Pages

Monday, September 21, 2015

SAGAR RAIT DEEP JARAY- NIRMALI : UMESH MANDAL

सगर राति दीप जरल

निर्मली, दिनांक 19 सितम्‍बर 2015 : सगर राति दीप जरय समिति- निर्मलीक प्रस्‍तुतिमे शहरक विशालकाय विवाह भवन- श्‍यामा रेसिडेन्‍सी- सभागार-मे सगर राति दीप जरय केर 87म गोष्‍ठी कथा तिलजुगाक शुभारम्‍भ 6:30 बजे भेल। जेकर उद्घाटन सम्‍मिलित रूपे केलैन, नेतरहाट उच्‍चतर माध्‍यमिक विद्यालयक पूर्व प्राचार्य डॉ. दुर्गा प्रसाद साहू, हरि प्रसाद साह महाविद्यालयक पूर्व एवं वर्तमान प्राचार्य द्वय डॉ राम अशीष सिंह, डॉ. विमल कुमार राय, प्रखण्‍ड विकास पदाधिकारी श्री सुशील कुमार, जिला पार्षदक पूर्व सदस्‍या श्रीमती आशा देवी, श्‍यामा रेसिडेन्‍सीक निर्माणकर्ता श्री सत्‍य नारायण प्रसाद साहु तथा सी.एम.बी. कॉलेजक हिन्‍दी विभागाध्‍यक्ष सह मैथिली साहित्‍यक चर्चित साहित्‍यकार प्रो. धीरेन्‍द्र कुमार।
अवसरपर श्री रामदेव प्रसाद मण्‍डल झारूदार स्‍व रचित गीत- करू स्‍वागत स्‍वीकार हे प्रियवर, हम नै अपनेक योग्‍य...।सँ स्‍वागत केलैन, तथा धन्‍यवाद ज्ञापनक संग स्‍वागत-भाषण केलैन, प्रोफेसर द्वय डॉ. शिव कुमार प्रसाद, डॉ. श्रीमोहन झा।
ऐ तरहें उद्घाटन सत्रसँ पोथी लोकार्पण सत्रमे प्रवेश भेल। सत्रक मुख्‍य अतिथि, बिहार अति पिछड़ा प्रकोष्‍ठक सदस्‍य मो. शरफराज अहमद संगे विशिष्‍ठ अतिथि रहैथ- डॉ श्‍यामानन्‍द चौधरी, डॉ. सुरेन्‍द्र प्रसाद सिंह, श्री अशोक कुमार मिश्र, श्री शंभु सौरभ, श्री दुर्गानन्‍द मण्‍डल, श्री उमेश नारायण कर्ण, श्री श्रीकृष्‍ण राम, श्री अजय कुमार दास, श्री नागेश्वर कामत, श्रीमती विभा कुमारी, श्रीमती अनुपम कुमारी, श्री मनोज कुमार साह उर्फ चन्‍दनजी, श्री जे. के. आनन्‍द, श्री रतन कुमार रवि, श्री विनोद कुमार गोप, श्री राम प्रवेश मण्‍डल तथा श्री रामलखन भण्‍डारी, तथा सत्रक अध्‍यक्षता केलैन- समर्पणक चेअरमेन श्री दुर्गानन्‍द मण्‍डल, मध्‍य विद्यालयक शिक्षक मो. ए.के. मंजूर, सामाजिक कार्यकर्ता श्री सुरेन्‍द्र प्रसाद यादव, श्री विनोद कुमार तथा मध्‍य विद्यालयक प्राचार्य श्री नारायण प्रसाद सिंह।
पॉंच गोट पोथीक लोकार्पण भेल। जइमे टैगोर साहित्‍य पुरस्‍कारसँ पुरस्‍कृत एवं विदेह भाषा सम्‍मानसँ सम्‍मानित साहित्‍यकार श्री जगदीश प्रसाद मण्‍डल रचित चारि गोट पोथी- गुड़ा-खुद्दीक रोटी’, फलहार’, लजबिजीगामक शकल-सूरत लघुकथा संग्रहक छल आ पॉंचम- विदेहवैदेह द्वय सम्‍मानसँ सम्‍मानित साहित्‍यकार श्री राजदेव मण्‍डल रचित पोथी- जाल (पटकथा) रहए। पाँचू पोथी भरि सभागारमे वितरणो भेल।
