबाबू। नीक-नहाँति‍ नै बि‍‍ सकलौं?”

गरीब झा- कते गाममे रामलीला खेलेलौं हन। सभ गाममे कि‍छु-ने-कि‍छु तफड़का रहि‍ते अछि‍। जना कते गाममे पुरुख दर्शकक लेल अलग आ महि‍लाक लेल अलग ढाठ गाड़ि‍ बेवस्‍था कएल जाइए। तँ कोनो-कोनो गाममे से नै होइए।
संतोखीदास मुस्‍कुराइत- गरीब भाय, देखनि‍‍हारसँ पहि‍ने खेलेनि‍हारक चर्च करू जे खेलेनि‍हारक बीच ने ते.....?”

संतोखीदासक प्रश्न सुनि‍ गरीब झा सकपकेलाह। ओना पेटक बात ओंढ़ मारि‍ गुंगि‍या-गुंगि‍या नि‍कलए चाहनि‍। मुदा अपनाकेँ एक कलाकार मानि‍ सहमि‍ जाइत। दुनू गोटेक बीचक सबाल-जबाब सुनि‍ कमल जीकेँ नै रहल गेलनि‍। मुदा नजरि‍ गाम (समाज) दि‍स नै अपन मेड़ि‍यापर पड़लनि‍। सभ एकठाम बैसि‍ खाइ पीबै, सुतै-बैइसै छी। घर-गि‍रहस्‍तीक संग घरवाली बाल-बच्‍चाक संग कला-साहि‍त्‍यपर वि‍चार करैत गति‍-मुक्‍तीक वि‍चार-विमर्श करै छी, तखन एहेन प्रश्न कि‍एक उठल। पचपन-साठि‍ बर्खक, अगि‍ला दाँत टटल, केशपाकल, छड़गड़ कमलबाबूक मनमे झटका लगलनि‍। मनमे उठलनि‍ जहि‍ना गाए लेल गोशाला तीर्थस्‍थान होइत, वि‍द्यार्थीक लेल वि‍द्यालय, रोगीक लेल अस्‍पताल तहि‍ना ने कला प्रेमीक लेल रंगमंच। यएह गरीब झा छथि‍ जे प्राथमि‍क वि‍द्यालयमे शि‍क्षक छलाह। दरमाहा पाइ कहि‍यो परि‍वारमे नै दै छेलखि‍न। सभ दि‍न सि‍नेमे, नाटकक चक्करमे घुमैत रहलाह। जखन अपन पार्टी ठाढ़ भेल तखन वि‍द्यालय छोड़ि‍ एला। तहि‍ना दयाकान्‍तो छथि‍। बनारसमे रहि‍ शास्‍त्रीय, उपशास्त्रीय संगीत सि‍खने छथि‍। तहि‍ना जलेसर सेहो मन चोभि‍या नाचसँ आएल छथि‍। अपनो पचगछि‍या कुटुमक संसर्गमे रहल छी। अजुनो छकड़वाजीसँ आएल अछि‍। पुन: मनमे उठलनि‍ सच्‍चामे कच्‍चा की। उफनि‍ बजलाह- सभ काजक सीमा होइ छै। अहाँ सबहक जे सीमा अछि‍ तेकर भार अहाँ सभपर आ हमर सबहक जे सीमा अछि‍ तेकर भार हमरा सभपर। द्वारपाल बनि‍ अपन-अपन सेवा जँ इमानदारीसँ देब तँ कोनो तरहक गंदगी नै आओत।

कमल नारायण जीक वि‍चार सुनि‍ संतोखीदास बाजल- आइ धरि‍ ऐ गाममे रामलीला भेबे नै कएल अछि‍ तखन अनुमानसँ कि‍छु सोचब आ बुझबमे कतौ-ने-कतौ कमी रहि‍ये जाएत। मुदा इहो नै कहब जे ओ अनि‍वार्ये अछि‍ नहि‍यो भऽ सकैए। ई ि‍नर्भर करैत अछि‍ गामक बेवस्‍थापर। जइ गामक जेहन बेवस्‍था रहत तइ गाममे तेहेन काज हएत। ओना गामक भीतर काँकोड़ वा मकड़ा जकाँ गामक जाल पसरल अछि‍। एहनो नाच वा पूजा अछि‍ जे खास जाति‍क प्रवेश आ खास जाति‍क ि‍नषेध अछि‍। जखन कि‍ मूल प्रश्न अछि‍ कला आ धर्मक। तहि‍ना मनुक्‍खक संग देवतो आ कलो बटाएल अछि‍। जइसँ जबरदस टाट लगि‍ गेल अछि‍।

