Pages

Friday, October 18, 2013

(22) नवान

नवान

बाध दि‍ससँ भोरे बड़काकाका आबि नादिमे कुट्टी-सानी लगा, गाए बाहर कऽ केटली नेने कलपर पहुँचला। जइ कलपर आन समए (जाड़-बरसात) हेँक-हेँक भेल रहै छल ओ रुक्‍ख बूझि पड़लनि। समैक गरमीओ अंतर बूझि पड़लनि। जाड़क मासमे दस बजे दिनक समए पाँचे बजे भोरेमे बूझि पड़लनि। सोहनगर समए बूझि वसन्तपर नजरि गेलनि। वसन्त आमक मंजरक महमही फल रूपमे महमहा रहल अछि। मनमे उठलनि जे वसन्त ऋृतु बर्खक पहिल ऋृतु (चैत-बैशाख) होइतो शरद-शिशिर सन ऋृतु केना आगू अबैत? हाँइ-हाँइ कऽ केटली धोइ लोटामे पानि नेने चूल्हि लग आबि, चाह बनबए लगलथि। केतलीमे चाहकेँ खौलैत देखि‍ मनमे उठलनि जे अहिना समुद्रोमे लहरिक ज्वार-भाँटा उठैए। एते गहींर समुद्र जइमे करोड़ो-अरबो पानिक तह रहैए‍ तइ ऊपरमे कि‍एक एते जोरसँ लहरि अबैए? मन औनाइते रहनि आकि चाहक गंध लगलनि। गिलासमे चीनी दऽ चाह छनलनि। केटली अखारि कऽ रखि चाहक गिलास नेने दरबज्जाक चौकीपर बैस पीबए लगलथि। मन औनाइत रहनि जइसँ चाहो नीक-नहाँति नहियेँ पीऐत रहथि। तखने हहाएल-फुहाएल रविया कनी फड़िक्केसँ टोकलकनि-
गोड़ लगै छी काका।
असिरवाद दैत बड़काकाका कहलखिन-
कनीए पहिने अबितह रबी, तँ चाहो पीऐबितिअ, आब तँ हूसि गेलह।
नै काका, हुसलौं नै, नीके भेल। एक चुटकी विष्णु भगवानकेँ चढ़ाइए कऽ मुँहमे पानि लेब।
विष्णु भगवानक नाओं दि‍स धियान नै गेलनि। कहलखिन-
तूँ तँ अनेरे बौआइबला आदमी नै छह। तहन...?”
काजे एलौं हेन।
भोरे कोन काज बजरि गेलह?”
नोत दइले एलौं।
नोत सुनि बड़काकाका तारतम्य करए लगला जे अखनि तँ, ने बि‍आह-मूड़नक दिन अछि आ ने केशे कटौल देखै छिऐ जे बरखीओ-तरखीओ करैत। मुदा चौलो तँ कहियो नै केलक जे आइ करत। सभ दिन शिष्ट बूझि श्रद्धाक नजरिसँ देखैए। मन पाड़लनि- जेठ मास परीव तिथि। आमो पाकब नहियेँ शुरू भेल अछि‍ जे अमैयो भोज करैत। पनरह दिन पछाति अमैया भोज चलत। तहूमे नवको गाछी-कलम तँ केतौ नहियेँ नजरिपर अबैए। तीन दिन रोहणिओकेँ चढ़ैमे बाँकीए अछि। खिच्चा आम पाकि कऽ केहेन हएत? धि‍या-पुता ने चोकर-मोकर खाइए। भोज-काज ओइ‍सँ केना हएत? भोज-काज लेल तँ नीक आम चाही। मन आगू बढ़लनि। तीमन-तरकारीक तँ भोज नै होइए। ओ तँ ओहिना पहिल फड़ महादेवो स्थानमे चढ़बैए आ हितो-अपेक्षि‍तकेँ देल जाइत अछि। ओना लोक कटहरोक भोज करैए मुदा ओ तँ आमोसँ पाछू होइए‍। भऽ सकैए जे गाए बि‍आएल होइ। गाएक दूध तँ छाँकी देल जाइत अछि। कियो-कियो रक्तमाला स्थानमे चढ़बैए। पाल खेलापर राजाजीकेँ गाँजा चढ़बैए आ बिएलापर कुशेश्वर स्थानमे घीउ चढ़बैए। हमरा किएक नोत देत। पुछबो केना करबै? दही-दूधक चर्च तँ खाधुर लोक करैए। हँ-निहसक बीचमे पड़ल बड़काकाका सोचलनि जे हमहीं सवाल पुछिऐ आ वएह ने किए जवाब देत जे अनेरे अपसियाँत होइ छी। मुस्की दैत पुछलखिन-
आरो के सभ नोतहारी रहथुन?”