भाड़ी संख्‍यामे विद्वत-श्रोतागणक उपस्‍थिति सेहो छल। जेना- इतिहासक विभागाध्‍यक्ष प्रो. जय प्रकाश साहु, अधिवक्‍ता सह पत्रकार श्री रौशन कुमार गुप्‍ता, श्री सागर कुमार साहु, श्री विष्‍णु कुमार गुप्‍ता, श्री टुनटुन कामत, श्री राम नरेश यादव, श्री अजय कुमार गुप्‍ता, श्री आलोक कुमार नाहर’, श्री राम विलास सिंह, श्री बिहारी मण्‍डल, श्री राज कुमार यादव, श्री बद्रीलाल यादव, श्री राम नारायण कामत, श्री रामकृष्‍ण ठाकुर, श्री राजदेव मण्‍डल, श्री अरविन्‍द कुमार मण्‍डल, श्री राजेश पासवान, श्री संजीव कुमार, ई. आशुतोष कुमार, श्रीमती आराधना मिस्‍टी, श्री चन्‍द्र भूषण झा राधव’, श्री मनोज कुमार झा, श्री राजकुमार मिश्र, श्री अरविन्‍द यादव, श्री विनय कुमार रूद्र, श्री बिलट मण्‍डल, श्री रामबाबू कामत, श्री दशरथ प्रसाद यादव,  श्री राम अशीष मण्‍डल, श्री लक्ष्‍मी मण्‍डल, डॉ. विष्‍णुदेव ठाकुर, श्री गोपाल गिरि, श्री राजाराम यादव, संतोष कुमार पाण्‍डेय, श्री सत्‍य नारायण महतो, सुश्री काजोक कुमारी, श्री मदन महतो, श्री शम्‍भु कमार साह, श्री योगीलाल कामत, श्री हजारी प्रसाद साहु,  तथा अवकाश प्राप्‍त शिक्षक श्री अशर्फी साहु इत्‍यादि-इत्‍यादि।      
क्रमश: आगू बढ़ैत कथा सत्रमे प्रवेश कएल...।
ऐ सत्रक अध्‍यक्षता केलैन सखारी-पेटारी कथा संग्रहक कथाकार श्री नन्‍द विलास राय, रथक चक्का उलैट चलै बाटक कवि श्री राम विलास साहु, उलहन कथा संग्रहक कथाकार श्री कपिलेश्वर राउत तथा अशर्फी दास साहु समाज इण्‍टर महिला महाविद्यालय- निर्मली केर मैथिली विभागाध्‍यक्ष प्रो. हेम नारायण साहु। सात पालीमे विभक्‍त पच्‍चीस गोट कथा पाठ भेल, समीक्षा भेल। ऐ तरहें तीनू सत्रक समापन भेल। जेकर संचालक छला-  श्री संजीव कुमार शमा’, श्री भारत भूषण झा, श्री दुर्गानन्‍द मण्‍डल तथा श्री उमेश मण्‍डल।  
अन्‍तिम सत्र अगिला गोष्‍ठी केतएमे प्रवेश भेल। चारि गोट प्रस्‍ताव आएल, पहिल- श्री रोहित कुमार सिंहक दरभंगा लेल मार्च 2016. श्री दुखन प्रसाद यादवक धबही लेल जून 2016 तथा दिसम्‍बर 2015क गोष्‍ठी लेल दूटा, प्रथम- श्री कमलेश झाक डखराम लेल तथा श्री राजदेव मण्‍डलक रतनसारा-मुसहरनियॉं लेल।  
सभामे बैसल समस्‍तक विचारपर अध्‍यक्ष मण्‍डल द्वारा निर्णय भेलैन- डखराम। अत: अगिला गोष्‍ठी श्री कमलेश झाक संजोजकत्‍वमे दरभंगा जिलाक बेनीपुर अनुमण्‍डल अन्‍तर्गत डखराम गाममे होएत।
भावी संयोजक श्री कमलेश झाकेँ वर्तमान संयोजक श्री उमेश मण्‍डल दीप तथा पंजी समर्पित केलैन।     
अन्‍तमे, धन्‍यवाद ज्ञापनमे, बाहरसँ आएल साहित्‍यकार, स्‍थानीय साहित्‍यकार एंव सहयोगी तथा विशेष सहयोगीकेँ संयोजक धन्‍यवाद-नमन केलैन। ऐ तरहें सगर रातिक कथा शेष भेल।         