संतोखीदासक बात सुनि‍ गरीब झा ठहाका मारि‍ पुछलखि‍न- तखन?”
गरीब झाक जि‍ज्ञासा देखि‍ संतोखीदास मुस्‍की दैत कहलखि‍न- जेकरा कोनो गाछक जड़ि‍क बोध हएत वएह ओइ गाछक गुण बि‍‍ सकैए। मुदा ऐठाम तँ अखन गाछ जनमैक सुरे-सार भऽ रहल अछि‍ तखन तँ प्रश्न उठैक समैओ नै बनल अछि‍।
गरीब झा- तखन?”

संतोखीदास- हँ, अखन घरसँ बहर धरि‍क छी तँए अखने आगूक लेल रास्‍ताक ि‍नर्माण कऽ लेब, नीक हएत। ओना कोनो नि‍म अस्‍थाइ नै भऽ सकैए। कारण जे समैक संग समाज चलैए तेँ नि‍यमोक संग चलए पड़त। जइसँ कि‍छु नै कि‍छु सुधार होइते चलत। जे समैक अनुकूल हेतै। हमर समाज ओहन अछि‍ जइमे टोल-टोलक आठ-नअो बर्खक बच्‍चासँ लऽ कऽ चेतन, बुढ़-पुरान धरि‍ संगे बाध-वोनमे एकठाम भऽ घास छि‍लैत तीन-तीन चारि‍-चारि घंटा संगे बि‍तबैए। खेतमे संगे रोपैन-कमठाैन करैए। ढेरबासँ जुआन धरि‍ संगे साइकिलसँ दस-दस कि‍लोमीटर स्‍कूल-कओलेज जाइए। तइठाम रामलीला सन जगहमे खाड़ी बनए, ई केहेन.....?

संतोखीदासक प्रश्न सुनि‍ कमल गरीब दि‍स कनडेरि‍ये आँखि‍ये झॅकलनि‍। गरीब जलेसर दि‍स। जलेसर कमल दि‍स। तीनूक तीनू वि‍परीत दि‍शामे बौआए लगलाह। एक-दोसरक बीच नजरि‍क मि‍लान हेबे ने करैत। जहि‍ना छोट बच्‍चा केशौरक परका भाग देखि‍ हाथेसँ खोधि‍या उखाड़ए चाहैत तहि‍ना तीनूक बीच मनमे हुअए लगलनि‍। मुदा से गरे ने लगनि‍। दयाकान्‍त लेल धैन-सन। मने-मन पावसक ि‍वसर्जन करैत समदौन ताल-मात्रा मि‍लबैत। तइकाल कमल नारायण पूछि‍ देलखि‍न-  दया?”