बड़काकाकाक प्रश्न समाप्तो नै भेल छेलनि तइ बिच्चेमे रविया बाजि उठल-
अहींटा छिऐ काका। पहिल नवान छी केते गोटेकेँ नोत देबनि। कोनो कि उपनैन छी जे गिनती पुरबए पड़त।
नवान सुनि बड़काकाका आरो ओझरा गेला। केना ने ओझरैतथि। किछु दिन पूर्व धरि तँ वएह सभसँ पहिने नवानक चर्च करै छेलखि‍न। जहियासँ बाढ़ि आबि-आबि अगहने उसारि देलक तहियासँ कहब छोड़ि देलखिन। अमती काँट जकाँ एकटा डारि छोड़बथि‍ तँ दोसर लगि जाइन। मिरचाइक घोँदा जकाँ ओझरी देखि‍ बड़काकक्काक मन असोथकित भऽ गेलनि। आँखि बन्न भऽ गेलनि। आँखि बन्न होइते रविया कहलकनि-
काका, ओरियान-पाती करैक अछि। अखनि जाइ छी।
रविया विदा भऽ गेल, मुदा काकाक आँखि बन्ने रहनि। मनमे उपकलनि, भने पतरो कीनब छोड़ि देलौं। एक तँ ओहिना रंग-बि‍रंगक पतरा समाजमे (गाममे) आबए लगल अछि‍। सेहो जौं भिन्न-भिन्न लेखक जकाँ एक्के ढंगसँ बुझाैल जाइत तँ बड़बढ़ियाँ। मुदा सेहो नै। सभ पतरा कीनि‍ अपनेसँ निर्णए करैक ज्ञाने ने अछि। मनमे खुशी उपकलनि। जे पावनि क्षण-पल गनि निर्धारित होइए ओ तीनदिना हुअ लगल। एकदिना पावनि‍ दुदिना भऽ गेल आ दुदिना तीनदिना। तहूमे तेहेन-तेहेन अगिमुत्तू छुछुनरि सभ गामे-गाम फड़ि गेल अछि जे एक डारिए समाजकेँ थोड़े चलए देत। समाजो तेहने गँड़िखच्चर अछि जे अपन वर्चस्वक दुआरे उचि‍त-अनुचि‍तक (जायज-नाजायजक) विचारे ने करत। कियो जातिक सिपाही तँ कियो सम्प्रदायक सिपाही बनि मोछ टेढ़ करैत रहैए। केकर के सुनत? एहेन परिस्थितिमे चुप्पे रहब नीक। फेर मनमे उठलनि जे एते ओझरीमे ओझराइक कोन जरूरति‍ अछि। जहन रविया नोत दइए गेल अछि तहन किएक ने स्नान कऽ ओकरे ओइठाम जा बूझि ली। सएह केलनि।
चारिम सालक बाढ़ि रविया दुनू बेकतीक जिनगी मोड़ि देलक। एहेन विकराल बाढ़ि जिनगीक पहिल बाढ़ि छेलै। पाँच बीघा जमीनबला रविया पुरान ढर्राक जिनगी (किसानी जिनगी) बदलैत रहए। लगभग चारि आना बदलि‍ गेल छेलै। उन्नति किस्मक तरकारी आ फल-फलहरीक खेती अपनाए नेने रहए। अन्नक खेतीमे कोनो सुधार नै कऽ सकल रहए। मालो-जाल तहिना (पूर्ववते) रहै। बाधक सभ जजात दहा गेलै। गाछीक बड़का आम-जामुनक गाछ छोड़ि सभ सूखि गेलै। अंगूर, अनारस, नेबो, लताम, धात्री, अनरनेवा इत्यादि सभ नष्ट भऽ गेलै, घरोक सभ समान नष्ट भऽ गेलै। बाढ़ि‍ए दिनसँ रविया दुनू परानीक मन टुटए लगलै। जेना-जेना पानि सटकैत जाइ तेना-तेना ूखल गाछ आ घरक सड़ल समान सभ देखि‍-देखि‍ दुनूक मन टुटब बढ़िते गेलै। मुदा जिनगीक आशा दुनूकेँ अन्हारसँ इजोत दि‍स धकेलि देलक। नव उत्साहक संग दुनू परानी आँखि उठा आगू देखि‍ डेग बढ़बए लगला।
