Pages

Friday, October 17, 2014

नौमीक हकार


नौमीक हकार






चारि‍ सालक हराएल संगीक फोन नम्‍बर देखि‍ गुणानन्‍द रि‍सि‍व करैत बाजल-
“के, फलानन्‍द भाय?”
जवाब भेटल-
“हँ। गामक पहि‍ल चैती नवरात्रा पूजा प्रारम्‍भ भेल, केना नै अबि‍तौं। मुदा अखनि‍ पूजाक धुमसाहीमे पड़ल छी तँए आरो गप भेँट भेलापर हएत, अखनि‍ एतबे जे काल्हि‍ नौमी छी, तँए सवेर-सकाल पहुँच जाइ।”
फलानन्‍दक फोन सुनि‍ गुणानन्‍द कि‍छुओ तर्क-वि‍तर्क नै केलक। अगुरवारे हकार मानि‍ लेलक। 


अन्‍तिममे.....................................




काजक ढंग बदलने समैक बचत सेहो होइते छै। तत्-खनात आगूमे कोनो काज नै देखि‍ फलानन्‍द बाजल-
“बाबू, ओना तँ मेला छी, हवा-बि‍हाड़ि‍‍क समए छीहे तेतबे कि‍ए, गामक मेला छी, सभकेँ कि‍ एके रंग ओकाति‍ छै जे भगवतीक दर्शन एके रंग करत। तँए कि‍छु नव वस्‍त्र सेहो भगवतीकेँ चढ़बि‍ति‍यनि‍।”
सुशील बजला-
“भगवतीक तँ खोंइछ भरले जेतनि‍। मुदा एकटा बात जे कहए चाहै छेलि‍यऽ ओहो सुनि‍ लैह। अपना ऐठाम दस दि‍नक पूजा-प्रक्रि‍या अछि‍ जखनि‍ कि‍ गौहाटीमे तीन दि‍नक। ओतए बंगाली पद्धति‍क अनुरूप पूजा होइए। से गौहाटीए टामे नै, पूर्वांचलक बंगाल, बंगला देश, त्रि‍पुरा, मेघालय, असाम इत्‍यादि‍ क्षेत्रमे होइए। अपन मि‍थि‍ला जे बि‍हारक पनरह-बीसटा जि‍ला आ नेपालक कि‍छु जि‍ला अछि‍...।”
बजैकाल तँ सुशील बाजि‍ गेला मुदा बि‍च्‍चेमे मन कहलकनि‍, अखनि‍ फलानन्‍दक उमेरे की भेल जे ई सभ बूझत।
तही बीच समेनाक गाड़ी आबि‍ गेल।¦१,११६¦ 

०३ अप्रैल २०१४

पान पराग


पान पराग





छि‍यासठि‍ बरख पुड़ैत-पुड़ैत डाक्‍टर सुनीलक पछुलका सभ नाओं या तँ हेरा गेलनि‍ या तर पड़ि‍ गेलनि‍। गाम अबि‍ते नाओंए पड़ि‍ गेलनि‍ बुढ़बा डाक्‍टर। ओना जहि‍ना बजरूआ घरक एकटा कोठलीमे पैसने कोठलीए-कोठली सभ घर टहलि‍ लि‍अ तहि‍ना बुड़हो डाक्‍टरकेँ भेलनि‍। नीक वि‍द्यार्थी आ नीक लगन रहने डक्‍टर सुनीलक पूछ आनसँ भि‍न्न, सीनि‍यरो डाक्‍टर सुनील बाउ कहैत तँ आन-आन स्‍टाफ सुनील बाबू कहनि‍, जइसँ डक्‍टर सुनील भोति‍या गेला। दस बर्खक पछाति‍ जखनि‍ वि‍भागाध्‍यक्ष भेला तखनि‍ प्रोफेसर साहैब भऽ गेला, पहि‍लुका नाओं हेरा गेलनि‍। ओना सोलहन्नी पहि‍लुका नै हेरेलनि‍ थोड़-थाड़ रहबो केलनि‍ आ थोड़-थाड़ बि‍सरेबो केला। कि‍छुए दि‍नक पछाति‍ डाक्‍टर भैया आर कि‍छु पछाति‍ डाक्‍टर काका आ सेवा नि‍वृत्ति‍क पछाति‍ डाक्‍टर काका बनि‍ दरभंगासँ गाम आबि‍ गेला। पुरनका आदति‍ सेहो शहरसँ गाम नेने एला। जेकर फल छेलनि‍ चारि‍ बजे भोरसँ पहि‍ने अपन नि‍त्‍यक्रि‍यासँ नि‍वृत्त भऽ चाह-पीब पढ़ै-लि‍खैमे लगि‍ जाइ छथि‍। ओ वेचारे अपने रहैक घर बनौता तँए मकान बनबैक सभ काज अपने वि‍चारसँ करता जे वि‍चार बेटो दैत खर्चक चि‍न्‍तासँ मुक्‍त कऽ देलकनि‍। ओना बेटा मुँह छोहनियेँ केलकनि‍, कि‍एक तँ अपनो कमाएल तेते छन्‍हि‍ जे आनक खगते ने छन्‍हि‍, मुदा तैयो बेटाक बोलसँ आरो भरोस बढ़बे केलनि‍। 


