Pages

Thursday, October 23, 2014

अपसोच

अपसोच


 अपसोच



जि‍नगीक अंति‍म सीढ़ीपर पहुँचला पछाति‍ जखनि‍ पाछू उनटि‍ तकै छी तँ रंग-बि‍रंगक काजक संग अपनाकेँ देखै छी। नीको आ खूब नीको आ अधलो आ खूब अधलो। तखनि‍ कहब जे हँसि‍तो ओतबे हएब जेते कानैत हएब। मुदा अपन पनचैती जँ अपने नै करब तँ दुनि‍याँमे केकरा एते फुरसति‍ छै जे एहेन घोर-मट्ठा पानि‍केँ बेराैत। पनचैती केलौं, मन माफि‍त पंचैती केलौं, पछि‍ला सभ सम-गम भऽ बराबरीपर मानि‍ लेलौं। तँए मि‍सिओ भरि‍ सोग-पीड़ा पछि‍ला नै अछि‍। मुदा कनीए खोंच रहि‍ गेल तैपर वि‍चार करै छी। कहब जे जखनि‍ सभ काइए लेलौं तखनि‍ खोंच कनी कि‍ए रहि‍ गेल। जहि‍ना कि‍छु फलक खोंइचा फले संग जीवन-मरण बि‍तबैए, मुदा कि‍छु फल तँ ओहनो अछि‍ए जेकरा छीलि‍ कऽ आकि सोहि‍ कऽ कात करि‍ देल जाइ छै। हमर से नै अछि‍, जहि‍ना देहमे नमहर घा रहने कि‍यो ओकर इलाज करत आकि‍ कड़ची-तड़चीक खोंचक दबाइ करत। या तँ बड़के घाक दबाइसँ छूटि‍ जाएत आ अपने कि‍छु दि‍न पहुनाइ कऽ चलि‍ जाएत।
खोंच ई अछि‍ जे नीको केलहा अधला भऽ गेल। खाली जँ अपनेटा नीक बुझितौं आ दुनि‍याँक लोक अधला बुझि‍तए तैयो अपन गलती मानि‍ लेतौं, सेहो नै भेल। अपनोसँ बेसी दोसर-तेसर नीक बुझि‍तए। सचमुच जि‍नगीमे सएओसँ ऊपर लड़का-लड़ि‍कि‍क वैवाहि‍क सम्‍बन्‍ध स्‍थापि‍त केलौं। नीक बूझि‍ केलौं, अखनो बुझै छी मुदा तखनि‍ भाेरे-भोर दुलारपुरवाली कि‍ए गरि‍यौलनि‍? ई तँ गुण अछि‍ जे लोक सोझहोमे अधला करैत रहैए, देखैत रहै छी, मुदा जँ धि‍या-पुता जानि‍ नै 



अंतिम पेजसँ.............................................................





बात मानि‍ गेल चलि‍ गेल दि‍ल्‍ली। बंगलोर, चेन्नैइ तँ छी नै जे अनट्रेंड भनसि‍या हएत। एकटा कोठीमे भनसि‍याक काज धेलक। साले भरि‍मे फुलि‍ कऽ माैकना हाथी जकाँ भऽ गेल। घरोवाली-ले रेडि‍यो, कैमरा, रंग-रंगक गहना, साड़ी नेने आएल। आबि‍ कऽ कहबो केलक। ले बलैया अपन घरवाली घर एलै आ अपने सीराआगूक भनसि‍या दि‍ल्‍लीमे बनि‍ गेल। गामे आएब छोड़ि‍ देलक। जहि‍ना केकरो भगबै दुआरे लोक खेनाइ-पीनाइ बन्न कऽ दइ छै तहि‍ना दुलारपुरवालीकेँ सेहो ओ छौड़ा खरचो-पानि‍ बन्न कऽ देलक! से की कोनो अपना वि‍चारे केलक आकि दोसर मौगीक वि‍चारसँ। वेचारी दुलारपुरवालीक पि‍ता जीवित नै छन्‍हि‍ जे आबि‍ उपराग देता। मुदा हमहूँ तँ दोखी भेबे केलि‍ऐ जे एकटा नीक परि‍वारक कन्‍याकेँ गुँह-खत्तामे बोड़ि‍ देलि‍ऐ।¦५४८¦
२६ दिसम्‍बर २०१३

No comments:

Post a Comment