जहि‍ना अनचोकमे कोनो प्रश्नक उत्तर कि‍छु दऽ दैत तहि‍ना दयाकान्‍त मुड़ीक ताल मि‍लबैत धाँइ दऽ बाजि‍ उठलाह- हँ, हँ, सभ नीके।
मुदा लगले जखन भक्क टुटलनि‍ तँ मनमे उठए लगलनि‍ जे की‍ उत्तर भायकेँ दऽ देलि‍यनि‍। ओ राय पछलनि‍ आ हम ओइ बच्‍चा जकाँ कहि‍ देलि‍यनि‍ जे कोनो भोति‍आइत यात्रीकेँ बि‍‍सवासक संग बि‍नु देखल रस्‍ता बता दैत। तहि‍ना भेल। अखन समदौन मात्रा मि‍लबैक समए नै छल जे मृत्‍युक पछाति‍क वएह मात्रा जन्‍मकालक केना हएत। कि‍अए ने हएत। जन्‍म–मृत्‍युमे अन्‍तरे कि‍ छै। खेतक आड़ि‍ जकाँ थोड़े अछि‍ जे खेतसँ ऊपर होइमे, आड़ि‍पर चढ़ैमे डाँड़पर हाथ लि‍अए पड़त। ई तँ खरन्जा, ईंटाक बाट छी जे फुटल छोड़ि‍-छोड़ि‍ सौंसकापर पएर दैत चली।
दयाकान्‍तक उत्तर सुनि‍ कमल आरो भोति‍आए लगलाह। जे सभ नीक तँ अधला की? जँ अधला नै तँ राक्षसक जन्‍म कि‍अए। जँ राक्षस नै तँ मनुखक देहमे मासु-खुन कि‍अए नै? मुदा तइकाल गरीबो झा आ जलेसरो अपन भाँज पुरबैले कमल दि‍स तकलनि‍। बजैले दुनूक मुँह लुसफुसाइत। मुदा पहि‍ने केना बाजब। जलेसरक मनमे गरीब भायकेँ गुरवार बुझै छि‍यनि‍। अखनो बहुत सि‍खबै छथि‍। जखन कि‍ गरीब झाक मनमे उठैत जे कलाकारक रूपमे भलहि‍ं दुनू गोटेक एक जि‍नगी अछि‍ मुदा गाम-समाजक बंधनमे तँ दू छी। तँए पहि‍ने जलेसरक वि‍चार जरूरी। जँ से नै, अगर पच्‍चीस बमारीक रोगीक इलाज पहि‍ने नै भऽ एक बमारीबलाक इलाज हएत तँ नि‍श्चि‍त रूपेँ अधि‍क बमारीबला रोगी मरबे करत। मुदा से नै, जँ पच्‍चीस बमारीक इलाज उपलब्‍ध हएत तँ एक बमारीक इलाज एकटा कोरामि‍नोसँ भऽ जाएत। आँखि‍क इशारासँ जलेसर गरीबकेँ आग्रह केलखि‍न। शि‍क्षक गरीब झा, जे रामलीलाक वि‍दूषककेँ मनमे बि‍जलोका जकाँ तड़कलनि‍ जे रोगीक रोगक इलाज कि‍महरसँ कएल जाए? जालेसर आ गरीब झा दुनूक तत्-मती देखि‍ कमल नारायण जीक मनमे उठलनि‍ जे कतौ जरूर नमहर खाधि‍ अछि‍। वि‍चार बदलैत हँसैत बजलाह- जि‍नगीक पहि‍ल दि‍न एहन आनन्‍दक अवसर भेटल। कहि‍ चुप भऽ गेलाह। मनमे उठलनि‍ जहि‍ना घरमे लगल आगि‍ देखि‍ कोनो आन्‍हर भगए चाहैत मुदा आँखि‍ नै रहने ढि‍मका-ढि‍मकीमे ठेसिया‍-ठेसिया‍ खसैत, कोनो टंगटट्टाक आभास पाबि‍ जान बँचबए कहत तँ ओ टंगटट्टा यएह ने कहत जे भाय केकरा के देखै छै जे तोरा हम देखबह आकि‍ तूँ हमरा। तोरा आँखि‍ नै छह जे देखि‍ कऽ चलबह आ हमरा टांग नै अछि‍ जे एको डेग चलब।