अंतिमपारा....................................



मि‍स्‍त्रीक बात सुनि‍ बुड़हा डाक्‍टर खि‍ल-खि‍ला कऽ हँसैत बजला-
“अपनो ने डाक्‍टरो छी। आन रोगीक बात नहि‍योँ बुझबै कि‍एक तँ बहुत बात बहुत रोगी बाजि‍तो ने अछि‍, मुदा अपन देहक पीड़ाक अनुभव तँ अपने हएत। तइ हि‍साबसँ हि‍फाजत केने तँ काज चलि‍ सकैए। तखनि‍ तँ ई देहे काँच-माटि‍क बनल अछि‍, एकर केते बि‍सवास।”  
मि‍स्‍त्री बाजल-
“बाबा, अपने काजकेँ पछुअबै छि‍ऐ जेतेकाल गप-सप्‍प करबै तेते देरी हएत।”¦१,७०४¦ 

२९ मार्च २०१४

भँसैत नाह


भँसैत नाह





बेर-बेर नाहडुम्‍मीक घटना होइ छै तैयो आन घाटसँ बेसी चलती ऐ घाटक रहि‍ते छै। बेसी चलतीक कारण छै जे यात्रीक एहेन धारणा बनल अछि‍ जे छह मासक रस्‍ता नै चली साल भरि‍क चली। भलहिं कोनो धार कि‍ए ने छहमसुए हुअए। छहमसुआ ई भेल जे, जे धार जेठ-अखारमे मोजरि‍-फुला सौन-भादोमे पूर्ण जुआनी पाबि‍ दुब्‍बर-दानर सल-सलि‍आ धारकेँ तेना ने झाँपि‍ दइ छै जे ओ सल-सलि‍आ धार ऊपरेसँ झँपा जाइत अछि‍। तेकर कारण ईहो छै जे बादलो बेइमानी करै छै, जेना समुद्र ओकरा जल-वायु रूपमे जलधार बनबै छै तेना ओ (मेघ) बेइमानी करै छै जे केतौ फाटि‍-फाटि‍ बरसै छै तँ केतौ झकसबो नदारथ कऽ दइ छै। मुदा तैयो अपन दोख कहाँ मानै छै। बुर्ड़ाक भऽ छाती खोलि‍ बजै छै जे समुचि‍त दि‍शामे बढ़ए चाहै छी, मुदा हवाक झोंक तेना ने छि‍ड़ि‍या दइए जे राइ-छीती कऽ दइए। मेघक दमगर वि‍चार सुनि‍ धार पार करैक यात्री मानि‍ए लइए। मुदा घाटक चलतीक दोसरो कारण छै जे दोसर-तेसर घाट पार करैमे कनी समैओ बेसी लगै छै आ रस्‍तो कनी बलुआह टपए पड़ै छै, तँए कम चलती रहै छै। ओना तीन बेर नाहडुम्‍मी भेल, से सभ यात्रीकेँ बूझल छै मुदा पानि‍मे कि‍ गाछक घटना होइ छै जे हाड़-पाँजर टुटत, तँए जि‍नगीक तँ एते गारंटी भाइए जाइ छै हाड़-पाँजर तोड़ि‍ काहि‍ काटि‍ जे मरब तइसँ नीक ने भेल जे पानि‍ओ पीब आ डुमकी कटैत प्रवाहो भाइए जाएब। 


अंतिमपारा................................



