Pages

Thursday, October 23, 2014

अकाल

अकाल





कि‍रि‍ण फुटि‍ते सुगापटीवालीक माथपर दस-बारहटा छि‍ट्टा-पथि‍या गेँटल देखि‍ बौकी दीदी पुछलखि‍न-
आइ भोरे-भोर केमहर दि‍न उगल हइ सुगापटीवाली?”
बौकी दीदीक बोल जेना सुगापटीवालीक मनकेँ हौंड़ि‍ देलक। ओना घंटा-घंटा भरि‍ बौकी दीदी लग बैसि‍ सुगापटीवाली अपनो आ अपन परि‍वारोक संग-संग देशो-दुि‍नयाँक गपो-सप्‍प करैत आ बाइस तेबाइस खेबो करैत। खासकऽ पावनि‍क ठकुआ आ भोज-काजक लड्डू तँ अड़बैघ कऽ बौकी दीदी पुतोहु सभसँ चोरा कऽ सुगापटीवाली लेल रखबे करैत। दसो-बारहोटा छि‍ट्टा-पथि‍याक गेँट माथपरसँ उतारि‍ सुगापटीवाली अँगनाक मुहथरि‍पर रखलक। भतझँक्का छि‍ट्टासँ लऽ कऽ घस छि‍ल्ला, छौर फेक्काक संग सग तोड़ा, सग धुआ पथि‍या धरि‍क गेँट। करीब महि‍ना दि‍नक पछाति‍ बौकी दीदीकेँ सुगापटीवालीसँ भेँट भेल छेलनि‍, तँए मास दि‍नक गपो-सप्‍प  बाँकीए रहनि‍, जे बात सुगोपटीवाली बुझैत आ दीदीओ। माथक छि‍ट्टा उतरि‍ते दीदीक नजरि‍ सुगापटीवालीक मुँहपर पड़लनि‍। मन्‍हुआएल मन मौलाएल फूल जकाँ बूझि‍ पड़लनि‍। मुदा बजली कि‍छु ने, नै बजैक कारण भेलनि‍ जे अपने मन कहलकनि‍ जे जरूर कोनो वेर-वि‍पति‍मे वेचारी पड़ल अछि‍। आन दि‍न केहेन लहटगरि‍ मुँह देखै छेलिऐ आ आइ कि‍ए धुमनाइन मौलाएल बूझि‍ पड़ैए। केना वेचारीकेँ बेथाक बात पूछि‍ आरो लटकबि‍ऐ। तइसँ नीक कि‍ए ने दोसरे-तेसरे बात पूछि‍ वि‍चारक धारमे भँसि‍या दि‍ऐ। अनेरे तँ अपने सभटा गप गुर घओ जकाँ मुइलहा खून-पीजक संग खील नि‍कलि‍ जेतै। तहूमे एक मासक कथा-पुराण पछुआएले अछि‍। जखने पछि‍ला अन्‍ति‍‍म भेँटक गपक नांगरि‍ पकड़ा देबै आकि‍ अनेरे ने बड़बड़ए लगत। तइमे जे अपना बुझैक अछि‍ से परेखि‍ लेब। सैह सोचि‍ दीदी बजली-
कनि‍याँ, केतए हराएल छेलह जे एते दि‍नक पछाति‍ नजरि‍ पड़लह?”

अंतिम पेज.......


बौकी दीदीकेँ सेहो तीन बीघा गाछी-कलम। ओना परि‍वारक हि‍साबसँ बौकी दीदीकेँ बेसी गाछी-कलम छन्‍हि‍ मुदा कि‍सानी जि‍नगीमे सभ रंगक खेतीक अपन महत छै। करताइत दुआरे बौकी दीदीकेँ बेसी-गाछी कलम छन्‍हि‍। सुगापटीवालीक सूर-मे-सूर मि‍लबैत बौकी दीदी बजली-
कनि‍याँ, बि‍नु रहनौं जेहने तोहर भाग तेहने अपनो भाग ने भऽ गेल। तहि‍ना रहने अपनो भाग आ तोरो एक रंग भेल कि‍ने। हमहींटा कि‍ए, जखनि हजारो-लाखो कि‍सान छातीमे मुक्का मारि‍ जीवि‍ते छथि‍ आ तोँ की मरि‍ जेबह? समए केतौ दूर चलि‍ गेल, फेर आम फड़त आ तोहर टोकरीक धंधा चलबे करतह। भेल तँ बीचमे कि‍छु दि‍न, तइले अनेरे सोग-पीड़ा मनमे कि‍ए रखने छह। बि‍सरि‍ जाह।
बौकी दीदीक बात सुनि‍ सुगापटीवालीक करि‍छोंह मुँह ललि‍या गेल। पथि‍या माथपर उठा गाम दि‍स डेग बढ़ौलक।¦१,२३८¦

२४ जुन २०१४

No comments:

Post a Comment