कमल सदृ खि‍लैत कमल जीकेँ संतोखीदास कहलकनि‍- भाय, जतेकाल अहाँ स्‍टेजपर रहब ओतेकाल अहाँ राम, हनुमान आकि‍ रावणक रूप बना रहब मुदा तकर बाद जते समए बचत ओ तँ समाजेक भाए-भैयारीमे बनि‍ रहब कि‍ने? बारह-तेरह बर्खक एकटा बेटा हमरो अछि‍। ऐठाम अछि‍यो। जाबे धरि‍ ऐठाम रहब ताबे धरि‍ ओ सेवामे लगल रहत।
हँसैत कमल बजलाह- सेवाक फल मेवा होइ छै।
जे रोगीकेँ मन भाबए से वैद फरमाबए। अपन नाओं सुनि‍ते शंभू फुड़फुड़ा कऽ उठि‍ कमल जीकेँ गोड़ लगलकनि‍। मुदा जाबे कमलजी असि‍रवाद दि‍तथि‍न तइसँ पहि‍ने गरीबो, जलेसरो आ दयाकान्‍तोकेँ गोड़ लागि‍ समाज दि‍स घुमि‍ पहि‍ने पि‍ता संतोखीदासकेँ गोड़ लागि‍ पाहि‍ लगा सभकेँ गोड़ लगए लगल। मनमे बेहद खुशी! ओहन खुशी जेहन दुरगमनि‍या बहि‍न, पहि‍लुक समाजसँ आगू बढ़ैत नव समाज दि‍स डेग उठबैत। अखन धरि‍ शंभूकेँ असि‍रवाद दक वि‍चार कमलजी करि‍ते रहथि‍। कारणो भेल, जखन शंभू गोड़ लगलकनि‍ तखन कमल योगासनमे बैसले रहथि‍। जइसँ दहि‍ना पएर पोन तर दाबल आ वामा बाहर रहनि‍। तँए असीरवाद दइमे पहि‍ल देरी भेलनि‍, दोसर देरी भेलनि‍ जाबे असीरवाद दि‍तथि‍न ताबे शंभू तीनू गोटेकेँ गोड़ि‍ लागि‍ लेलकनि‍। जइसँ कमल असमंजसमे पड़ि‍ गेला। स्‍कूल-कओजेजमे वि‍द्यार्थीक प्रवेश दि‍न जँ शि‍क्षकक बीच हुअए आ ओइ दि‍न शि‍क्षक वि‍द्यार्थीक बीच प्रवेश पर्व हुअए जइ दि‍न सभ वि‍द्यार्थी-शि‍क्षक रंगमंचक कलाकार जकाँ नव-नव चेहरा सजा, नव-नव कला देखबैत। जइसँ एक-कलाकारकेँ जहि‍ना एक संगी भेटलापर नन्‍द रूप आनन्‍दक रूपमे बढ़ैत, तहि‍ना ने ओहू पर्वमे हएत। सभकेँ तत्-मत् करैत देखि‍ गरीब टभकि‍ उठलाह- आइ शंभू ओइ सीमापर आबि‍ अँटकि‍ गेल जइठामसँ दि‍शा बदलैत। बहुत पैघ आश समाजमे भेटल। मुदा सबर कहाँ भेल। सबर हएत तखन जखन भरि‍ पोख काज अहाँ सभ लेब। शंभूए कि‍अए, एहेन-एहेन शंभू समाजक फुलवाड़ीमे छि‍ड़ि‍आएल अछि‍।
गरीब झाक वि‍चार सुनि‍ संतोखीदास बजलाह- गरीब भाय, आन जे होथि‍, नै बुझल अछि‍, मुदा अहाँ प्राइमरी शि‍क्षकसँ कलाकार भेल छी। तँए जहि‍ना देव पूजनक लेल फुलवाड़ीक फूल बर्जित नै अछि‍, पुस्‍तकालयक पुस्‍तक बर्जित नै अछि‍ तहि‍ना नि‍रवि‍कार भऽ अहूँ समाजक फुलवाड़ीमे घुमि‍-फि‍रि अपन पूजाक फूल चुनि‍ पूजा-पाठ -तामि‍-कोड़ि‍- सेवामे लगा सकै छी।‍

छठि‍क तेसरा दि‍न, अकासक चान अपन प्रवेश देखि‍ मधुरि‍या मुस्‍की दैत। ठंढ़-गर्मक सीमान जेहने मोहक होइत तेहने मोहक दुनू समाजक मनमे। एकक मनमे जे दस गोटे एकठाम बैसि‍ रामलीलाक आनन्‍द लेब तँ दोसराक मनमे नव समाजक बीच जँ नव-कलाक प्रदर्शन नै हएत तँ समाजकेँ जे भेटोन्ह मुदा कलाकार तँ शंखे डोलबैत रहि‍ जेता। अपन सत्ताइसो मेड़ि‍याक संग दू बजे, बेरू पहर टायरगाड़ीपर, साज-बाज, पर्दा-पोस, बाँस-बेलन नेने पहुँचलाह। स्‍कूलक बगलक गाछीक जगह बूझले रहनि‍। एक्के-दुइये गौआँ सेहो पहुँचए लगलाह। जाबे टायरक सामान उताड़ि‍ परतीपर रखैत ताबे लोको गोलि‍या गेल। देखले गरीब झा आ देखले संतोखीदास। नजरि‍ पड़ि‍ते संतोखीदास पुछलकनि‍- भाय, शंभूकेँ डटि‍ कऽ पहुँनाइ करौलि‍ऐ?”
संतोखीदासक बात सुनि‍ गरीब झा बजलाह- एते दि‍न शंभूक संग रहि‍तो नै परेखि‍ सकलौं जे शंभू कि‍ चाहैए।
संतोखी- मतलब?”
गरीब- यएह जे ककरो शुरूहेसँ बाजा दि‍स नजरि‍ रहल तँ ककरो नाच दि‍स तँ ककरो गान दि‍स। ई शंभू तँ अद्भुत अछि‍ जे बाजो ि‍दस ओहने झुकाउ देखै छि‍ऐ आ अवाजोक चर्चे की?”
संतोखी- आब तँ गप-सप्‍प होइते रहत। जखन आबि‍ गेलौं तखन-अंङस-मंङस नहि‍ये हएब नीक। कि‍ वि‍चार अछि‍?”
गरीब- अखन धरि‍क यएह रहल जे आइ खुँटा-खुट्टी गारि‍ लेब। काल्हि‍ परदा-पोस लगा लीला शुरू कऽ देब।
हद करै छी गरीब भाय। अहाँ सभ खाली देखबैत रहि‍यौ गौआँ सभ एक्के घंटामे सभ तैयार कऽ देत। मुदा जखन गाम आबि‍ गेलौं तखन एको दि‍न नागा करब समैक संग धुड़तै हएत?”