नैयाक बात सुनि‍ पहि‍लुके यात्री दोहरबैत बाजल-
“कि‍यो करए आपले माएले ने बापले।” -कहि‍ धारमे कूदि‍ गेल।
भकमोड़क नाह चकभौर काटए लगल। बामी-दहि‍नी जलधार पाबि‍ एकोशि‍या भऽ गेल, बानरक तराजू जकाँ यात्री दोसर दि‍स झूकि‍ गेल। एकोशि‍या भार पड़ने नाहो एकोशि‍या होइत-होइत पनि‍आ गेल। नाहक संग यात्री आ पनि‍आएल पेट बि‍च्‍चे धारमे डूमि‍ गेल।¦५९२¦  

२६ मार्च २०१४

गंगा नहेलौं


गंगा नहेलौं






भोरे सुति उठि दिशा-मैदान दिस बिदा भेलौं, थोड़े आगू बढ़लौं कि सुचीता काकी अँगनेमे बजली-
“गंगा नहेलौं।”
काकीक बात सुनि मन ठमकल, भेल ई जे माघी पुरनिमा काल्हि‍ छिऐ, सौझुका गाड़ी पकड़ि लोक सिमरिया गंगामे डूम दिअ जाएत तखनि किए काकी एना बाजि रहल छथि। धरतीकेँ अकास किए कहि रहल छथि। कोनो अरथे ने लागए। मनमे खुटका उठि गेल। फेर भेल जे अनेरे फि‍रि‍शान होइ छी, जखनि काकी सोझहेमे छथि तखनि पुछिए किए ने लेब जे नीक हएत। अनेरे हाथक चुड़ीले एेनाक कोन काज। किए अपन अनभुआर मनकेँ रगड़ब। रस्तापर ठाढ़ भेलौं। दछिनबरिया घरक अढ़मे काकी रहथि,  हुनकर बात सुनलौं मुदा ने मुँह देखलियनि आने देह, अखनो अढ़ेमे छथि तखनि पुछबनि केना? नै पुछबनि तँ अपन मन थीर नै हएत। ससरि कऽ आगू बढ़ि काकीक दरबज्जापर पहुँचि‍ते खखसलौं। खखैसि‍ते काकी बूझि गेली जे भरिसक कियो दरबज्जापर छथि। ऊहो आँगनसँ ससरि दरबज्जापर एली। अबिते मनमे भेल जे कुशल-समाचारसँ गप शुरू करी, मुदा फेर भेल जे अखनि गंगा स्नानक समए अछि जँ कहीं अपन स्नानक वृतान्त उठा देलनि आ सुनैत-सुनैत अपने बात बिसरि जाए तखनि तँ आरो गजपट हएत। केतए गेलौं तँ केतौ ने से भऽ जाएत। एकटा युक्ति फुड़ल। फुड़ल ई जे जँ आगू भऽ कऽ काकीए पूछि देलनि जे केम्हर एलौं। तखनि अपने सवाल सुढ़िया कऽ पूछि देबनि। मुदा मनक बात ऊहो बुझती तखने ने, जँ कहीं दोसरे दिस भँसिया गेली तखनि बिना ओतएसँ पकड़ि अनने बिना पुछबो केना करबनि। ततमतमे ततमताइते रही आकि सुचीता काकी बजली-
“बौआ, भोरे-भोर देखै छिअ?” 

अंतमे..................