निम्न अछि- क्रमानुसार पठित कथाक नओं, कथाकारक नाओं, तथा समीक्षकक सुची, संगे सगर राति दीप जरय समिति- निर्मली केर सक्रिय कार्यकर्ता, संचालक तथा विशेष सहयोगीक सेहो।
कथा पाठ एवं समीक्षा :  
पहिल पाली-
१.       फ्रेण्‍ड : पल्‍लवी कुमारी
२.      सभसँ कठिन जातिक अपमान : रतन कुमार रवि
३.      अवाक् : राजदेव मण्‍डल
समीक्षा : डॉ. विमल कुमार राय, डॉ. श्‍यामानन्‍द चौधरी, डॉ. राम अशीष सिंह।
दोसर पाली-
४.      अवसरवाद : अजय कुमार दास
५.      ऊपर फरकी मामीक सराध : लक्ष्‍मी दास
६.      हाथी आ मूस : जगदीश प्रसाद मण्‍डल
समीक्षा : श्री कमलेश झा, श्री दुर्गानन्‍द मण्‍डल (बनरझूला) श्री दुर्गानन्‍द मण्‍डल।
तेसर पाली-
७.      बबाजीक मकड़जाल : संजीव कुमार शमा
८.      शैतान आ भगवान : दुर्गानन्‍द मण्‍डल
९.       सहोदरा नै बना पेलौं : उमेश मण्‍डल
समीक्षा : डॉ. शिव कुमार प्रसाद, डॉ. विमल कुमार राय, डॉ. श्‍यामानन्‍द चौधरी, डॉ. राम अशीष सिंह।
चारिम पाली-
१०.   समाजक हाल : रोहित कुमार सिंह
११.   इज्‍जतक सवाल : राम विलास साहु
१२.   हैवानक संग सधमुहोँ : दुखन प्रसाद यादव
१३.   बाल बोध : शम्‍भु सौरभ
१४.   एक दिन हमरो : शारदा नन्‍द सिंह
समीक्षा : श्री फागु लाल साहु, श्री सुशील कुमार साह, श्री राजदेव मण्‍डल रमण
पॉंचिम पाली-
१५.   सिद्धि साध्‍ये : उमेश नारायण कर्ण कल्‍पकवि
१६.   श्रोता : अशोक कुमार मिश्र
१७.   फ्रॉडिज्‍म : शिव कुमार मिश्र
१८.   कर्मक फल : फागु लाल साहु
समीक्षा : श्री राजदेव मण्‍डल, श्री रतन कुमार रवि’, श्री कमलेश झा।
छठम पाली-
१९.   आब कहू : नन्‍द विलास राय
२०.  हमर समाज : कौशल झा
२१.   खुशी : पंकज कुमार प्रभाकर
२२.  मौखिक : राधाकान्‍त मण्‍डल
२३.  मनुखक मोल : सुशील कुमार
समीक्षा : श्री राम विलास साहु, श्री संजीव कुमार शमा’, श्री उमेश मण्‍डल।
सातम पाली-
२४.   एकटा आर : शारदानन्‍द सिंह
२५.  बरियातीमे गारि : लक्ष्‍मी दास
समीक्षा : डॉ श्‍यामानन्‍द चौधरी, श्री कमलेश झा।
.......................
श्री संजय कुमार मण्‍डल, श्री सत्रुघ्‍न कुमार मण्‍डल, श्री विनोद ठाकुर, श्री सुजीत कुमार साहु, श्री अखिलेश कुमार मण्‍डल, श्री शशि भूषण कुमार, श्री संतोष कुमार राय आदि।
श्री सुरेश महतो, श्री मुकुल प्रसाद साहु, श्री सुरेन्‍द्र प्रसाद यादव, श्री विनोद कुमार तथा उमेश मण्‍डल।
श्री सत्‍य नारायण प्रसाद साहु, श्री नारायण प्रसाद सिंह, श्री पिंकु पंसारी, श्री राम प्रकाश साहु, श्री देवेश कुमार सिंह, श्री प्रभाष कुमार कामत, श्री मनोज कुमार शर्मा, श्री देवेश कुमार सिंह, श्री रामनाथ गुप्‍ता, श्री राम लखन भण्‍डारी, श्री अखिलेश चौधरी, श्री राम सुन्‍द्रर साहु, प्रो. धीरेन्‍द्र कुमार तथा डॉ. विमल कुमार राय...।

समाद : पुनम मण्‍डल।