तइ बीच समाजमे एकटा हवा उठि‍ गेल। हवा ई जे कि‍यो बाजि‍ देलकै जे जइ गौआँकेँ पच्‍चीस-पच्‍चीस अनगौआँ भोज करबैक इज्‍जत छै ओ दसटा ब्राह्मणकेँ भोजन नै करा सकैए। मुदा गामे छी। खड़ौआ जौरक बान्‍हसँ बनल घर-सभ। एहेन खुऔनि‍हार चारि‍ गोटे। चारू तैयार जे असकरे देब। नवका वि‍वाद चारू गोटेक बीच। गरमा-गरमीक हाव वहए लगल। कि‍यो भोजक संग बुधि‍‍यारी जोड़ि‍ बजैत तँ कि‍यो बाप-दादाक खुनेलहा पोखरि‍ जोड़ि‍ बजैत। कि‍यो जाइति‍क भगैत गबैत तँ कि‍यो हाकि‍म बेटाक। चारू बात सुनि‍-सुनि‍ गौआँक मन घोर-मट्ठा। जे ई चारू केहेन बेर पड़क भदबा बनि‍ गेल। केहने सुन्‍दर सभ कि‍यो एकठाम बैसि‍ रामलीला देखतौं तँ चारू कोट-कचहरीक बाट पकड़ैपर उताहुल। जे गाम कहयो ने देखने छल से देखैले तनफन करैत।
मुदा चारू, गौआँ-अनगौआँ मि‍लि‍, पनचैती मानि‍ लेलक। सबहक बीचमे चारू गोटे पहुँचलाह। गौआँ सभ दोहरी लाभ देखि‍–अनगौआँक आदर आ गौआँमे देखारसँ बाँचब- गरीब झाकेँ मानि‍ लेलनि‍। मने मन गरीब झा सोचलनि‍ जे कोन बड़का पहाड़ अछि‍ जे सभ पाछू ससरि‍ रहल छथि‍। कि‍यो पहाड़ देखि‍ डरैत तँ कि‍यो बच्‍चा माए-बापक संग खुरपीसँ खाधि‍ खुनि‍ खेलाइत। मुदा लगले मन घुमलनि‍ जे जँ चारू गोटेकेँ कहि‍ दि‍नि‍ एक-रंग कऽ सभ चीज दऽ दियौ तखन तँ खीराक फाँक बनि‍ जाएत। परसँ चि‍क्कन आ भीतर फाँक। नीक हएत जे हुनके सभकेँ पूछि‍-पूछि‍ बाँटि‍ दि‍नि‍। मुस्‍की  दैत बजलाह- भाय, अनगौआँ छी, तँए ई नै कहब जे छठूसँ छठूपाना केलक। जि‍नका जे चीज छन्हि‍ ओ ओ चीज देथुन।
गरीब झा- अपना खेतमे जि‍नका सतरि‍या-बासमती धान भेल होन्हि‍ ओ चाउर देथुन। जि‍नका बाड़ीमे तरकारी उपजैत होन्हि‍ ओ तरकारी देथुन। जनका खूँटापर गाए-महीसि‍ होन्हि‍ ओ दूध-दही देथुन।

सभ कि‍छुक जोगाड़ घंटे भरि‍मे भऽ गेल। आइसँ रामलीला हएत ई समाचार जेना सबहक छाती धड़कबए लगल। जि‍नगी वि‍षयक कथाक रंगमंच मास दि‍न धरि‍ गौआँ देखताह। कि‍एक ने खुशीक हि‍लकोर उठतनि‍। आरती चढ़ौआक बरखा सोहे बरस‍बे करत।