सबेरे स्नान कऽ बड़काकाका रविया ऐठाम पहुँचला। आँगन नीपि बुधनी नहाइले गेलि आकि बड़काकाकाकेँ देखलक। हाँइ-हाँइ कऽ गोबराएल हाथ धोइ औगता कऽ आँगन आबि ओसारपर कम्मल बि‍छा पतिकेँ कहलक-
काका एलखिन।
दरबज्जापर आबि बड़काकाका कनडेरिये आँखिए हिया-हिया कऽ आँगन, दरबज्जा, बाड़ी देखए लगलखि‍न। आँखिपर सँ मनक बि‍सवास उठए लगलनि जे सत्ते देखै छी आकि फूसि। जइ जेठमे पियाससँ धरतीमे दराड़ि‍ फटि जाइत अछि‍, हाथ-हाथ भरि जीह बाहर करैत माल-जाल अधसुक्‍खू भऽ जाइत अछि। ठेहुन भरि मोट गाछक सुखाएल पातक पथार लगि जाइत अछि तैठाम वसन्तक-बहार देखि‍ रहल छी। मनमे ई सभ नचिते रहनि आकि पानक खिल्ली सिक्कीक चंगेरीमे सेरिया कऽ ओसारक चक्कापर रखि रविया आगू आबि कहलकनि‍-
अँगने चलू ने काका। अनठिया जकाँ डेढ़ि‍यापर किएक ठाढ़ छी।
रवियाकेँ मनमे अपन सेहवाल गाए आ दस कट्ठा गरमा धानक बोझ देखेबाक इच्‍छा रहै। मुदा काकाक मनमे एलनि‍ जे आँगन तँ औरतक होइ छै, पुरुखक नै। पुरुख तँ केबल खाइकाल आ कोनो काजक काल जाइत अछि। मुदा बुधनीओ तँ अँगनेक ओसारपर कम्मल बि‍छौलक। ओ एना उट-पटांग किएक केलक? ओसारक एक भागमे बुधनी दू कसतारा दही, दु-चंगेरा आम, एक चंगेरा चूड़ा, स्टीलक अढ़ियामे तरकारी इत्यादि भोज्य-पदार्थ रखने रहए। एकरे सभकेँ देखेबाक इच्छा पेटमे रहै। सभ गोटे अपन-अपन विचारमे मगन आ काजोमे लगल। अगहन जकाँ लड़ती-चड़ती देखि‍ बड़काकक्काक मन असथिर होइत रहनि। अस्सीओ बर्खक ओ औरत जि‍नका पति छन्हि अपनाकेँ केते सुन्दर बुझै छथि मुदा सोलह बर्खक वि‍धवा अपनाकेँ की बुझै छथि? जे जेठ गरमीक विराट मास छी से वसन्ती हवा केना बहा रहल अछि। सालक एक्को दिन ओहन अछि जइ दिन अनेक ऋृतु नै भ्रमण करैत हुअए। चुप-चाप आँखि नचबैत बड़काकाकाकेँ रविया पुन: कहलकनि-
काका, जहिना पाँच अंग उठलासँ शरीरक वसन्त अबैए‍ तहिना ने वसन्त पंचमीसँ वसन्त ऋृतुक आगमन होइए। आगू-आगू चलू, सभ किछु देखा दइ छी।
रवियाक बात सुनि बड़काकाकाकेँ खुशी भेलनि मुदा मनमे नवानशब्द घुरि‍याइत रहनि। मन नचैत रहनि अगहनक नवानपर। बजला-
पतरा देखब छोड़ि देलौं तँए सभ बात नजरिपर नै अबैए। कनी-मनी मन अछि जे नवान तँ अगहन माने कातिक इजोरिया पखसँ लऽ कऽ अदहा पूसे धरिमे होइ छेलै।
काकाक बात सुनि रवियाक मनमे खुशी नै भेल, पुछलकनि-
काका नवान की?”
