Pages

Monday, June 16, 2014

महि‍रम

महि‍रम

इण्‍डि‍या-अमेरि‍काक बीच क्रि‍केट खेल शुरू भेल। बेर-बेर रेडि‍योमे सुनने रहि‍ऐ जे छह बजेसँ शुरू हएत। संगी सबहक संगे रेडि‍यो सुनए लगलौं, बारह बजे जाइत-जाइत खेल खतम भेल, अमेरिका हारि‍ गेल, इण्‍डि‍या जीतल। मन खुशी रहबे करए गामपर एलौं। जेना लाल भाय हमरे ताकमे बैसल होथि‍ तहि‍ना देखि‍ते पूछि‍ देलनि‍-
केतए गेल छेलँह?”
हमरो मन खुशी रहबे करए, कहलि‍यनि‍-
लाल भाय, इण्‍डि‍या जीत गेल!
ओ रन-तन नै पुछलनि‍। पुछलनि‍-
इण्‍डि‍याक केते लोक नोकरी करैए आ ओकर नून खाइए से बूझल छौ?”
कहलि‍यनि‍-
नै।
खाधि‍ देखि‍ जेना एक्केबेर साइकि‍लक ब्रेक लइ छी तहि‍ना बजला-
बौआ, खेल खेल छी खेल जि‍नगी नै छी। जे जि‍नगीकेँ खेल जना खेलैत बि‍तौत, ओ असल खेलाड़ी भेल। समैक महि‍रम बूझ। नै तँ बौआ जेमे।

लाल भाइक बात सुनि‍ चुपेचाप नहाइले चलि‍ गेलौं।¦¦¦

No comments:

Post a Comment