मास दि‍नक शंभू संगे-संग खटल। आइ समाप्‍त भऽ रहल अछि‍। काल्हि‍ सभ कि‍यो दोसर गाम चलि‍ जेता। आड़ि‍पर शंभूक ठाढ़ भेल सोचि‍ रहल अछि‍। समाज बदलि‍ कहाँ रहत अछि‍। समाज बदलि‍ कहाँ रहल अछि‍। बढ़ि‍ रहल अछि‍ संतोखी-दासक मनमे उठैत जे छोटसँ पैघ दुनि‍योमे प्रवेश केनि‍हार -जाइबला- केँ कि‍छु कहब कठि‍न अछि‍। तहूमे आब तँ सहजहि‍  नेनासँ चफलगर भेल।
जेबाकाल कमल जीक नोर टघरि‍ गेल रहल छन्हि‍। वएह नोर जे ससुरारि‍‍ जाइवाली रहै छै।

साल भरि‍ बि‍तैत-बि‍तैत शंभू रामलीलाक प्रमुख कलाकारक श्रेणीमे आबि‍ गेल। ओना प्रमुखताक कारण उत्‍कृष्‍टता होइत मुदा शंभूक प्रमुखताक कारण भेल बहुआयामी। जहि‍ना आद्राक पहि‍ल बर्खामे ओहन कि‍सानक मन अधि‍क छटपटाइत जेकरा एक संग अनेको खेती करैक रहै छै। फसल लगबैक लेल मन छटपटाए लगै छै जे अगहनी धानोक बआ आ चौड़ि‍यो खेत अछि‍, गरमा धानक सहो रंग-रंगक बीआ अछि‍, जे मौसमक हि‍सावसँ नै समैक हि‍साबसँ होइत अछि‍। जौं ओ बि‍आ समैपर नै उखाड़ि‍ लगौल जाएत तँ उपजा प्रभावि‍त हएत। मुदा बर्खा चटकने तँ चौड़ीक खेति‍ये बुड़ि‍ जाएत। मुदा शंभूकेँ से नै भेल। ढोलक, हारमोनि‍यम बजबैसँ लऽ कऽ नचनाइ पार्ट खेलनाइ तकमे शामि‍ल भेल। जइसँ पार्टीक भीतर शंभूक मह बढ़ि‍ गेल। कोनो आदमीक -कलाकारसँ लऽ कऽ वादक धरि‍क- अनुपस्‍थि‍ति‍क पूर्ति शंभू करए लगल।
कमल जीक रामलीला पाटीमे शंभू सात बर्ख रहल। ओना अधि‍क उमेर भेने कमल नरायण पार्टी खसा लेलनि‍। गामोक स्‍थि‍ति‍मे ठनका खसलनि‍। सन्‍मुख कोसीक मुँह पछि‍म मुँहेँ जाेर केलक। जइसँ गामक छि‍ड़ि‍आएल बास समटा कऽ घोदि‍या गेल। खेतबलाक स्‍थि‍ति‍ बि‍गड़ि‍ गेलनि‍। कतेको परि‍वार गाम छोड़ि‍ परदेश  रहए लगलाह।
बीस बर्खक शंभू अपन ओकाइत -लम्‍बाई-चौड़ाइ- बुझए लगल। मनमे रंग-रंगक वि‍चार उठए लगलनि‍। मुदा सभ गुण होइतो शंभूक मन उपशास्‍त्रीय संगीत दि‍स अधि‍क झुकल। जेहने स्‍वर तेहने कला। सामंत सबहक टटैत स्‍थि‍ति‍ शास्‍त्रीय संगीतकेँ प्रभावि‍त केलक। ओना प्रभावि‍त उपशास्‍त्रीय सेहो भेल मुदा कम। दरवारीदासक लाट पकड़ि‍ शंभू राजक गवैया बनि‍ वि‍भूषि‍त भऽ गेल।
हजारो लोकक भीड़मे जहि‍ना कि‍यो अपन प्रेमी देखि‍ सभ कि‍छु बि‍सरि‍ जाइत तहि‍ना संगीत प्रेमी शंभूदास घर-परि‍वार बि‍सरि‍ बि‍ह नै केलनि‍। ढहैत बेवस्‍थाक तरमे शंभूओदास पड़ि‍ गेलाह।
बेवस्‍थाक बेवस्‍था चलैत मि‍थि‍लाक धरति‍ये जकाँ मि‍थि‍लाक कला सेहो राँइ-बाँइ भऽ छि‍ड़ि‍या-बि‍ति‍ टूटि‍-फाटि‍ गेल।
(())

No comments:

Post a Comment