नव अन्नक ग्रहण।
सएह छी काका।
चलह कनी देखा दए।
धान देखबैत रविया कहलकनि-
चौरीमे एक बीघा खेत अछि। सत-सत, अठ-अठ बर्खपर हँसुआ खेत पहुँचै छल। सेहो दूध महक डाढ़ीए होइ छल। गोटे साल आध-मनक कट्ठा तँ गोटेबेर तीन पसेरी कट्ठा धान होइ छेलए। तहूमे तेते चिलमिल, कोढ़िला आ करमी लत्ती भऽ जाइ छल जे ऊपरका खेतीसँ दोबर खर्च होइ छेलए। उपजा देखि‍ मनमे उठै छल जे बेचिए लेब नीक होएत। मुदा लेबालो नै। के अनेरे पूजी दूरि करि‍तए। सबहक एक्के गति। गामक अदहा हिस्सा जमीन एहने अछि। बरख दसम मनमे उठल जे चौथाइ खेतमे डबरा खुनि माछ पोसब। नवका-नवका माछक थर सभ हेचरीमे बि‍काइत अछि। ओकरे पोसब। सदिकाल रेडियोओसँ आ अखबारो-पत्रिका सभमे माछ पोसैक लाभ देखाैल जाइ छै। खूब लाभकारी अछि। सएह केलौं। दू कट्ठा ऊपरका खेत बेचि‍ डबरा खुनेलौं। हेचरीसँ थर आनि देलिऐ। ले बलैया, कोसी नहरिमे पानि एलै। फाटकक खुजले मुँह छोड़ि देलक। भरि मुँहखर पानि चौड़ीमे पसरि गेलै। बीच बाधमे खेत अछि। डबराक महारोपर जाएब कठिन भऽ गेल। एक दिन नहाइबेरमे केरा थम्हक बेरही बना कऽ गेलौं तँ देखिलिऐ जे सौंसे चौरीक सलाढ़ लगल अछि। एक्कोटा थरक दर्शन नै भेल।
देखि‍ कऽ बड़ दुख भेल हेतह?”
एँह, काका की कहब, अपनेटा होइत तहन ने, तेहने तँ सौंसे बाधे झलकैत रहए।
तब तँ निचला खेतक संग दू कट्ठा ऊपरको चलि गेलह।
ओतबे गेल। साले-साल मलगुजारीओ भरए पड़ैए। तेहेन पाहीपट्टीक पट्टी छी जे अग्गहसँ बिग्गह भरए पड़ैए। गामक खेतक कोनो एक्के रंग मलगुजारी अछि। अन्हरा राज छै। जइ खेतमे उपजा नै होइए ओकरे मलगुजारी बेसी अछि। हँ, तँ कहै छेलौं जे ओइ‍ एक बीघा चौरी खेतमे डबरा भरा देलापर तेसराँ आ पौरुकाँ पच्चीस क्वीन्टल आ सताइस क्वीन्टल धान भेल। उपजबैक ढंगो नै छल। थोड़े-थोड़े आब सीखने जा रहल छी। ऐबेर दुनू सालसँ नीक धान अछि। अखनि काटि-काटि अनिते छी। तैयार पछाति करब। चलू, गाएकेँ देखियौ।
सेहवाल गाए। ललौन-कारी। केतौ-केतौ चितकाबर। पतरकी नांगरि। साढ़े चारि फूट खड़ाइ आ आठ फूट नमती। निच्चाँसँ ऊपर धरि काका तजबीज केलनि‍ मुदा नजरिपर चढ़बे ने करनि जे कोन किस्मक गाए छी। थने कहै छै जे भरि बाल्टीन खुआउ आ भरि बाल्‍टीन दूहि कऽ लऽ जाउ। गाम दि‍स नजरि दौगेलनि। कहाँ केतौ ऐ कटिंगक गाए छै। कियो-कियो जे अनबो केलनि तँ महिंसक खाँढ़क जरसी छन्हि। सेहो तँ गनले-गूथल अछि। पहुलका गाए सभ जे अछि ओकर खाँढ़े बिगड़ि गेलै। तेहेन-तेहेन दानी सभ साँढ़ दान केलनि जे टाएरक बड़दक वंश कोल्हुक रस्‍ता धेलक।
रविया-
काका, की सभ देखै छिएे?”