विस्मित होइत काकी बजली-
“बौआ, आब बुझै छी जे बुधिमे आगि लगि गेल। पनरह लाख रूपैआ खर्च करि‍ कऽ बेटीकेँ डाक्टर बनेलौं। समाजक कहबमे मन बौआ गेल जे डाक्टरकेँ डाक्टरसँ कम योग्य बर केना हएत। तकैत-तकैत तीन साल जे भेल से केकरा कहबै, देह लगा कऽ मारि लेलौं। मुदा एते कीमती बेटीक मोल यएह होइ जे पच्चीस लाखक बिआहो होए!”
बजैत-बजैत काकी आँखिक नोर पोछैत बजली-
“परसू बिआहक सभ प्रकिया सम्पन्न भऽ गेल। सात गंगा नहेलो-फल पाबि गेलौं।¦६८६¦

१९ मार्च २०१४

सुआद


सुआद






केते दि‍नक पछाति‍ कछुआ हाट गेल छेलौं। ओना गेनेसँ नफे भेल। नफा ई भेल जे, मनो ने अछि‍ जे कहि‍या कबछुआ सीम खेने छेलौं, से भेट गेल। सेहो कि‍ ओना भेटल, एकटा तरकारीवालीकेँ समैया सीम हता गेलनि‍। हाट छुटै छेलनि‍, वेचारी जखनि‍ सौदाक पोखरि‍ नहाइले गेल रहथि‍ तखनि‍ एकटा गाछपर खूब लतरल-चतरल-पसरल फूल-कोढ़ी आ फड़सँ भरल देखि‍ नेने छेली। हाटक बेर जखनि‍ कोनो गर नै लगलनि‍ तखनि‍ पथि‍या तराजू-बैटखाड़ा नेने पोखरि‍ए महारक रस्‍तासँ आबि‍ बाटेमे एक पथि‍या सीम तोड़ि‍ नेने रहथि‍। मुदा वेचारीक जहि‍ना मुफ्तक माल रहनि‍ तहि‍ना लेबालो सुखाएले रहनि‍।
हि‍या कऽ देखलौं तँ मन मानि‍ गेल जे सीमे छी। अनभुआर जकाँ लगमे पहुँच पुछलि‍यनि‍-
“दादी, ई की छी?” 


अन्‍तिममे.....................



हाथ ससरल, ढेकार भेल, बजलौं-
“ओकरा की करबै?”
“दि‍न-देखार अहाँले बना देब। अपना नै हएत तँ नूनो-मि‍रचाइक संग खा लेब। इछानि‍क गन्‍ध मछानि‍ महकि‍ते छै, तँए सूखल नोन-मि‍रचाइ कि‍ इछानि‍-मछानि‍ हएत, अपना रंगमे रहत।”¦६२४¦
१४ मार्च २०१४

नीक बोल


नीक बोल






कौल्हुका साढ़े चारि‍ बजेक ड्यूटी पूरि‍‍ पढ़ुआ भाय सेवा मुक्‍ति‍क आदेश पत्र नेने भोरे गाम पहुँचला। सि‍ताएल नढ़ि‍या जकाँ पत्नी देखि‍ बि‍नु कि‍छु बजने चाह बनबए गेली। ओना दूटा पुतोहुओ छन्‍हि‍ मुदा ओ दुनू बहरबैइए छथि‍न। जहि‍यासँ भौजी एली तहि‍येसँ नवकी भौजीक नाओंसँ वि‍भूषि‍त रहली जे अखनो छथि‍ए। भाति‍जो-पोता सभ भौजीए कहै छन्‍हि‍ मुदा तइले एको पाइ रोख-मान नै होइ छन्‍हि‍। ओना अपनो मन बुढ़ाड़ी नहि‍येँ मानै छन्‍हि‍ तेकर कारण चुल्हि‍ तरक काज रहलनि‍। जे मन फुड़ल, जेना मन फुड़ल तेना बना कऽ खेलौं।
नवके धेलहा कपमे चाहो आ गि‍लासमे पानि‍ओ नेने पढ़ुआ भाइक आगूमे रखि‍ देलनि‍। चाह-पानि‍क स्‍वागत देखि‍ भाइक मन खुशी भेलनि‍। मनमे उठलनि‍ जे पत्नीकेँ कहि‍ दि‍यनि‍ जे सेवा-नि‍वृत्ति‍ भऽ आबि‍ गेलौं। मुदा लगले भेलनि‍ जे जाबे नै बाजब ताबे भारो तँ नहि‍येँ बुझती, तइसँ नीक जे चुपे रही। मुदा पति‍-पत्नीक बीच तँ चुपो-चुपी नहि‍येँ रहल जा सकैए। पानि‍ पीब, चाहक घोंट लगबि‍ते पढ़ुआ भाय बजला-
“बड़ सुन्नर चाह अछि‍।” 


अन्‍तिममे.......................... 


