Pages

Thursday, October 23, 2014

बकठाँइ

बकठाँइ 



ओछाइन छोड़ि‍ते दुनू परानी लाल भायकेँ बकठाँइ शुरू भऽ गेलनि‍। बरहमसि‍या बकठाँइ तँए शुभ-अशुभक मद्दी नै। मद्दी तँ ओतए होइए जेतए नि‍अमि‍त कि‍रि‍या-कलाप चलैत। ओना दोसरो कारण छेलनि‍, से छेलनि‍ पति‍-पत्नीक बीच जि‍नगीक सम्‍बन्‍ध। तँए कहि‍यो एहनो भाइए जाइ छन्‍हि‍ जे सुतलीओ राति‍मे आ कहि‍यो अकलबेरोमे तेहेन परोड़क मुड़ी जकाँ सरेड़ नि‍कलै छन्‍हि‍‍ जे अड़ोसीओ-पड़ोसीओ आ दि‍आदोवाद गामसँ फाजि‍ल कहि‍ अपन मुँह बरजि‍ लइ छथि‍। ओना से ओहि‍ना नै कि‍यो बरजलनि‍, कि‍छु दि‍न पहि‍ने जोतखी भायसँ नि‍सभरि‍ राति‍मे तेहेन बजरान बजरलनि‍ जे सौंसे गामक लोक जमा भऽ गेलनि‍। मुदा गौआँकेँ चाबस्‍सी दी जे जोतखीए भायकेँ दोखी बना मुँह बन्न करैले कहि‍, छोड़ि‍ देलकनि‍। बात कोनो कि‍ कि‍छु रहै, एतबे रहै जे कि‍छु एहनो काज होइए जेकर बरजि‍त अकलबेरामे कएल जाए। तँए छुट्टा साँढ़ जकाँ दुनू परानी लाल भायकेँ गौआँ बूझि‍, एक घर डाइनो बरजै छै कहि‍ बि‍नु नीनक पकड़ल ओछाइनपर कर घूमि‍-घूमि‍ कछमछ करि‍तो, कानमे झड़ पड़ैबि‍तो अड़ोसीया-पड़ोसीया ने लगमे पहुँचैक साहस करैत आ ने सुतले-सूतल कि‍यो मनाही करैबला। तेकर कारण ई नै रहै जे लाल भायसँ आन कम तागति‍बला छथि‍ आकि‍ दउगर-पेंचगर कम छथि‍। मुदा कारण जहि‍ना धानक झड़ केतौ धाने झड़ भऽ जाइए आ केतौ झड़ाह बनि‍ झड़ बनैए। माने ई जे एक धानक खेतीक बीच जँ दोसर धान आबि‍ गेल तँ ओ धानो भेल आ झड़ो भेल। धान भेल जे जँ एकरंगाह दोसरमे चलि‍ गेलौं, मुदा फुटै-पकैक, नमती-मोटाइ आ गुद्दाक रंग जँ एक होउ, तँ कि‍ए ने धान भेल। मुदा तुलसीफुल आकि‍ कनकजीर धानक खेतमे जँ उलाँक धान मि‍झड़ा जाए तखनि‍ की कहबै? एकटा धान दोसरसँ दस बड़ नमहरो आ दस बड़ मोटो होइए। खाइकाल तँ पारखी ओकरा पकड़ि‍ घरनीकेँ दसटा सोहर सुनबैक अधि‍कारी तँ बनि‍येँ जेता कि‍ने। बनबाको चाहि‍ए। जैठाम एक-एक दाना पकड़ैक बात अछि‍ तैठाम जँ पँचमुखी रूद्राक्षमे गो-मुखी नुकबए चाहबै तँ की छोड़बो उचि‍त? खैर जे होउ...। 

अंतिम पेजसँ......................................................................


चाह पीब लाल भाय सोझे दूधबला ओइठाम वि‍दा भेला। वि‍दा होइते लाल भौजी टोकि‍ देलखि‍न-
केतए जाइ छी?”
दूधबलाकेँ पाइ दइले।
भोरे-भोर अहूँकेँ कि‍छु फुड़ल नै जे अनेरे वि‍दा भेलौं?”
की अनेरे?”
जेकरा खगता रहै छै, ओ अनेरे दौगल अबैए।
हमहूँ खगता बुझलि‍ऐ तँए ने दौगल जाइ छी।
पति‍क सकताएल वि‍चार सुनि‍ लाल भौजी ठमकि‍ गेली। बजली कि‍छु ने। मुदा नजरि‍क लाली कति‍याए लगलनि‍। जहि‍ना बाघक आगू पड़ने दुनूकेँ[1] ज्‍वर लगि‍‍ जाइ छै तहि‍ना लालो भाय आ लाल भौजीओकेँ हुअ लगलनि‍। मुदा दुनूक ज्‍वरक दू कारण छेलनि‍। केकरो रौद-बसातसँ एला पछाति‍ नहेलासँ अबैत तँ केकरो नहेला पछाति‍ रौद-बसातमे गेला पछाति‍ अबैत। लाल भाय अपन वि‍चारक पाछू अपन मानक संग परि‍वारक सम्मानक रक्‍छाक बातमे डूमि‍ कलि‍याएल जाइत रहथि‍ तँ लाल भौजी अपन मान-सम्मानमे।¦८८३¦     

२४ फरवरी २०१४


[1] बाघो आ आदमीओकेँ

No comments:

Post a Comment