बड़काकाका-
हौ, कोन चीज नै देखैबला अछि। केतएसँ अनलह?”
चारिम साल जे बाढ़ि आएल से मालो-जालकेँ नष्ट कऽ देलक। खुट्टेपर बान्हल गाए-बड़द मरि गेल। धि‍या-पुता मात्रिकमे रहए तँए बँचि गेल। बाढ़ि पछाति‍ सासु भेँट करैले समाद पठौलनि। हमर मन नै मानलक। ओकरे -पत्नीकेँ- कहलिऐ जाइले। एक तँ नैहर दोसर धियो-पुताकेँ देखना साल भरि भऽ गेल छेलै। गेल। ओतै एकटा गाए आ खेती करैले बड़दो आ मन तीनेक अन्न देलखि‍न‍। किछुए दिन पछाति गाए उठल...।
मुस्की दैत पुन: बाजल-
जहिना बाढ़ि एने मूस पतरा गेल तहिना अनेरुआ साँढ़ो सभ। मन भेल जे साँढ़ लग लऽ जाइऐ। मुदा मनमे भेल, अनेर खाइत-खाइत तँ बुधि‍यारो लोक सनकि जाइत अछि‍, साँढ़-पारा तँ जानिए कऽ पशु छी। साँढ़ लग नै लऽ जा डाक्टरकेँ बजा अनलियनि। वएह पाल (सिम) देलखिन तकरे बच्चा छी। गाए तेहेन दुधगरि जे अपन जीह दागि बच्चाकेँ पोसलौं। वएह गाए छी। पाँचम दिन बिआएल हेन।
पाँचम दिन सुनिते बड़काकक्काक मन फेर ओझरा गेलनि। मनमे नाचए लगलनि जे गाए तँ नअ दिनपर शुद्ध होइए। अशुद्ध दूधक दही खुऔत आकि केकरोसँ दूध आनि पौरने अछि। पुछबो केना करबै? ओहन खाधुर थोड़े छी जे खाइसँ पहिने पता लगा लेब। शुद्ध-अशुद्धक विचार मनमे संघर्ष करए लगलनि। एक दिस देखै छथि‍ जइ गाएक दूध, गोंत, गोबर सभ शुद्ध होइए, एते तक जे दूधक लाटमे छुतहर घैलो शुद्ध भऽ जाइत अछि, दूध तँ अमृतोसँ पैघ होइए‍। दोसर दिस देखै छथि‍ जे सभ अशुद्ध गाएक दूधसँ परहेजो करैए। ओना देस-देसक आ कोस-कोसक चलनि सेहो एक-दोसराक विपरीतो चलैए। विचित्र स्थितिमे अपनाकेँ देखि‍ निर्णए केलनि जे पुछनहि‍ शुद्ध-अशुद्ध। जौं बुझले नै रहत तहन शुद्ध-अशुद्ध की होएत। मनमे खुशी एलनि, पुछलखिन-
दूध केते होइ छह?”
दूधक नाओं सुनि रवियाक मन, फूलक पहिल सुगंध जकाँ महकि‍ उठल। बाजल-
काका, की कहू! दुहैत-दुहैत आङुर भरा जाइए। बेराबेरी दुनू बेकती दुहै छी। ओना अखनि पाँचे दिन भेल अछि। तहूमे दू दिन अदहे-छिदहे दूहलौं। पहिलौठ रहने थनमे गुदगुदीक चलते हरपटाए लगए। मुदा परसूसँ दूधो फाटब बन्न भऽ गेल अछि‍ आ गाएओ असथिर भऽ गेल।
दूध बेचबो करै छह?”