पत्नीक बोल सुनि‍ पढ़ुआ भाय थकथका गेला। थकथका ई गेला जे सचमुच परि‍वार खण्‍डि‍त भऽ गेल। बहरबैया कमेनि‍हार तँ रहलौं मुदा घरक नोन-तेलक भाँज कहि‍यो नै बूझि‍ सकलौं, जे कमाएल ओ खर्चक भाँज नै बुझलनि‍ आ जे खर्च केलनि‍ ओ उपैति‍क भाँज नै बुझलनि‍। पसीना कमाएल जँ फूसि‍-फासि‍मे चलि‍ जाएत, तखनि‍ परि‍वार केना ठाढ़ हएत। मुदा जे समए हाथसँ नि‍कलि‍ गेल, पश्चाताप केला पछाति‍ भाइए की सकैए। मुदा एहनो तँ भाइए सकैए जे दौग कऽ धारमे कुदी। खैर जे होउ, परि‍वार छी दीके-कि‍-सीके ठाढ़ तँ अछि‍ए। जखनि‍ जगह बदलत तँ जि‍नगीओ कि‍ए ने बदलत, करेज खोलि‍ बजला-
“आब अहींक राजमे आबि‍ गेलौं।”  
“मौगी जानि‍ ठकै छी, दसटा पुरुखमे एकटा मौगी मौगी रहत आकि‍ सासुर-मात्रि‍कक अणे खेलौना बनि‍ जाएत।”¦५७०¦

१३ मार्च २०१४


हथि‍याएल खुरपी


हथि‍याएल खुरपी





भि‍नसुरका चाह पीला पछाति‍ काजक हि‍साब जोड़ए लगलौं आकि‍ पत्नी आबि‍ कहलनि‍-
“लफ साग भँसि‍ गेल, अहाँकेँ कोनो धनि‍ए नै।”
अखनि‍ धरि‍क मन सोलहन्नी शुद्ध छल, मुदा काजेक धनि‍ नै अछि‍ तखनि‍ भरि‍ दि‍न करै की छी। मनमे कुवाथ भेल। सागक खेती जानि‍ए कऽ भँसेने छेलौं। जानि‍ कऽ ई जे मरदा-मरदी खेत पथारमे काज करि‍ कऽ सीखि‍ लइत, मुदा स्‍त्रीगण तँ अँगना-घरमे रहैवाली, जँ कनि‍योँ उपारजनक लूरि‍ नै हेतनि‍ तखनि‍ चुल्‍हि‍पर छन-मन केना हएत। सागक खेती आकि‍ लत्ती-फत्तीक बीजमे ओहेन शक्‍ति‍ छै जे माटि‍क ऊपरो आ तरोमे अँकुरि‍ जाइए। तँए ओतबो लूरि‍ भेने तँ मनमे बि‍सवास जगबे करतनि‍ किने जे अपन कएल खाइ छी। बरदास नै भेल। ललकि‍ गेलौं-
“बड़ जुति‍हारि‍न छी? जँ आइ नै टमाटरमे कमाएब तँ भँसि‍ये जाएत। तेहेन-तेहेन अमेरि‍कन घास आबि‍ गेल छै जे अढ़ाइ दि‍ना बोाखार जकाँ ओकरो भऽ गेल छै।” 



.......
अन्‍तिम-
........


पत्नीक गद-गदाएल मन रहबे करनि‍, जहि‍ना ढोलकक गदपर हाथ घुसकुनि‍याँ कटैत सूर मि‍लबैत तहि‍ना बजली-
“दि‍न दि‍न छि‍ऐ, राति‍ राइत छि‍ऐ। मुदा आँखि‍क बीच दुनू अबैत-जाइत जहि‍ना चलैत अछि‍ तहि‍ना ने जि‍नगीओ भेल।”
पत्नीक वि‍चार तँ सुनि‍ लेलौं, मुदा मन हरमाज करए लगल। हरमाज ई जे भरि‍ दि‍नक जे मुँह-फुलौबलि‍ रहल तेकर जड़ि‍ कारण की‍ छल?¦६५०¦

११ मार्च २०१४