अखनि तक तँ नै बेचलौं हेन मुदा एते दूध दुइए गोटे बुते केना सठत। कहि अागू बढ़ल। आमक कलम। चारू कातक हत्तापर लताम, दारीम, नेबो, शरीफा रोपल। गाछक बीचमे अनारस, हरदी-आदी सेहो रोपल देखि‍ खुशीसँ गद्-गद् होइत बड़काकाका बजला-
रबी, तेहेन वृन्दावन सजौने छह जे एत्तएसँ जाइक मने नै होइए।
काकाक खुशी देखि‍ रविया हँसैत कहए लगलनि-
काका, बाढ़िक नोकसानसँ मन टूटि गेल। आगू नाथ ने पाछू पगहा देखि‍ मनमे आबि गेल जे सभ खेत-पथार बेचि‍ गामसँ चलि जाइ। मुदा फेर मनमे आएल जे गामसँ केतए जाएब। गाम-घर बाढ़िमे दहाइत अछि, रौदीमे जरैत अछि। मुदा शहरो-बाजारक दशा तँ सएह देखै छी। दिन-दहाड़े डकैती, हत्या, अपहरण, सदिकाल होइते रहैए। तेतबे नै, केतौ भाषाक तँ केतौ सम्प्रदायक जहर वायुमंडलकेँ दुषित केने अछि।
रवियाक बात सुनि मुड़ी डोलबैत काका कहलखिन-
हँ, ई तँ लाख रूपैआक बात कहलह। हम तँ बुढ़ा गेलौं। दू-चारि सालक मेहमान छी। भने भगवान आँखिक इजोत लए लेलनि। ने किछु देखब आ ने दुख हएत। छोड़ह दुनियाँदारीकेँ, अपन कहअ।
बड़काकक्काक जिज्ञासा देखि‍ रविया बाजल-
काका, घर-सँ-बाहर धरि एक्के रंग बूझि पड़ल। की करी की नै करी! मनमे एबे नै करए। बड़ीकाल पछाति‍ मन पड़ल अपन देश आ पूर्वज। जहिएसँ मनुख ऐ धरतीपर अछि तहिएसँ ने हमर-अहाँक वंश सेहो छथि‍। जौं से नै रहितथि तँ अखनि केना रहितो। तहिना तँ अपन देशो (मिथिला) अछि। अदौएसँ मिथिलाक चर्च वेद-पुरानमे अछि। तैबीच लाखो भुमकम, अन्हर-बिहाड़ि, पानि-पाथर, बाढ़ि अाएल होएत। केना अपन पूर्वज सहलनि? की अपनो सभमे ओइ‍ वंशक खून नै अछि? मनमे उत्साह जगल।
बड़काकाका-
वाह! अच्छा, ऐ बगीचाक विषयमे कहअ?”
रविया-
काका, तेसर साल मद्रासी वेपारी ट्रकपर फल-फलहरीक गाछ बेचैले आएल। हमहँू पनहरटा गाछ कीनि‍ कऽ रोपलौं। वएह छी। परुँकांे-तेसरांे मोजरल रहै मुदा मोजर तोड़ि देलिऐ। एकटा-दूटा आम फड़ै मुदा गाछक सेखए चलि जाइ छेलै। बड़हनमो खूब अछि। तीने सालक गाछ छै, सए-सवा-सए कऽ फड़ल अछि। अपने ऐठामक गुलाबखास जकाँ अछि मुदा पकैए ओइ‍सँ पहिने। यएह आम खुआएब। आब आगू चलू तरकारीक खेत दि‍स।
खेतक आड़िपर अबिते कक्काक नजरि चोन्हरा गेलनि। तरहत्थीसँ आँखि पोछि देखलनि तँ मनमे शंका भेलनि। जइ जेठमे धार-पोखरि-इनार सूखि जाइत अछि‍, बाध-वोनमे लू चलैत रहैए‍, खेतसँ धधड़ा जकाँ ताव उठैत रहैए‍ ओइ‍ खेतकेँ हरिअर वस्त्र पहिरा गहना-जेवरसँ सजा नायिका जकाँ मलड़बैत अछि, ई नान्हिटा काज नै छी। मुदा काजो ओहन अछि जे सोझहे स्वर्ग बनबैए। जिज्ञासा भरल नजरिसँ काका पुछलखिन-
रबी, की सभ लगौने छह?”
रविया कहलकनि-
केते कहब काका, एकबेर‍ घूमिए कऽ देखि लियौ। सुरुजो बारहसँ निच्चाँ उतरैपर छथि‍। चलू भोजन कऽ लिअ।
मन भरि गेल। खाइक छुधा मेटा गेल। होइए जे जहिना कृष्ण वृन्दावनमे रहथि तहिना हमहूँ एतै रहि जाइ।

mm

No comments:

Post a Comment